Revelation17

1तब, सात स्वर्गदूतमेस' एकटा, जिनकालग सात कटोरामेस' एकटा कटोरा रहैक, ओ हमरालग अएलथि आ कहलनि, “हमरासंगे आउ आ हम अहाँके देखाएब जे परमेश्वर ओहि वेश्याके कोना दण्ड देथिन, ओ स्त्री ओहि शहरके प्रतिनिधित्व करैत अछि जाहिमे पानि कएटा नहरिसब अछि।2पृथ्वीके राजासब ओकरासंगे अनैतिक सम्बन्ध रखलनि आ मूर्तिपूजा कएने छलथि। आ पृथ्वीके लोकसब सेहो ओहने अनैतिक काजसब कएलक। ई सब एना भेल रहैक जे ओ स्त्री ओकरासबके पिबाकलेल दाखरस देलक आ ओ सबकेओ माति गेल।”3तखन पवित्र आत्मा हमरा नियन्त्रण कएलथि, आ स्वर्गदूत एकटा निर्जन स्थानमे ल' गेलथि। ओतए हम एकटा स्त्रीके देखलहुं जे लाल रंगके वस्त्र जकां जानबरपर बैसल रहैक। ओ जानबर अपना उपर एहन नाम लिखने रहैक जाहिस परमेश्वरके अपमान होइत छल। ओहि जानबरके सात सिर आ दस सींग छल।4ओ स्त्री बैगनी आ लाल रंगके वस्त्र पहिरने छलीह। ओकरालग सोना, बहुमूल्य पत्थलसब आ मोतीसबके गहनासब छल; ओ अपन हाथमे सोनाके लोटा लेने छल। ओ लोटा ओहि पिबएबला घृणित आ अशुद्ध वस्तु सबस' भरल छल जे ओ व्यभिचार करैत काल ओहिमे भरने रहैक।5ओकर माथपर एकटा नाम छल, एकटा एहन नाम जेकर अर्थ रहस्यमय छल। ओकर अर्थ अछि, “ई स्त्री बेबिलोन अछि, जे एकदम दुष्ट शहर अछि! ओ पृथ्वीके वेश्यासबके मतारि अछि। ई ओकरासबके संसारक सब अशुद्धता आ अनैतिक काजसब करएलेल सिखबैत अछि।” 6हम देखलहुं जे ओ स्त्री मातल छलीह, किएकत' ओ स्त्री परमेश्वरके पवित्र लोकसबके लेहू पीब लेने छलीह, जेसब यीशुके विषयमे सत्यके प्रचार करबाक लेल दुख उठाक' गवाह बनल छलाह। हम ओकरा देखक' आश्चर्यचकित भ' गेलहुं।7ओ स्वर्गदूत हमरा कहलनि, “चकित नहि होउ, हम अहाँके एहि स्त्री आ एहि जानबरके रहस्यके अर्थ खोलिदेब, जाहिपर ओ सबार अछि आ जेकरा सातटा सिर आ दस सींग अछि।8ओ जानबर जेकरा अहाँ देखलहुं जे पहिने जीवित छल। अन्तमे परमेश्वर ओकरा नाश करतथि , मुदा आब ओ जीवित नहि अछि। ओ ओहि कुण्डस' बाहर आबएबला अछि, जे नीचा दिस जाइत अछि मुदा ई एकर अन्त नहि अछि। आब ओ जानबर प्रगट होएत, त' संसारके सबलोक आश्चर्यचकित होएत। ओसब एहन लोकसब अछि जेकर सबहक नाम सृष्टिके पहिने जीवनके पुस्तकमे नहि लिखल अछि।9एकरा बुझएलेल लोकसबके बुद्धियार जकां सोंचबाक आवश्यकता अछि: जाहि पशुपर ओ स्त्री बैसल अछि ओकर सातटा सिर अछि। ई सिर ओहि शहरके सात पहाड़सबके प्रतीक अछि, जाहिके ओ स्त्री प्रतिनिधित्व करैत अछि। ओसब सात शासकके सेहो प्रतीक अछि।10ओहि शासकमेस' पांचटाके मृत्यु भ' गेल अछि। एकटा एखनो जीवित अछि। सातम शासक एखन धरि नहि आएल अछि। जं ओ आओत त', कनिके समयके लेल के रहत।11जे पशु पहिने छल आ ओ बादमे जीवित नहि रहल, ओ आठम शासक होएत। ओ वास्तवमे ओहि सातो शासकसबमेस' एक अछि, मुदा परमेश्वर ओकरा अवश्य नाश क' देथिन।12दस सींग जे अहाँ देखने छी, ओसब दस शासकके देखबैत अछि जेसब एखन धरि शासन नहि कएने अछि। ओकरासबके जानबरके संग शासक करबाक अधिकार प्राप्त होएतै, मुदा ओ कनिके समय धरि शासन करत, जेना बुझाइ जे मानू एक घण्टालेल रहैक। 13ओ दस शासकसब एके काज करएमे सहमत भ' जाएत। ओ जानबर लोकसबपर शासन करबाक अपन अधिकार द' देतैक।14शासक आ पशु बलि-भेंड़ाके विरुद्ध युद्ध करत। ओ ओकरासबके हरा देथिन किएकत' ओ प्रभु यीशु छथि जे प्रभुसबके प्रभु आ राजासबके उपर राज करएबला राजा छथि। जे लोक हुनकासंगे अछि, हुनकासबके परमेश्वर चुनने छथि आ अपनालग बजौने छथि, जे भक्तिके संग हुनकर सेवा करैत छथि आ ईसब विश्वासयोग्य छथि।”15फेरु स्वर्गदूत हमरा कहलनि, “जे पानि अहाँ शहरमे देखने छलहुं, जाहिपर ओ वेश्या बैसल छलीह, ओ विभिन्न जातिसब आ विभिन्न भाषासबके प्रतीक अछि।16दस सींग जे अहाँ देखने छलहुं ओसब शासकसबके प्रतीक अछि। ओसब आ जानबर वेश्यास' घृणा करत। एहिलेल जे किछु एहि शहरमे अछि से ओसब किछु ल' जाएत, जेना केओ एकरा नंगटे छोड़ि देने होइक। ओसब एकरा एनाक नाश करत जेना मासु खा' रहल अछि, ओसब एकरा पुरे जरा देत।17ओसब एना एहिलेल करत किएकत' परमेश्वर ओकरासबके अपन मनके इच्छा पूरा करएबाक निर्णय लेबएलेल विवश क' देने छथि। एकर परिणाम ई होएत जे ओसब जानबरके शासन करबाक लेल अपन शक्ति काजमे लेबए देत जाधरि जे ओ बात पूरा नहि भ' जाइक जे परमेश्वर कहने छथि।18जे वेश्या अहाँ देखने छिऐ ओ एकदम दुष्ट शहरके प्रतिनिधित्व करैत अछि जेकरा अगुवा पृथ्वीके राजासबपर शासन करैत अछि।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67