Titus3

1तीतुस, अपन मण्डलीके लोकसबके ई स्मरण करा दिअ जे ओ शासक आ अधिकारीसबके अधीन रहथि, हुनकर आज्ञा मानथि आ सब नीक काजक लेल तैयार रहथि।2ओसब केकरो अपमानजनक बात नहि कहथि आ नहि लोकस' बहस करथि। सबहक संग कोमल व्यवहार करबाक चाही आ ओकरा अपनेस' बेसी महत्वपूर्ण बुझबाक चाही।3अपनासबके स्मरण करबाक चाही जे मसीहमे आबएस' पहिने, एक समय रहए जहिया अपनोसब अनाज्ञाकारी लोकसब रहिऐ आ एहि सबटा बातस' असहमत छलहुं। हमरा अपन इच्छा आओर भोग-विलासके इच्छा हमरा गलत दिशा दिस ल' गेल छल आओर हम हुनकर सेवा एना करी रहल छलहुं जेना हम हुनकर दास होए। हमसब एक-दोसरस' लगातार ईर्ष्या करैत छलहुं आ अधलाह काज करैत छलहुं। हमसब लोकके आ लोकसब हमरासबके घृणा करैत रहए।4मुदा जखन परमेश्वर हमरासबके उद्धारकर्ता ई देखएलनि जे ओ हमरासबके बचाबएलेल दयापूर्वक काज क' रहल छथि, कारण ओ हमरासबस' प्रेम करैत छथि,5ओ परमेश्वर हमरासबके भितरस' धर्मी काज कएलनि, हमरासबके नव जन्म देलनि आ पवित्र आत्माद्वारा हमरासबके नव बनाक' उद्धार कएलनि। ओ हमरासबके एहिलेल नहि बचा लेलनि जे हमसब नीक काज करैत छी, बल्कि एहिलेल जे ओ कृपालु छथि।6जखन यीशु मसीह हमरासबके उद्धार कएलनि तखन परमेश्वर हमरासबके अपन पवित्र आत्मा उदारतापूर्वक देलनि। 7परमेश्वर एहि वरदानक द्वारा ई घोषणा कएलनि जे हुनकर अनुग्रहस' हमसब धर्मी भ' गेल छी। ओ हमरासबके अपन पवित्र आत्मा देलनि जाहिस' हमसब प्रभु यीशुके जे सब वस्तु दैत अछि, खास क' हुनकासंग अनन्त जीवनमे आशा लगा सकी।8ई एकटा एहन कथन अछि जेकरापर भरोसा कएल जा सकैत अछि। हम चाहैत छी जे अहाँसब एहि सबटा बातपर लगातार जोर दैत रही जाहिस' जे परमेश्वरपर भरोसा करैत छथि ओ सदैव नीक काज करबामे अपनेके समर्पित क' सकथि आ दोसरक मदति क' सकथि। ईसब वस्तुसबके लेल नीक आ लाभदायक अछि।9मुदा मूर्खतापूर्ण विवाद, यहूदी पूर्वजक सूचीके विषयमे बहस आ यहूदी नियमक विषयमे बहस आ विवाद स' दूर रहू। एहन चर्चा बेकार अछि आ कोनो तरहें अहाँक मदति नहि करैत अछि।10जं अहाँ एक-दू बेर चेतओलाक बादो लोक एहि विभाजनकारी काजमे भाग लेबाक जिद्द करैत छथि, तखन हुनकासबहक संग कोनो संगति नहि करु,11किएकत' अहाँसब जनैत छी जे एहन लोकसब सत्यस' भटकि गेल छथि। पाप क' रहल छथि आ अपनेके दोषी ठहरा रहल छथि।12जखन हम अहाँसबके अपन संगी अरतिमास वा तुखिकुसके पठबैत छी त' निकुपुलिस नगरमे हमरालग आबि जएबाक पूरा प्रयास करु, किएकत' हम जाड़क लेल ओतहि रहबाक निर्णय कएने छी।13अहाँसब जे किछु क' सकैत छी, जेनास वकीलके दोसर संगी-विश्वासी अपुल्लोसके यात्रासंगे पठएबाक लेल करु। ई सबटा करु, हुनकासबके जे वस्तु चाही से।14ई सुनिश्चित करु जे अपनासबके विश्वासीके सेहो ओहिना स्वयंके फलदायी जीवन जिअए। जं ओसब ई काज करैत छथि त' ओसब परमेश्वरक लेल उपयोगी तरीकास' जीबि रहल छथि।15तीतुस, जे सब हमरासंग छथि, अहाँके प्रणाम करैत छथि। ओतएके हमर मित्रसबके नमस्कार करु जे हमरासबके विश्वासीके रुपमे प्रेम करैत छथि। परमेश्वरके अनुग्रह अहाँ सबगोटेपर रहए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67