फिलेमोन1
1हम पौलुस, आब यीशु मसीहक सेवा करबाक कारणे जहलमे छी। हम एत अपन संगी-विश्वासी तिमुथियुसक संग छी। हे फिलेमोन, अहाँके हम ई पत्र लिख रहल छी। अहाँसब सेहो सुसमाचारके काजमे सहकर्मी अछि, आ हमसब अहाँसबस' प्रेम करैत छी। 2हम इहो लिखैत छी जे अपनासबके संगी-विश्वासी बहिन अपफिया आ अरखिप्पुस के, जे हमरासबहक संग एकटा सिपाही जकां छथि जहिना मसीहक सेवा करैत छथि। आ हम ईसब सेहो लिखैत छी ओहि विश्वासीसबके समूह जे अहाँक घरमे संगति करैत छथि।3हम प्रार्थना करैत छी जे हमर पिता परमेश्वर आ हमर प्रभु यीशु मसीह अहाँसबपर दया करैत रहथि आ अहाँसबके शान्ति प्रदान करथि।4जखन हम प्रार्थना करैत छी, फिलेमोन, हम अहाँक लेल अपन परमेश्वरके सदिखन धन्यवाद दैत छी,5किएकत' लोकसब हमरा कहैत अछि जे अहाँ प्रभु यीशुपर कतेक भरोसा करैत छी आ हुनका आ परमेश्वरक पवित्र लोकस' कतेक प्रेम करैत छी।6हम इहो प्रार्थना करैत छी जे जहिना अहाँसब मसीहपर विश्वासमे जे सहभागिता अछि, तहिना हमसब हुनकापर विश्वास करैत छी, तहिना अहाँसब ओहि सब नीक काजके बेसी नीक जकां बुझब जे मसीह हुनकर सेवाक लेल हमरा देने अछि।7हे हमर प्रिय भाइ, अहाँ हमरा बहुत नीक जकां आनन्दित कएलहुं आ हमरा बहुत तरोताजा कएलहुं। कारण, अहाँ परमेश्वरक पवित्र लोकसबके गहन प्रेम क' क' प्रोत्साहित करैत रहलहुं।8तएं अहाँसब परमेश्वरक पवित्र लोकसबस' प्रेम करैत छी, आ हम मसीहक प्रेरित छी, ताहिके लेल हमरा विश्वास अछि जे मसीह हमरा अहाँसबके जे करबाक चाही से करबाक आज्ञा देबाक अनुमति देथिन।9मुदा अहाँसबके आज्ञा देबाक बदला, किएकत' हमसब एक-दोसरस' प्रेम करैत छी, हम, पौलुस, जे बूढ़ छी आ एखन जहलमे छी कारण हम मसीह यीशुके सेवा करैत छी, मात्र एकटा आग्रह करब। की अहाँसब एना करु।10हम अहाँसबस' निहोरा करैत छी जे उनेसिमुसक लेल किछु करु। जहियास' हम हुनका एत मसीहक विषयमे कहलिएनि जहलमे ओ हमरालेल बेटा जकां भ' गेल छथि।11पहिने ओ अहाँके लेल बेकार छलाह, मुदा एहि समयमे ओ अहाँ आ हमरा दुनूके लेल उपयोगी छथि!12ओ हमरालेल बहुत प्रिय छथि, मुदा हम हुनका अहाँ लग वापस पठा रहल छी।13हम चाहैत छलहुं जे हुनका एत' अपने संग राखि लिअ जाहिस' ओ अहाँके जगहपर हमर सेवा क' सकए, खास क' क' जखन मसीहक विषयमे सुसमाचार प्रचार करबाक कारण हम एखन धरि जहलमे छी।14तथापि, हम हुनका अहाँ लग पठा रहल छी किएकत' अहाँ हमरा ई नहि कहलहुं जे हम हुनका एत' राखि सकैत छी। हम चाहैत छी जे अहाँ हमर भला करु किएकत' अहाँ हमर भला करए चाहैत छी, आ एहिलेल नहि जे हम अहाँके हमर भला करए लेल मजबूर कएने छी।15भ' सकैत अछि जे एहि छोट समयमे अहाँस' अलग रहबाक अनुमति परमेश्वर उनेसिमुसके द' देलथिन जाहिस' एकटा विश्वासी जकां ओ अहाँसबलग घुरिक' अहाँसबहक संग अनन्तकालके लेल रहथि।16एहन एहिलेल अछि जे उनेसिमुस आब दास जकां नहि अछि, बल्कि दासस' बेसी अछि। कारण आब अहाँ हुनका एकटा संगी-विश्वासीके रुपमे प्रेम क' सकैत छी! ओ हमरालेल बहुत प्रिय छथि, मुदा निश्चितरुपस' ओ अहाँक लेल आओर प्रिय छथि। एकर कारण अछि की आब दासके रुपमे मात्रे नहि, मुदा शरीर आ प्रभुके दुनूमे प्रिय अछि।17तएं जं अहाँ हमरा अपन संगी मानैत छी जे काज परमेश्वर हमरासबके सोंपलनि अछि, तखन ओनेसिमस के अपन घरमे ओहिना स्वागत करु जेना अहाँ हमरा स्वागत करब।18मुदा जं ओ अहाँसबस' किछु छिन लेने अछि, किछु हानि कएने अछि वा जं ओकरापर अहाँके कोनो ऋण भेल अछि त' हम अहाँसबके चुका देब।19हम पौलुस अहाँसबके अपन हाथस' लिख रहल छी जे, हम अहाँके जे किछु ऋणी अछि से चुका देब। हमरा विश्वास अछि जे हमरा ई मोन पाड़बाक आवश्यकता नहि अछि जे अहाँ हमर अपन प्राणके ऋणी छी ओनेसिमसक ऋण स' बेसी, कारण परमेश्वर अहाँक जान बचा लेलनि जखन हम अहाँके मसीहक विषयमे कहलहुं।20हं, यौ हमर प्रिय भाइसब, हम जे कहैत छी से कहि रहल छी। हम चाहैत छी जे अहाँ हमरालेल सेहो एहने करु कारण जे प्रभु अहाँसबहक लेल कएलनि। हमरा एकटा आओर कारण दिअ जे हमसब खुश रहब जे हम दुनूगोटे मसीहमे एकजुट छी।21जखन हम अहाँके ई पत्र लिख रहल छी त' हमरा विश्वास अछि जे अहाँसब जे आग्रह क' रहल छी से करब। असलमे हमरा बुझल अछि जे हम जे काज कहि रहल छी ताहिस' बेसी नीक काज करब।22जखन अहाँ ओ काज करब जे हम अहाँसबस' आग्रह क' रहल छी तखन हम अहाँस' इहो आग्रह करैत छी जे हमरा अपन घरमे एगो कोठली हमरालेल तैयारी करु। कारण अहाँ हमरालेल प्रार्थना क' रहल छी, हम पूरा विश्वासस' आशा करैत छी जे परमेश्वर हमरा जहलस' छुटकारा पएबाक अनुमति देथिन आ अहाँलग आबि सकब।23एपाफ्रास, जे यीशु मसीहक सेवा करबाक कारणे हमरासंग जहलमे कष्ट भोगि रहल छी, प्रणाम करैत छथि।24एहि ठामक हमर सहकर्मी मरकुस, अरिस्तर्खुस, देमास आ लूका सेहो अहाँसबके प्रणाम करैत छथि।25हम प्रार्थना करैत छी जे अपनासबके प्रभु यीशु मसीह अहाँ सबकेओके आत्मापर अनुग्रह करैत रहथि। आमीन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.