Nehemiah2
1हम चारि महिना धरि एहिना प्रार्थना कएली। तखन एकदिन, निसानके महिनामे, अर्तक्षत्रके राज्यके बिसम बर्षमे, किछु एहन घटना घटल। जखन दाखमद्य परस' के बेर भेलै, त हम ओहिमेस' किछु ल' लेली आ राजाके द' देलिऐ आ हम हुनका सोझा पहिने कहियो उदास नहि देखाएल रहिऐ।2राजाके आगु केओ उदास नहि देखाए दितै। मुदा ओ देखलनि जे हम उदास रही। तएं ओ हमरा पुछलनि, “अहाँ उदास किएक छी? हम बताबि सकैत छी जे अहाँ बिमारो नहि छी। अहाँ कोनो बातके ल' क' अप्रसन्न होएब।” एहिस' हम बहुते डेरा गेली। 3हम राजाके उत्तर देलिऐ, यौ महाराजाधिराज! हम आशा करैत छी जे राजा बहुत दिन धरि जीवित रहथि। हमरा दुख अछि, मुदा उदास रहल बिना नहि रहि सकैत छी। हम एहिलेल उदास छी जे यरूशलेम शहर, जत' हमर पूर्वजसब दफनाओल गेल छल, ओ उजाड़ पड़ल अछि। दुश्मनसब ओहि नगरके फाटकसब डाहि देने अछि।4राजा हमरा उत्तर देलनि, “हम अहाँके लेल की करु से अहाँ चाहैत छी?” हुनका उत्तर देबएस' पहिने, हम ओहि परमेश्वरस' मनेमन प्रार्थना कएली, जे स्वर्गमे विराजमान छथि।5तखन हम राजाके उत्तर देलिऐ, यदि राजाके ई विचार नीक लागए, आ राजा हमरास' प्रसन्न छथि त' हमरा यहूदाके यरूशलेममे जाएके आज्ञा होअए। हम चाहैत छी जे अहाँके दास ओहि शहरके पुनर्निर्माण करएमे अपन लोकके सहायता करए, जत हमर पूर्वजसब दफनाओल गेल अछि।6हम निफिकिर भ' क' बजैत रही, किएक त' ई निजी भोजन रहैक, राजाके पजरामे रानी सेहो संगे बैसल रहए। राजा हमरा पुछलनि, “अहाँ कहिया धरि यात्रामे रहब?” हम हुनका कहलिऐ, “जहियाधरि हमरा यात्रा करएके आज्ञा भेटैक।” ई हुनका स्वीकार रहनि, आ ओ हमरा जाएके अनुमति देलथिन। तखन हम हुनका कहलिऐ जे हम कहिया जाए चाहैत छली।7हम राजास' इहो कहलिऐ, “जं अपनेके नीक बूझाए, त' हमरा फरात नदीके ओहिपारके राज्यपालसबके लेल एकटा पत्र लिख देल जाओ जे ओसब हमरा हुनक प्रान्तस' होइत यहूदा प्रान्त जाएलेल रस्ता देथि।”8संगहि आसापके सेहो एकटा पत्र लिख देल जाओ, “अपनेके राजकीय जंगलके देखभाल करएबला व्यक्ति मन्दिर लगके किलाक फाटक बनाबएलेल लकड़ी उपलब्ध करा देथि। संगहि शहरके देवाल आ जाहि घरमे हम रहब ओकरोलेल लकड़ी देब' लेल कहिदेल जाओ।” परमेश्वर हमरासंग छलथि आ सहायता सेहो क' रहल छलथि, तएं राजा हमर बातपर सहमती भ' गेलनि।9जखन हम यहूदाके यात्रापर निकलली, त' राजा घोड़सवार किछु सैनिक आ सैन्य अधिकारीके सेहो संगे पठा देलनि। जखन हम फरात नदीस' दूर पहुंचली, त' हम हुनक राज्यपाल लग गेली। हम हुनका ओ पत्र देखएली जे हमरा राजा देने रहथि। एकरबाद राज्यपाल हमरा जाएलेल सुरक्षित बाट सेहो बतौलनि।10जेकरा हम अपन पत्र देखएली ओहि लोकसबमेस' एकगोटे रहए बेथ होरोनी सम्बल्लत। ओ यहूदाके एकदम लगक क्षेत्र सामरियाके राज्यपाल रहए ओ आ ओकर सहायक अधिकारी अम्मोनी तोबियाह, बहुत बेसी परेशान भ' गेलै जखन ओकरा बुझएमे अएलनि जे केओ इजराएलीसबके मदति करएलेल आएल अछि। ओ यहूदाके फेरुस' मजगूत होइत नहि देखए चाहैत रहए, किएक त' सामरियाके लेल खतरा बनि सकैत छल।11मुदा ओकरासबके विरोध होइतो, हम यरूशलेम नीक जकां पहुंच गेली। हम ओत' तीन दिन धरि रहली,12हम ई सरेआम नहि कहलिऐ जे परमेश्वर हमरा यरूशलेमके लेल की कर' अगुवाइ द' रहल छथि। हम चुपेचापे रातिमे शहरके देबालसबके निरीक्षण करएलेल उठिक' गेली। हम अपनासंगे किछु लोकके ल' क' आएल रही। जाहिस' हम चुपेचापे काज क' सकी, हम अपनासंगे ओहि गदहा लएने रही जाहिपर हम चढ़िक' आएल रही।13ओहि राति, हम तराईके समतल भू-भाग द' क' अजगर कुंवा होइत फोहर फाटक धरि गेली। हम यरूशलेमके देवालके सावधानीपूर्वक निरीक्षण कएली। हम बहुत ध्यान द' क' तोड़ल गेल देवाल आ जराओल गेल लकड़ीके केबारके देखली, जेकरा हमर शत्रुसब तोड़ि देने रहए।14फेरु हम कुंवाबला फाटक आ राजाके कुण्ड लग आबि गेली। ओ बाट एतेक ने सकेत रहैक जे जाहि गदहापर हम सबार रही से ओहि दने बाहर नहि निकलि सकैत छल।15एहि तरहे हम किद्रोनके नालीके रास्तामे चलैत रहली, राति रहैक तइयो ओत' स' हम देवाल देखएमे सक्षम रही आ ओकर स्थिति देखली। ई रस्ता हमरासबके ओतहि घुमाक' ल' आएल जत' स' हम शुरु कएने रही। हम तराईके फाटक दने शहरमे ढुकली आ हम केकरो भेट कएने बिना घर घुरि गेली।16शहरके अधिकारी नहि जनैत रहैक जे हम कत' गेल रही अथवा हम की क' रहल छली। तखनो धरि हम संगी यहूदीसब, पुजारीसब, शहरके प्रमुख लोकसब, अथवा शहरके अधिकारीसबस' एहि विषयमे किछु नहि कहने रहिऐ। हम केकरोस' ओहि काजके सम्बन्धमे सम्पर्क नहि कएने रहिऐ जे देवाल पुनर्निर्माण होएबाक अछि।17मुदा आब हम हुनकासबके कहलिऐ, “अहाँ देख रहल छी जे हम केहन विकट स्थितिमे छी। अहाँ त' देखिए रहल छी जे यरूशलेम उजड़ल पड़ल अछि, आ हमर शत्रुसब ओकर फाटकसबके जड़ा देने अछि। अपनासबके एहिके विषयमे किछु करए पड़त! हम अहाँसबके चुनौती दैत छी यरूशलेमके देवालके पुनर्निर्माणमे हमरासंगे जुटू। तखन हमरासबके हीनतावोध नहि होएत।”18तखन हम ओकरासबके इहो कहलिऐ जे कोना परमेश्वर हमरासंगे छथि आ हमरा मदतिक' रहल छथि। हम ओकरासबके इहो कहलिऐ जे कोना राजा हमरा आबएके अनुमति देने छलथि। जखन ओसब ई सुनलनि, ओसब कहलनि, “आउ, अपना सबकेओ चलू, आ निर्माणकार्य आरम्भ करी।” एक-दोसरके प्रोत्साहित कएलनि आ स्वयंके एहिके लेल समर्पित कएलनि।19जं होरोनी सम्बल्लत, ओकर सहायक अम्मोनी तोबियाह नामके शहरके अधिकारी, आ अरबी गेशेम सुनलक जे हमसब यरूशलेमके शहरके देवाल फेरुस' बनाबएके आरम्भ क' देने छिऐ। त' ओसब हमरासबके हंसी उड़एलक। ओसब कहलक, “जे तोंसब क' रहल छे ओहिस' किछु ने हुअबला छौ! मुदा तोरासबके राजाके विरुद्ध एहन विद्रोह नहि करबाक चाही।”20मुदा हम ओकरासबके दृढ़तास' जबाब देलिऐ। हम कहलिऐ, “स्वर्गमे विराजमान परमेश्वरे ओ छथि जे एहि परियोजनाके पूरा करएमे सक्षम करताह। हमसब हुनके चुनल लोक छी। हमसब पुनर्निर्माण शुरु करए जा रहल छी। मुदा यरूशलेमके सम्पतिमे अहाँसबके कोनो अधिकार नहि अछि, आ एत' के परम्परामे अहाँसबके कोनो फांट नहि अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.