Numbers15

1तखन यहोवा मूसाके आओर आगु कहलनि,2“इजराएली लोकसबस' कहिऔ, ‘अहाँसब ओहि देशमे पहुंचलाके बाद जे हम अहाँसबके देब जा रहल छी,3अहाँ हमरा एहन विशेष चौढ़ाना चढ़ाउ जे हमरा नीक लागत जखन पुजारी वेदीपर जरा देताह। किछु एहन चौढ़ाना जे होमबलिके भ' सकैत अछि। किछु प्रतिज्ञा बलि लेल भ' सकैत अछि। किछु राजिखुसी बलि भ' सकैत अछि। किछु पावनि निर्धारीत के बलि भ' सकैत अछि। ई चौढ़ाना अहाँक मालजालके हेंड़स' आ अहाँक भेंड़-बकरीक हेंड़स' लेल जा सकैत अछि।4जखन अहाँ ईसब बलिदान चढ़ाएब त' हमरालग लगभग एक लीटर जैतूनक तेल मिलाओल लगभग एक किलो मेही आंटाके आंटाबलि आनब।5जखन अहाँसब भेंड़के बच्चा आ बकरीके होमबलिके रुपमे चढ़बैत छी, आ जखन अहाँसब भेंड़के बच्चाक बलिमे चढ़बैत छी तखन एक लीटर दाखमद्य तैयार करु जेकर उपयोग अर्घ बलिमे कएल जाएत।6जखन अहाँ भेंड़ बलि चढ़बैत छी त' लगभग एक-चौथाइ लीटर जैतूनक तेल मिलाक' लगभग तीन आ चारि-पांच लीटर मेही पीसल आंटा सेहो आनब।7वेदीपर लगभग पांचम भाग लीटर दाखमद्य सेहो ढारि दिऔ। जखन ओसब जराओल जाएत त ओकर सुगन्ध हमरा आने यहोवाके बहुत नीक आ खुश करएबला होएत।8जं अहाँसब होमबलिके रुपमे बच्छाके चढ़ाएब। जं अहाँसब प्रतिज्ञा बलिदान चढ़ाएब। जं अहाँ हमरा आने यहोवाके लेल मेलबलि चढ़ाएब।9जखन अहाँ ई बच्छाके बलिसब चढ़बैत छी त' लगभग साढ़े छह लीटर मेही पीसल आंटा मे लगभग दू लीटर जैतूनक तेल मिलाक' अन्नबलिके रुपमे चढ़ाउ।10अर्घ-बलिदानक लेल दू लीटर दाखमद्य सेहो वेदीपर ढारि दिऔ। जखन ओ बलि जरबैत अछि त' सुगन्ध हमरा आने यहोवाके बहुत नीक लगैत अछि आ खुश क' दैत अछि।11जखन केओ बलिदानक लेल सांढ़ आ भेंड़ आ नर मेमना आ छागर बलि चढ़बैत अछि त' ओहिना करबाक चाही।12अहाँसब जे कोनो पशु हमरालग बलिदानक लेल अनैत छी, त' अहाँसबके ई निर्देशक पालन करबाक चाही।13अहाँ इजराएलीसब जे जीवनभरि, जखन अहाँसब एहन बलिदान चढ़बैत छी जे वेदीपर जराओल जाएत तखन हमरा नीक लागत।14जं कोनो परदेशी अहाँसबहक आगमन आ अहाँसबहक बीच रहए चाहैत अछि आ ओसब एहन बलिदान आनए चाहैत अछि जे वेदीपर जराओल गेलापर हमरा नीक लागत, त' ओकरासबके ई निर्देशक पालन करबाक चाही।15हम मानैत छी जे जे सब सदिखन इजराएली अछि आ जे परदेशी अछि, ओसब बरोबरि अछि, आ तएं हुनकासबके एकहि निर्देशक पालन करबाक चाही। अहाँक सब कुलक सेहो हमर आने यहोवाके एहि निर्देशक पालन करैत रहबाक चाही।16अहाँ इजराएली आ अहाँसबहक बीच रहनिहार परदेशीसब एकहि आज्ञाक पालन करु।’”17यहोवा आओर आगु मूसाके कहलनि,18“ई निर्देश इजराएली लोकसबके कहि दिऔ जे, ‘जखन अहाँसब ओतहि पहुंचब जाहि देशमे हम अहाँसबके ल' जा रहल छी,19आ अहाँसब ओहि ठाम जे फसल उपजबैत अछि से अहाँसबके दैत छी, तेकरा खा लेब, ओहिमे स किछुके हमरालेल पवित्र बलिदान बनएबाक लेल अलग राखिक' हमरालग भेंटके रुपमे आनब।20सब साल खरिहानमे जे पहिन अनाज कुटला के बाद जमा करब ताहिमे स किछु अलग राखू। जे पहिन आंटा पिसब ताहिमे स एक रोटी सेकि क' हमरा आगु पवित्र चढ़ौनाक रुपमे आनू।21प्रत्येक साल अहाँ आ अहाँक वंशजसब एक रोटी बनबैत रहू जे अहाँ जे अनाज काटि लैत छी, ओहिमे स आंटा स पकाओल रोटी हमरा भेट करैत रहू।22एहन समय भ' सकैत अछि जखन अहाँ इजराएलीसब एहिसब निर्देशक पालन नहि करैत छी जे हम, यहोवा मूसाके अहाँसबके कहबाकलेल देने छी, मुदा एहिलेल नहि जे अहाँसब ओकर आज्ञा नहि मानबाक सोंच रखने रही।23एहन समय भ' सकैत अछि जखन अहाँक वंशजमे स किछु लोक एहिसब निर्देशक पालन नहि करत जे हम, यहोवा मूसाके अहाँसबके कहबाकलेल देने छी।24जं अहाँ आ ओसब एहि निर्देशन सबहक पालन नहि क' क' पाप करैत छी आ इजराएली समुदायके लोकसबमेस' केओ ई नहि बुझति छी जे ओसब एहन काज क' रहल अछि त' सब लोकक लेल बलिदानक रुपमे एकटा बच्छा पुजारीलग आनब आवश्यक अछि। जे हमरा तखन नीक लागत जखन वेदीपर जराओल जाएत। ओकरासबके हमरालग आंटाके बलिदान आ अर्घ-बलिक बलिदान आ एकटा छागर सेहो आनए पड़त जे ओकरासबहक पापक अपराधके दूर करबाक लेल पापबलि बलिदान कएल जाएत।25ई बलिदान चढ़ाक' पुजारी अहाँसब इजराएली समुदायके लोकक प्रायश्चित करत। तखन ओसब हमरालग वेदीपर जरएबाक लेल बलिदान अनबाक परिणाम स्वरुप अहाँसबके क्षमा कएल जाएत, कारण अहाँसब पाप कएलहुं, बिना ई बुझने जे अहाँ पाप क' रहल छी, तेकरालेल अहाँ पापबलि अनने छी।26अहाँ इजराएली समुदायके लोक आ अहाँसबहक बीच रहनिहार परदेशीसबके क्षमा कएल जाएत।27जं कोनो आदमी बिना ई बुझने पाप करैत अछि जे ओ पाप क' रहल अछि, त' ओ आदमी हमरालग एकटा पाठीके बलि देबाक चाही जे ओहि आदमीक ओहि पापक दोषके दूर करबाक लेल पापबलि बनए।28ओहि आदमीक पापक दोष दूर करबाक लेल पुजारी ओकरालेल प्रायश्चितके बलिदानक रुपमे यहोवाके समक्ष चढ़ौताह आ ओहि आदमीके क्षमा कएल जाएत।29अहाँ इजराएली आ अहाँसबहक बीच रहनिहारसब परदेशी लोकसब एहि आज्ञा सबहक पालन करु।30मुदा जे सब जानि बुझिक' हमर आज्ञाक अवहेलना करैत अछि, इजराएली आ अहाँसबहक बीच रहनिहार परदेशीसब, हमरासंग एहन काज क' क' पाप करैत अछि। तएं ओकरासबके अहाँसब अपन शिबिरस बाहरक' देब।31ओसब हमर आने यहोवाके आज्ञाके तिरस्कार क' क' जानि बुझिक' ओ आज्ञा नहि मानलक, तएं ओकरासबके अपन पापक सजाए भेटबाक चाही जे ओकरासबके फेरु कहियो अहाँसबहक बीच नहि रहए देल जाएत।’”32एकदिन जखन इजराएलीसब जंगलमे छल, किछुगोटे एकटा आदमीके देखलक जे विश्राम-दिनमे लकड़ी जमाक' रहल छल।33जे सब हुनका एहन काज करैत देखलनि, हुनका हारून आ मूसा आ बांकी इजराएली समुदायके लोकसबके लग पहुंचा देलक।34ओसब ओकर सावधानीपूर्वक पहरा दैत रहल, किएक त' ओकरासबके ई नहि बुझल छल जे ओकरा कोना करबाइ करबाक चाही।35तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “ओहि आदमीके मारि देल जएबाक चाही। अहाँसब ओकरा समुदायस' बाहर पत्थल फेकक' मारि दिअ।”36ओसब ओहि आदमीके समुदायस' बाहर ल' गेल आ ओकरापर पत्थल फेकक' मारि देलक, जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह।37यहोवा मूसाके आओर आगु कहलनि,38“इजराएली लोकके ई बात कहि दिऔ जे, ‘अहाँ आ अहाँक सब वंशज सारा जीवनभरि कपड़ाक नीचका छोर मे नील रंगके फीता लगाक' ओहिमे झुमका लगा दिऔ।39ओहि झुमका क' देख अहाँसबहक हमर आने यहोवाके देल गेल आज्ञा सबहक स्मरण आबए जखन अहाँसब ताल-पता देखब त' अहाँसबके हम जे सब निर्देश देने छलहुं से मोन राखब आ अहाँसब ओकर पालन करब की अहाँसबके ओहि आज्ञा सबहक पालन करबाक अछि आ अहाँसब हमरास मुंह नहि मोड़ब आ अपन पापी इच्छा आ लालसा पूरा करब।40ओहि लटकल झुमका देख अहाँसबके मोन रहत जे अहाँसबके हमर, अहाँसबके यहोवाके आज्ञासबके पालन करबाक अछि आ अहाँसबके हमर पवित्र लोक बनल रहबाक अछि।41ई नहि बिसरब जे हम यहोवा, अहाँक यहोवा छी। हम ही छी जे अहाँसबके मिस्र देश स बाहर अनने छी जाहिस अहाँसब हमर बनि गेल छी। हम यहोवा, अहाँक' यहोवा छी।’”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67