इब्रानी1

1बहुते वर्ष पहिने परमेश्वर अपनासबके पूर्वजसबसंगे कनि-कनि आ अनेक प्रकारस'' अपन प्रवक्तासबके माध्यमस' बतिआएल रहथि,2मुदा एहि अन्तिम दिनके शुरुआत कालमे परमेश्वर अपनासबसंगे ओहि पुत्रक माध्यमस' बात कएलनि, जेकरा ओ सबहे वस्तुसबके उत्तराधिकारी नियुक्त कएलनि, आ ओकरे माध्यमस' ओ युगो-युगक रचना करबएलथि ,3ओ परमेश्वरके पुत्र, यीशुके महिमाक तेज आ परमेश्वरके अस्तित्वके यथार्थ प्रतिरुप छथि, आ अपन सामर्थ्यके वचनद्वारा सब वस्तुसबके सम्हारने रहैत छथि आ पापसबके शुद्ध क' क' उपर स्वर्गमे महा महिमित परमेश्वरके दहिना कातमे विराजमान भेलथि। 4पुत्र यीशु स्वर्गदूतसबस' बढ़िक' श्रेष्ठ एहिलेल ठहरलथि किएकत' हिनका हुनकोस' पैघ नाम विरासतमे भेटल छन्हि।5किएकत' कोनो स्वर्गदूतके कहियो एना नहि कहलनि, “अहाँ हमर पुत्र छी। आइ हम अहाँके जन्म देने छी?” वा फेरु एहन कहलनि जे हम हुनक पिता होएबनि, आ ओ हमरालेल पुत्रवत होएताह? 6मुदा फेरु, जखन ओ ओहि प्रथम जनमल पुत्रके जगतमे लएलन्हि, त' ओ आदेश दैत कहैत अछि, “आ परमेश्वरक सब स्वर्गदूत हुनका दण्डवत करथिन।” 7आ एक दिस, स्वर्गदूतसबके विषयमे, परमेश्वर कहैत छथि, “परमेश्वर अपन स्वर्गदूतसबके आत्मा , आ अपन सेवकसबके आगिक ज्वाला बनबैत छथि।” 8मुदा दोसर दिस, पुत्रके विषयमे ओ कहैत छथि, “हे परमेश्वर, अपनेके सिंहासन सदा-सर्वदा बनल रहत, आ अहाँ अपन लोकसबपर धार्मिकता आ न्यायके राजदण्डस' राज करब।9अहाँ धार्मिकतास' प्रेम रखलहुं आ अधर्मस' बैर। एहि कारणे परमेश्वर, अर्थात् अपनेके परमेश्वर, हर्षक तेलस' अहाँक संगी-साथीसबस' बेसी अहींके अभिषेक कएने छथि।” 10आ हे प्रभु, अपनहि शुरुमे पृथ्वीक नओ रखलहुं, आ स्वर्ग अपनेके हाथके कारीगरी अछि। 11ओ स्वयं त' नाश भइए जाएत, मुदा अपने बनल रहबे करब, आ ओसब कोनो वस्त्र जकां नाश भ' जाएत,12आ अपने ओकरा चदरि जकां लपेटि देब, आ ओसब कोनो वस्त्र जकां पुरना भ' जाएत, मुदा अहाँ त' ओएह छी, आ अपनेके जीवनके वर्ष कहियो नहि समाप्त होएत। 13परन्च स्वर्गदूतसबमेस' किनकोस' ओ कहिया एहन कहलनि जे हमर दहिना भागमे बैसि, जाधरि जे हम तोहर शत्रुसबके अहाँक पांवदान बना दी? 14की ओ सब स्वर्गदूत परमेश्वरके सेवा टहल करएबला ओएह आत्मा नहि अछि जे उद्धार पाबएबलासबके सेवा करबाक लेल पठाओल जाइत अछि? 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67