Revelation18
1एहि सब घटना भेलाके बाद, हम एकटा आओर स्वर्गदूतके स्वर्गस' उतरैत देखलहुं जिनकालग पैघ अधिकार छलनि। हुनकर तेज प्रकाशस' पृथ्वी प्रकाशमय भ' गेल।2ओ जोरस' बजैत कहलनि, “परमेश्वर ओहि दुष्ट शहर बेबिलोनके साफे साफ नाश करएबला छथि। आ एकर परिणाम ई होएत जे ओतए सब दुष्टात्मासबके अड्डा होएत आ सब अशुद्ध आ घृणित चिड़ै आ घृणित जानबरसब ओतए रहतैक। बेबिलोन एकटा वेश्या सन अछि 3किएकत' जेकरासंग सब लोकसब अनैतिक शारीरिक सम्बन्ध एहि उत्साहमे बनबैत छल, जेना ओ बड्ड दाखरस पीबि लेने होइक। हं, आ पृथ्वीपर शासन करएबला राजासब सेहो ओकरासंगे एहने कएलनि। ओ संसारके धनीक व्यापारी बनि गेलीह किएकत' ओ आओर बेसी व्यभिचार करए चाहैत छलीह।” 4हम यीशुके स्वर्गस' बजैत सुनलहुं, “यौ हमर लोकसब, बेबिलोनस' भागि जाउ जे अहाँ ओकरासब जेहन पाप नहि करी। यदि अहाँसब पाप करब त' हम अहाँसबके ओहने सात प्रकारके दण्ड देब, जेना हम ओकरासबके देब जा' रहल छी। 5ई एना अछि जे ओकरासबके पापक ढेरी स्वर्ग धरि ठेक गेल अछि आ परमेश्वर ओकर पापपूर्ण दुष्ट काजसबके मनमे रखने छथि, एहिलेल ओ ओकरासबके दण्ड देथिन।” 6परमेश्वर बेबिलोनके दण्ड देबाक लेल जाहि स्वर्गदूतके चुनलथि, हुनका यीशु कहलथि, “ओहि शहरके लोकसबके ओतबे हानि करब, जतेक ओसब आन लोकसबके हानि कएने अछि। जतेक ओ लोकसब आन लोकसबके दुख देने अछि, ओहिके दोबर दुख ओकरासबके देबै। 7एकटा स्त्री सन, बेबिलोन जाहि सीमा धरि स्वयंके बड़ाइ कएलक आ ओ जे करए चाहलक ओएह कएलक, ओहि सीमा धरि ओकरो सताएब आ दुख देब। एहिना करु किएकत' ओ अपना मनमे सोंचने छल, ‘हम रानी जकां शासन करैत छी! हम कोनो विधवा नहि छी, आ कहियो विधवा जकां शोक नहि करब!’8एहिलेल एके दिनमे, भयानक विपत्तिसब ओकरापर अओतैक। ओहि शहरके लोकसब मरतैक, आन लोकसब ओकरालेल शोक करत, लोकसब भूखल रहत किएकत' किछु भोजन नहि रहतैक, आ शहर जरि जएतैक। प्रभु परमेश्वर ओकरा न्याय करएमे समर्थ छथि किएकत' ओ सामर्थी छथि।” 9पृथ्वीके राजा जे ओकरासंगे अनैतिक काज कएने अछि आ ओकरासंगे ओहे कएलक जे ओ करए चाहैत छलीह, जं ओसब ओहि शहरके जरैत काल आगिके धुआं देखत, तखन ओसब कानत आ ओकरालेल शोक करत। 10ओसब बेबिलोनस' दूर ठाढ़ होएत किएकत' ओकरासबके डर होएत जे ओकरोसबके कष्ट भोगए पड़ैक। ओसब कहत, “एहि मजगूत शहर बेबिलोनके लेल कतेक भयानक बात अछि, आ परमेश्वर ओकरा एहन झटकास' दण्ड द' रहल छथि!” 11पृथ्वीके व्यापारीसब कानत आ ओकरालेल शोक करत, किएकत' ओहिमेस' केओ कहियो ओ वस्तुसब नहि किन सकत जे ओ बेचैत छल।12ओ लोकसब सोना, चानी, बहुमूल्य पत्थल आ मोतीस' बनल गहना बेचैत अछि। ओसब महग मलमलके वस्त्र, बैगनी वस्त्र जेकरा गाढ़ लाल रंगमे रंगल गेल अछि सेहो बेचैत अछि। ओसब सब प्रकारके दुर्लभ काठ, हाथी दांत, महग काठ, पितरि, लोहा आ संगमरमरस' बनल सब प्रकारके समान बेचैत अछि। ओसब धूप, दालचीनी, मसल्लासब, इत्र, सुगन्धित द्रव्य, दाखरस, जैतूनके तेल, मैदा आ गहुम बेचैत अछि। ओसब बच्छासब, भेंड़ा, घोड़ा आ रथसब सेहो बेचैत अछि। ओसब आदमीसबके शरीर आ प्राणके सेहो दासके रुपमे बेचैत अछि।14ओसब चिचिआक' कहत जे प्राणके अभिलाषाके नीक-नीक वस्तु आ पाकल फल तोंसब चाहैत छह ओसब समाप्त भ' गेल अछि! तोरासबके ऐश्वर्य आ वैभव सब सर्वनाश भ' गेल अछि! ओसब सबके लेल समाप्त भ' गेल अछि!15जे व्यापारीसब एहि वस्तुसबके बेचक' धनीक भ' गेल रहए, ओसब दूर ठाढ़ होएत आ ओसब भयभीत भ' जाएत किएकत' जेना ओ शहर यातना भोगैत अछि ओहिना ओहोसब यातना भोगत। ओसब कानत आ शोकमे डुबत,16ओसब कहत, “ओहि महान शहरमे जे भयानक बातसब भेल अछि! ई शहर एकटा स्त्री सन अछि, जे नीक आ महग कपड़ा, रंगीन बैगनी आ मलमलके लाल रंगके वस्त्र पहिरैत छलीह, आ सोनाके गहनासब आ बहुमूल्य पत्थलसब आ मोतीसब पहिरक' विभूषित छलीह।17मुदा परमेश्वर अचानक बिना विलम्ब कएने एहि महग वस्तुसबके नाश क' देलनि। हरेक जहाजके कप्तान, जहाजस' यात्रा करएबला सबलोक, सबटा नाव चलाबएबला, आ आन सबगोटे जे समुद्रमे यात्रा करैत अपन जीवनके लेल कमाइ करैत अछि, ओसब ओहि शहरस' दूर ठाढ़ होएत।”18जं ओसब ओहि आगिके धुआंक देखत जे ओहि शहरस' उपर उठि रहल अछि, त' ओसब एना बजैत चिचिआओत, “ओहि महान शहर सन आओर कोनो शहर नहि छल!” 19ओसब ई देखाबएलेल अपन मूड़ीमे गरदा धरत जे ओसब उदास अछि, आ ओसब चिचिआइत, आ ओसब कानत, आ शोक करत। ओसब कहत, “बेबिलोनमे भयानक घटना भेल अछि। ई शहर बहुते लोकके धनीक बना देलक, जेकरालग जहाज रहैक आ ओसब अपन महग समानसब बेचएलेल समुद्रके यात्रा कएने रहैक। परमेश्वर अचानक ओहि शहरके नाश क' देने छथि!” 20फेरु स्वर्गस' कोनो व्यक्ति कहैत अछि, “अहाँसब जे स्वर्गमे रहैत छी, जे बेबिलोन शहरसंगे भेल अछि, ओहिपर आनन्द मनाउ! अहाँसब जे परमेश्वरके पवित्र लोकसब छी, जाहिमे प्रेरितसब आ प्रवक्तासब सेहो छथि, आनन्द मनाउ। अहाँसबके आनन्दित होएबाक चाही; परमेश्वर लोकसबके उचित न्याय कएने छथि किएकत' ओ लोकसब अहाँसबके संगे दुष्ट व्यवहार कएने रहैक!”21फेरु एकटा शक्तिशाली स्वर्गदूत जांतक चक्की सन नमहर एकटा चट्टान उठएलक, आ ओ एहि समुद्रमे फेक देलक। तखन ओ जोरस' कहलनि, “तोंसब जे बेबिलोनके विशाल शहरमे रहैत छह, परमेश्वर तोरासबके शहरके ओहिना फेक देथिन, आ ओ ओहिना गायब भ' जाएत, जेना ई चट्टान समुद्रमे गायब भ' गेल अछि! तोरासबके शहर सदाके लेल समाप्त भ' जएतैक! 22तोरासबके शहरमे, फेरु कहियो एहन केओ नहि होएतौक जे वीणा बजौनिहार वीणा बजाबए, आ गीत गाबए, बौसली बजाबएबला, वा बिगुल फुकए। आब ओतए किछु बनाबएबला कोनो कारीगर नहि रहत। जंतामे केओ कोनो अनाज नहि पिसतैक। 23ओत फेरु डिबिया बरैत नहि देखाइ देतैक। ओतए वर कनियांसबके आनन्दके आवाज नहि सुनाइ देत। परमेश्वर तोरासबके शहरके नाश क' देथिन, किएकत' तोहर व्यापारीसब संसारके सबस' महत्वपूर्ण व्यक्ति छलहुं। तोंसब तन्त्र-मन्त्र क' क' सब जाति समूहके धोखा देने रहए। 24तों सब प्रवक्तासबके आ परमेश्वरक पवित्र लोकसबके हत्या क लेल सेहो जिम्मेवार छे। सांच्चे, तोंसब पृथ्वीपर कएल गेल प्रत्येक हत्याके दोषी छे!”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.