Revelation16
1तखन, दर्शनमे हम केकरो सभाघरमेस' जोरस' बात करैत सुनलहुं, ओहि सात स्वर्गदूतसब संगे बात कएलनि, जिनकालग एक-एकटा कटोरा रहैक। ओ कहलनि, “एतस' जाउ आ सातो कटोरासबके दाखरस पृथ्वीपर उझलि दिऔ। एहिस' लोकसबके कष्ट होएतै, किएकत' परमेश्वर ओकरासबस' क्रोधित छथि।”2एहिलेल पहिने स्वर्गदूत अपन कटोरामे जे रहैक से पृथ्वीपर उझलि देलकनि। ओहिके कारण ओ लोकसब जे जानबरके दाससबके अपना उपर ओकर चेन्ह लिखए देने रहैक आ ओकरा मूर्तिके पूजा कएने रहैक, ओकरासबके शरीरमे भयानक आ दुखदायी फोंका निकलत।3तखन दोसर स्वर्गदूत समुद्र पर ओहि दाखरसके उझलि देलकनि जे हुनक कटोरामे रहैक। जं ओ अपन कटोरा उझलि देलनि, त' पानि लेहूमे बदलि गेलैक, मुदा ओहि लेहूमे जीवन नहि छल। ई कोनो मरल व्यक्तिके लेहू सन छल, आ महासागरमे रहनिहार प्राणीसबके मृत्यु भ' गेल।4फेरु तेसर स्वर्गदूत नदीसब आ पानिक झरनासबपर ओ उझलि देलक जे हुनक कटोरामे रहैक। जं ओ अपन कटोरा उझलि देलनि, त' नदीसब आ झरनासबके पानि लेहूमे बदलि गेल।5हम ओहि स्वर्गदूतके सुनलहुं जिनका पानिपर शक्ति देल गेल छल, ओ परमेश्वरके कहैत अछि, “हे परमेश्वर, अपने जीवित छी आ सर्वदा जीविते रहब। अहीं एकमात्र पवित्र छी। अहाँ लोकसबके निष्पक्ष न्यायाधीश छिऐ।6जे लोक अहाँके विरुद्ध विद्रोह करैत अछि, ओ अहाँके पवित्र लोकसबके आ प्रवक्तासबके हत्या करैत अछि, ओकरासबके अहाँ एहिलेल पीबाक लेल लेहू द' क' दण्ड द' रहल छी। ओसब एहिके योग्य अछि।”7तखन हम वेदीपर जोरस' केकरो ई कहैत सुनलहुं, “हं, हे प्रभु परमेश्वर सर्वशक्तिमान, अहाँ जे सब पर राज करैत छी, अहाँ लोकसबके सत्य आ न्यायसंगत ढंगस दण्ड दैत छिऐ।” 8तखन चारिम स्वर्गदूत अपन कटोरामे जे छल से सूर्य पर उझलि देलनि। ओहिस' सूर्य एतेक गरम भ' गेल जे लोकसबके ओ झरका दिए।9लोकसब गम्भीर रुपस' झरैक गेल, आ यद्यपि परमेश्वर लग लोकसबके पीड़ित करबाक एहन अधिकार रहथि, ओसब हुनका विषयमे निन्दापूर्ण बातसब बाजल। मुदा ओसब एखनो अपन दुष्ट व्यवहारसबस' पश्चाताप करब अस्वीकार क' देलक आ परमेश्वरके प्रशंसा करएस' अस्वीकार क' देलक।10जं पांचम स्वर्गदूत अपन कटोरा ओहि जानबरके सिंहासनपर उझलि देलकनि, त' ओतए अन्हार भ' गेल जत ओ जानबर शासन कएने रहैक। एहिलेल जानबर आ जाहि लोकसबपर जानबर शासन कएने रहैक, ओसब अपन जिउ दांतस' काटए लागल किएकत' ओकरासबके पीड़ा सहएस' बाहर रहैक। 11ओसब ओहि परमेश्वरके अपमान कएलक जे स्वर्गमे शासन करैत छथि किएकत' ओकरासबके घाव बड्ड पीड़ा द' रहल रहथि। मुदा ओसब अपन दुष्ट काजसबस' पश्चाताप करब अस्वीकार क' देलक।12तखन छठम स्वर्गदूत अपन कटोराके फरात नामक महानदीमे उझलि देलक। नदीके पानि सुखि गेल जाहिस' जे पूर्वी देशके शासक अपन सेनासबके संग ओहिके पार क' सकैक। 13तखन हम दुष्टात्मासबके देखलहुं जे बेंगसन देखाइ दैत छल। एकटा अजगरके मुंहस', एकटा जानबरके मुंहस' आ एकटा झुट्ठा प्रवक्ताके मुंहस' निकलल।14ओ दुष्टात्मासब चमत्कार करएमे सक्षम रहैक। ओसब अपन सेनासबके जमा करबाक लेल सारा संसारके शासकलग चलि गेल। एना एहिलेल भेल जे ओसब ओहि न्यायके महत्वपूर्ण दिन युद्ध करत जहिया सर्वशक्तिमान परमेश्वर अपन शत्रुसबके दण्ड देथिन।15हम प्रभु यीशुके ई कहैत सुनलहुं, “अहाँके हमर बात ध्यानस' सुनबाक चाही: हम चोरके आगमन जकां अचानक कखनो आबि रहल छी। एहिलेल हम ओहि लोकसबस' प्रसन्न रहब जे सचेत रहैत अछि आ उचित जीवन जिऐत अछि जे ओकरा लाज नहि होइक। ओ एहन लोकसब होएत जे अपन कपड़ा पहिरने रहैत अछि जे आन लोकसबके आगु नहि लजाइक।”16ओ दुष्टात्मासब शासकसबके ओहि ठाम जमा करत जेकरा इब्रानी भाषामे हर-मगिदोन कहैत अछि।17तखन सातम स्वर्गदूत अपन कटोरा हवामे उझलि देलनि। जेकर परिणाम ई भेल जे केओ परम पवित्र स्थानस' सिंहासन लगस' जोरस' एना कहलकनि, “परमेश्वरके विद्रोही लोकसबके दण्ड देबएके समय समाप्त भ' गेल अछि।”18जं स्वर्गदूत अपन कटोरा खाली क' देलक, तखन ठनका ठनकैत रहए, ओत मेघके गर्जनके आवाज आबि रहल छल, आ पृथ्वीपर बड्ड भारी भूकम्प गेल। जहियास' मनुष्य पृथ्वीपर रहए लागल तहियास' ओतेक शक्तिशाली भूकम्प कहियो नहि गेल रहैक। 19जेकर परिणाम ई भेल जे ओ बेबिलोनके विशाल शहर तीन भागमे विभाजित भ' गेल। परमेश्वर आन जातिसबके शहरसबके सेहो नाश क' देलथिन। परमेश्वर बिसरल नहि छलथि जे बेबिलोनके लोकसब बेसी पाप कएने छल। एहिलेल ओ ओकरासबके दाखरसके कटोरा पियाक पीड़ित क' देलथिन किएकत' परमेश्वर ओकरासबसंगे क्रोधित रहथि।20भूकम्पके कारण, हरेक द्वीप बिला गेल, आ पहाड़ समतल जमीन बनि गेल।21लोकसबके उपर आकाशस' बड़का-बड़का पत्थल खसल जेकर वजन पचास किलो छल। फेरु लोकसब परमेश्वरके निन्दा कएलक किएकत' ओ ओकरासबके एहन भयानक दण्ड देने रहथि, किएकत' ओ पत्थल बड्ड नमहर नमहर रहैक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.