Numbers16
1एकदिन यिसहारके पुत्र कोरह आ लेवीके पुत्र कहातक कुलक दातान आ अबीरामके संग षड्यन्त्र रचलक जे एलीआब आ पेलेतके पुत्र ओन छल। ओसब रूबेन कुलक छल।2ओ चारु आदमी इजराएली लोकक बीचमे 250 अगुवासब आओर लोकके उकसौलक जे ओ हुनकासबहक संग मूसाक विरोधमे ठाढ़ भ' गेल।3ओसब हारून आ मूसाक विरोध करबाक लेल एकठाम जमा भेल। ओसब हुनकासबके कहलनि, “अहाँ दुनूगोटे जतेक अधिकारके प्रयोग करबाक चाही ताहिस बेसी अधिकारके प्रयोग क' रहल छी! यहोवा हमरासब इजराएली लोकके अलग क' देने छनि आ ओ हमरासबहक संग छनि। तखन अहाँ किएक एहन काज करैत छी जेना अहाँ हमरासबहक बांकी लोकसब स बेसी महत्वपूर्ण छी जे यहोवाक छी?”4मूसा ओकरासबहक बात सुनिक' जमीनपर मुंहे भरे गिर पड़लनि।5तखन ओ कोरह आ ओकर कोरहक संग रहनिहारसबके कहलनि, “काल्हि भोरे यहोवा हमरासबके देखओतह जे ओ केकरा पुजारीक लेल चुनने अछि आ के पवित्र अछि आ हुनकालग आबए के अनुमति अछि। यहोवा खाली ओएह आदमीक' अपन आगु आबए के अनुमति देतैए, जेकरा ओ चुनने छनि।6तएं कोरह, काल्हि अहाँ आ अहाँक संग रहनिहारसब धूप जरएबाक लेल अपन धूपदानी तैयार करु।7तखन अहाँ ओहिमे आगि जराक' यहोवाक आगु धूप जराउ। तखन हमसब देखब जे यहोवा हमरासबमे स केकरा अपन पवित्र सेवक बनएबाक लेल चुनने छथि। ई अहाँसब लेवीके कुल छी जे अहाँसबके जतेक अधिकारके प्रयोग करबाक चाही ताहिस बेसी अधिकारके प्रयोग करबाक प्रयासमे लागल छी!”8तखन मूसा फेरु कोरह स बात कएलनि। ओ कहलनि, “आब यौ लेवीसब, हमर बात सुनू!9अहाँसब जनैत छी जे इजराएलके परमेश्वर यहोवा अहाँसब लेवीसबके इजराएलक समुदायमे स चुनने छथि जाहिस अहाँसब हुनकालेल हुनकर पवित्र तम्बूमे काज क' सकब आ लोकसबके सेवा क' सकब। की अहाँके ई काज अहाँके लेल मजाक लगैत अछि?10यहोवा अहाँ कोराह आ अहाँक संगी लेवी कुलके अपने लग अनने छथि। आबि की अहाँसब सेहो पुजारी बनबाक मांगक' रहल छी?11सांचोमे यहोवा छथि जिनका विरोध अहाँ आ अहाँक संगी लेवी कुलसब कुडबुडा रहल छी। हारून ओ नहि अछि जिनका विषयमे अहाँ सचमुच उपराग द' रहल छी।”12तखन मूसा एलीआबके सन्तान दातान आ अबीरामके बजओलक, मुदा ओसब आबए स मनाक' देलक। ओसब सन्देश पठौलक जे, “हमसब अहाँ लग नहि आएब!13अहाँ हमरासबके मिस्र स बाहर अनलहुं, जे बहुत उपजाउ भूमि छल, जाहिस हमरासबके एत' एहि मरुभूमिमे मर लेल लओने छली। जे गलत छल। मुदा आब अहाँ हमरासबपर अधिकार करबाक कोशिस क' रहल छी, आ से आओर गलत अछि।14अहाँ हमरासबके रहबाक लेल हिस्साके रुपमे कोनो नव फलिगर आ उब्जाउ देश नहि देलिऐ, जाहि देशमे नीक खेत आ अंगूरक बगिचा अछि। अहाँसब मात्र एहि लोकसबके आन्हर बनएबाक कोशिस क' रहल छी। तएं हमसब अहाँ लग नहि आएब।”15तखन मूसा बहुत क्रोधित भ' गेल। ओ यहोवास' प्रार्थना कएलनि, “ओसब जे अन्नबलि अनने अछि, ओहिके' स्वीकार नहि करु। हम ओकरासबस किछु नहि लेने छी, एकटा गदहा सेहो नहि लेने छी, आ कहियो हुनकासबहक संग कोनो अधलाह काज नहि कएने छी, तएं ओकरासबके हमरा विरोधी करबाक कोनो कारण नहि अछि।”16तखन मूसा कोरहके कहलक, “अहाँ आ अहाँक संग जे सब अछि ओसब काल्हि एत' आबिक' यहोवाक आगु ठाढ़ रहू। हारून सेहो एत' रहताह।17अहाँ आ अहाँसबहक संग रहनिहारसब 250 आदमीसब एक-एकटा धूपदानी ल' क' धूप जराउ आ ओहिमे धूप राखिक' यहोवाक बलिदानक रुपमे जराब' पड़त। हारून सेहो एहए काज करत।”18ओहिस' प्रत्येक गोटेके धूप जरएबाक लेल एकटा धूपदानी देल गेल। ओसब ओहिके जरएबाक लेल धूप आ गरम कोइला राखि आगि लगा देलक, तखन ओसब हारून आ मूसाक संग पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर ठाढ़ भ' गेल।19तखन कोरह ओहि लोकसबके बजा लेलक जे ओकरा पक्षमे आ मूसाक विरोधमे छल, आ ओसब सेहो तम्बूक प्रवेशद्वारपर जमा भ' गेल। तखन यहोवाक महिमा सबपर प्रगट भेलनि।20यहोवा हारून आ मूसाके कहलनि,21“एहि लोकसबस' दूर भ' जाउ, जाहिस' हम तुरन्त ओकरासबके भस्म क' सकी!”22मुदा हारून आ मूसा जमीनपर पसरि गेल। ओसब यहोवा स विनती करए लागल जे, “यहोवा, अहाँक' ई लोकसबके जीबित अछि। एहिमे स एकगोटे मात्र पाप कएने अछि। तखन, की एक आदमीक' लेल सब लोकपर क्रोधित होएनाइ उचित अछि?” 23यहोवा मूसास' कहलनि,24“ठीक छै, मुदा लोकसबके कहिऔ जे कोरह, दातान आ अबीरामके तम्बू स दूर भ' जाउ।”25तखन मूसा ठाढ़ भ' गेल आ दातान आ अबीरामके तम्बू लग गेल। इजराएली मुखियासब हुनकर पाछु-पाछु गेल।26ओ लोकसबके कहलनि, “एहि दुष्ट सबहक तम्बू स दूर भ' जाउ आ ओकरासबहक कोनो चिजबिज के हाथ नहि लगाउ! जं कोनो चीजके छुएब त' ओकरासबहक पापक कारणे अहाँ मरि जाएब!”27तखन सब लोक कोरह, दातान आ अबीरामक तम्बू स दूर भ' गेल। दातान आ अबीराम अपन पत्नी आ परिवार आ बालबच्चा सहित अपन तम्बू स बाहर निकलि प्रवेशद्वारपर ठाढ़ भ' गेल।28तखन मूसा कहलनि, “हम ईसब काज करबाक निर्णय नहि कएलहुं। ई यहोवा छलाह जे हमरा चुनलनि आ हमरासब काज करबाक लेल पठौलनि। आ आबि ओहि अहाँके से साबित करत।29जं ई आदमी सामान्य तरीका स मरत त' ई स्पष्ट भ' जाएत जे यहोवा हमरा नहि पठौने छथि।30मुदा जं यहोवा एहन काज करैत छथि जे पहिने कहियो नहि भेल छल, जं ओ हुनकासबहक पएरक निचाके जमीन फाटि क' ई आदमी आ एकर सब परिवार आ एकर सब सम्पत्ति सहित जिबिते ओहि खदिया मे समा जाएत, तखन अहाँसबके बुझब जे ई लोकसब यहोवाक अपमान कएलनि अछि।”31मूसा ई बात कहितै देर ओहि लोकसबके नीचा धरती फाटि गेल।32ओ आदमीसब आ ओकरासबहक परिवार आ ओकरासब आदमीसब ओहिमे समा गेल जे कोरहक संग ठाढ़ छल आ ओकर सम्पत्तिसब सेहो।33ओसब जीविते धरतीक फाटल दरारि मे गिरि पड़ल आ ओकरासबहक सम्पत्ति सेहो ओहि दरारि मे खसि पड़ल। ओकरासबहक धरती गींर गेल, आ जमीन फेरु स उपरस' मुनाए गेल।34गिरैत काल इजराएलीसब चिचिआ उठल आ लगमे ठाढ़ सब लोक ओकरासबहक चिचियाहटि सुनलक। लोकसब डर आ भय स' भयभीत भ' दौड़ैत-दौड़ैत चिचिआ उठल, “हमसब नहि चाहैत छी जे जमीन हमरासबके सेहो गींर जाए!”35तखन यहोवाक आगि आकाश स उतरि धूप जरा रहल 250 आदमीके जरा देलक।36तखन यहोवा मूसाके कहलनि,37“हारूनके पुत्र एलीआजरके कहि दिऔ जे ओहि धूपदानीमे स' धूप निकालिक' आ जरैत कोइला के छिड़िया दिअ। ओ लोकसब जे धूपदानी ल' क' जा रहल छल से पवित्र अछि, कारण ओहिमे हमरालेल धूप जरबैत छल।38ओ लोकसब आब अपन पापक कारणे मरि गेल। तएं एलीआजरके ओकरा लोकनिक धूपदानी ल' क' के हथौरी स पिट पिटक' ओहिके पातर बनाबि। ओहि स वेदीके लेल ढकनी बनाएब। ओहि धूपदानी क' उपयोग हमरा धूप चढ़ाबए लेल होइत छल, तएं ओसब पवित्र अछि। ओहि धूपदानी सबहक जे भेलै से आब इजराएली लोकसबके चेताओल जाएबला चेन्ह होएत।”39तखन एलीआजर पुजारी धूप जरएबाक लेल जे 250 धूपदानी जमा कएलनि जे आगिमे मरि गेल लोकसबके उपयोग कएल गेल छल। ओ धूपदानी सबके बहुत पातर हथौरी मारिक' वेदीके लेल ढकनी बनौलनि, जेना यहोवा मूसाद्वारा एलीआजरके कहने छलाह जे करबाक चाही। एहिस इजराएलीसबके चेताओल गेल जे हारूनके वंशजसबके मात्र यहोवाक बलिदानक रुपमे धूप जरएबाक अनुमति छलनि। जं केओ आन एहन काज करतनि त' ओकरासंगे सेहो ओहिना होइत जेना कोरह आ ओकरासंगे रहनिहार सबहक संग भेल।41मुदा दोसर दिन भोरे सब इजराएली लोक हारून आ मूसाके उपराग करए लागल जे, “अहाँसब यहोवाक बहुते लोकके मारि देलहुं!”42जखन सब लोक हारून आ मूसाक काजक विरोध करबाक लेल एकत्रित भेल त' ओसब पवित्र तम्बू दिस तकलनि आ देखलक जे पवित्र बादल ओकरा झांपि देने अछि आ यहोवाक महिमा प्रगट भ' गेल अछि।43हारून आ मूसा जा क' पवित्र तम्बूक सामने ठाढ़ भ' गेलाह।44तखन यहोवा मूसाके कहलनि,45“एहि इजराएलीसबके समुदायस' दूर भ' जाउ, जाहिस' हम अहाँ दुनूगोटेके हानि नहि क' क' तुरन्त ओकरासब स मारि सकी!” मुदा हारून आ मूसा पीड़ास' जमीनपर पसरिक' निहोरिया कएलनि।46मूसा हारूनके कहलनि, “जल्दी स दोसर धूपदानी ल' क' ओहिमे वेदीपर स किछु जरैत कोइला राखू। धूपदानीमे धूप राखू, लोकक पापक प्रायश्चित करबाक लेल लोकक बीचमे ल' जाउ। यहोवा हुनकासबपर बहुत क्रोधित छथि, आ हम जनैत छी जे हुनकासबहक बीच एकटा भयंकर विपत्ति शुरु भ' गेल अछि।”47तएं हारून मूसा जे कहने छलाह से कएलनि। ओ लोकक बीचमे जरैत धूप ल' गेल। लोकसबपर महामारी पहिनेस आबि गेल छल, मुदा हारून लोकक पापक प्रायश्चित करबाक लेल धूप जरबैत रहलाह।48हारून अपन जरैत धूपके संग ओहि लोकक बीच क्रोधके शान्त जकां, मध्यस्थक रुपमे ठाढ़ छलाह जे पहिनेसं मरि चुकल छलनि आ जे एखनो जीवित छलनि, तखन महामारी रुकि गेल।49कोरहके विद्रोहमे कोरहक संग मरि गेल लोकक अतिरिक्त 14, 700 लोक ओहि विपत्ति स मरि गेल छल। 50तखन विपत्ति समाप्त भेलाक बाद हारून आ मूसा पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर वापस आबि गेलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.