Numbers17

1तेकरबाद, यहोवा मूसाके आओर आगु कहलनि,2“इजराएली लोकसबके कहि दिअ जे अहाँसबहक समक्ष बारहटा लाठी आनि दिअ। बारह कुलक एक-एकटा अगुवा लेल एक-एकटा आनथि। अहाँसब प्रत्येक अगुवासबके नाम ओकर लाठीपर लिखब।3प्रत्येक कुलक अगुवाके लेल एक-एकटा लाठी होएबाक चाही, तएं अहाँसब लेवीके वंशके लेल लाठीपर हारूनके नाम लिखब।4ओहि लाठीसबके पवित्र तम्बूक भीतर राखि दिऔ, ओहि गवाहीके सन्दूकके आगुमे राखि दिऔ जाहिमे ओ पाटी अछि जाहिपर दस आज्ञा लिखल अछि। ओ जगह अछि जत हम अहाँस' सदिखन बातचित करैत छी।5तब, जेकरा हम पुजारीक रुपमे चुनने छी, ओकर लाठीपर फुल्ली अंकुरित अंखुवाएत भेल। आ ओ इजराएलीसब देखत त' अहाँपर लगातार उपराग करएके छोड़ि देत किएक त' ओकरा बुझा जाएत जे हम हुनका चुनने छी।”6तखन मूसा लोकसबके यहोवाके बात कहलनि। तखन हारून सहित प्रत्येक कुलस' एक-एकगोटे जम्मा बारह इजराएली अगुवासब अपन लाठी मूसालग अनलनि।7मूसा ओहि लाठीसबके यहोवाके पवित्र तम्बूक भीतर गवाहीके सन्दूकके आगुमे राखि देलनि।8दोसर दिन भोरे जखन मूसा तम्बूमे गवाहीके सन्दूक लग गेलाह त' देखलनि जे हारूनके लाठी जे लेवीके कुलक प्रतिनिधित्व करैत छल, अंकुरित अंखुवा भ' गेल अछि। एहिमे पत्ता आ फूल निकलल छल, आ बदाम सेहो निकलल छल जे पाकल छल!9मूसा यहोवाके पवित्र तम्बूमेस' सबटा लाठी निकालि इजराएलीसबके देखौलनि। बारहो अगुवासबमेस प्रत्येक अपन अपन लाठी वापस ल' लेलक।
10तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “हारूनके लाठी गवाहीके सन्दूकके आगुमे राखि दिऔ आ ओतहि सदिखन रहए दिऔ। जे हमरास' विद्रोह करए चाहएबला लोकके चेतावनीके चेन्ह होएत। तब ओसब हमरा विरुद्ध नहि बाजत आ तब हमरापर उपराग करबाक कारणे आब लोक नहि मरत।” 11तएं मूसा यहोवाक आज्ञाक पालन कएलनि।12तखन इजराएली लोक मूसाके कहलनि, “हमसब मरि जाएब! हमसब अवश्य मरएबला छी!13जे केओ यहोवाक पवित्र तम्बूक लग अबैत अछि, से मरि जाइत अछि। बांकी सब सेहो मरि जाएब अछि?”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67