Nehemiah3

1ईसब ओकरेसबके नाम अछि जे यरूशलेम नगरके चारुभर देवालके फेरुस' बनाबएमे मदति कएलनि। प्रधान पुजारी एल्याशीब आ ओकर संगी पुजारीसब भेंड़ा नामक फाटकके फेरुस' बनाएब आरम्भ कएलनि। ओसब सौंसे देवाल प्रतीकात्मक रुपमे समर्पित करबाक लेल एहि फाटकके परमेश्वरके समर्पित कएलनि। फेरु ओसब भेंड़ नामक फाटकके दरबाजा पुरनके ठाममे ठाढ़ कएलनि। ओसब सयटा सैनिकसबके गुम्मट धरि आ ओहूस' आगु हननेलके गुम्मट धरिके देवालके फेरुस' बनौलनि। फेरु ओसब देवालके ओहि भागके सेहो एगो देवालके रुपमे परमेश्वरके समर्पित क' देलनि।2ओहूस' आगु यरीहोके लोकसब देवालके दोसर भाग फेरुस' बनएलक।
ओहिस' आगु इम्रीके बेटा जक्कूर देवालके एक भाग फेरुस' बनएलक।
3हस्सनाके बेटासब माछ नामक फाटके फेरुस' बनएलक। ओसब काठके धरैन ठाढ़ कएलनि, ओसब दरबज्जाके पहुनके ठाममे ठाढ़ कएलनि, आ ओसब एकर पल्ला कंड़ीसबके फाटकमे ताला लगाबएलेल लगएलनि।
4एकरबाद, ऊरिय्याहके बेटा आ हक्कोसके पोता मरेमोत देवालके एक भागके मरम्मत कएलनि।
ओकर पजरामे मशेजबेलके पोता, बेरेक्याहके बेटा मशुल्लाम देवालके एक भागके मरम्मत कएलनि।
ओहिस' आगु बानाके बेटा सादोक देवालके एक भागके मरम्मत कएलकैक।
5ओकर बगलमे, तकोईके किछु लोकसब देवालके एकटा हिस्सा मरम्मत कएलनि। मुदा तकोआके अगुवा लोकसबके ओहि काजके करएमे सहायता करएस' मना कएलक यहूदाके अगुवासब ओकरासबके ई काज करएलेल कहने रहनि।6पासेहके बेटा योयादा आ बसोदयाहके बेटा मशुल्लाम पुरना फाटकके मरम्मत कएलनि। ओसब एकर कंड़ी लकड़ीके ढांचाके संगे ठाढ़ कएलनि, ओसब एकर दरबज्जाके पहुनके ठाममे राखि देलनि, आ ओहि दरबज्जामे पर ताला लगाबए लेल ओकर पल्ला आ किल्लाके ठीक क' देलनि।7एकरबाद गिबोन शहरस' मलत्याह, मेरोनोती शहरस' यादोन आ गिबोन आ मिस्पा शहरस' आओर लोक देवालके एक हिस्साके मरम्मत कएलनि। फरात नदीके ओहिपारके प्रान्तके राज्यपालके सिंहासन धरि एकर मरम्मत कएलनि।8एकरबाद हर्हयाहके बेटा उज्जीएल देवालके एक हिस्सा मरम्मत कएलनि। ओ सोनाके आभूषण आ अन्य गहना बनाबएबला कारीगर रहए।
एकरबाद हनन्याह देवालके एक हिस्साके मरम्मत कएलक। इत्र बनाबएबलामे स' एकगोटे रहए। ओसब यरूशलेमके देवालके चौड़गर देवाल जकां फेरुस' बनएलक।
9तब हूरके बेटा रपायाह देवालके एक भाग ठीक कएलक। यरूशलेमके आधा जिलापर रपायाह शासन करैत रहए।10तब हरुमपके बेटा यदायाह ओकर घर लगके देवालके एक भाग मरम्मत कएलक।
ओकर बगलमे हशबन्याहके बेटा हत्तूश देवालके किछु भाग ठीक कएलक।
11हारीमके बेटा मल्किय्याह आ पहत्मोआबके बेटा हश्शूब भट्ठीके गुम्मट सहित देवालके किछु भागके मरम्मत कएलक।12एकरबाद हल्लोहेशके बेटा शल्लूम देवालके किछु भाग मरम्मत कएलक। यरूशलेम जिलाके दोसर आधा भागपर शल्लूम शासन करैत रहए। ओकर बेटीसब ओकरासंगे मरम्मतके काज करैत छलीह।13हानून आ जानोह शहरके किछु लोक घाटीके फाटकके मरम्मत कएलक। ओसब फाटकके फेरुस' बनौलक, ओकर दरबज्जासबके पुरने जगहपर राखि देलनि, आ ओकर पल्ला आ बिलैया लगाबएलेल कंड़ी सब ठीक कएलक। कूड़ा फाटक धरि पन्द्रह सय फीटके देवाल सेहो मरम्मत कएलकैक।14रेकाबके बेटा मल्किय्याह कूड़ाफाटकके ठीक कएलकैक। बेथक्केरेम जिलामे मल्किय्याह शासन करैत रहए। ओ फाटकके फेरुस' बनौलक, ओकर दरबाजा पुरने जगहपर' राखि देलनि, आ ओकर पल्ला आ दुआरिमे ताला लगएबाक लेल ठीक कएलनि15कोल्होजेके बेटा शल्लूम कुण्ड फाटक ठीक कएलकैक। शल्लूम मिस्पा जिलापर शासन करैत रहैक। ओ फाटकके फेरुस' बनौलक आ ओहिपर छत ढालि देलनि, ओहिके दरबज्जासबके ओकर पुरने ठामपर राखि देलनि, आ ओकर पल्ला आ दुआरिपर ताला लगाबएलेल सब मरम्मत कएलकैक। राजभवनके गाछ लग, शेलह नामक कुण्ड लग, दाऊदके नगरस' उतरएबला सीढ़ीधरि देवाल सेहो ठीक कएलनि। 16ताहिके बाद अजबूकके बेटा नहेम्याह दाऊदके शहरमे देवालके मरम्मत क' क' कबरके आगूधरि बनएलकै जलमार्ग आ सैन्य डेरा धरि सेहो मरम्मत कएलकैक। नहेम्याह बेतसूरके आधा जिलापर शासन करैत रहैक।17एकरबाद किछु लेवीसब देवालके किछु हिस्सा ठीक कएलकैक। ओहिमे एकटा रहूम, बानीक बेटा रहए। एकरबाद कीलाके आधा जिलामे शासन करएबला हशब्याह अपन जिलाके लोक दिसके देवालके एक हिस्साके मरम्मत कएलकैक।18सहकर्मी लेवीसब अगिला देवालके हिस्सा ठीक कएलकैक। एकरबाद हेनादादके बेटा बव्वै जे कीला जिलाके दोसर आधा हिस्सामे शासन करैत रहए, से अधिकांश देवाल मरम्मत कएलकैक।19एकरबाद येशुअके बेटा एजेर देवालके दोसर हिस्साके मरम्मत कएलकैक। एजर मिस्पा नगरपर शासन करैत रहैक। ओ सिरहीके आगु एकटा एहन ठामस' शुरु कएलक जे भंडारगृह दिस जाइत छल जत हथियारसब राखल छल, आ ओ ओहि ठाम समाप्त भेल जत देवाल कनिक नीचा घुमल छल।20एकरबाद जक्कईके बेटा बारूक बहुत उत्साहस' एकटा आओर हिस्साके मरम्मत कएलकैक जे देवाल ल' स' प्रधान पुजारी एल्याशीबके घरके दुआरिधरि छल।21तब ऊरिय्याहके बेटा मेरेमोत आ हक्कोसके पोता एल्याशीबके घरके दूआरि स' ल' क' ओहि भवनके अन्तधरि दोसर हिस्साके मरम्मत कएलकैक।22तेकरबाद यरूशलेमके लगपासक किछु पुजारीसब देवालके एक हिस्सा ठीक कएलकैक।23तेकरबाद बिन्यामीन आ हश्शूब अपन घरके आगुके एकटा हिस्साके मरम्मत कएलकैक। मासेयाहके बेटा अजर्याह आ अनन्याहके पोता अपन घर लगके अगिला हिस्साके ठीक कएलकैक।24एकरबाद हेनादादके बेटा बिन्नूई अजर्याहके घरस' नगरके देवालके मोड़ धरि एकटा आओर हिस्साके मरम्मत कएलकैक।25तेकरबाद ऊजैके बेटा पालाल एकटा हिस्साके मरम्मत कएलकैक। ओ ओहि देवालके बनाबए शुरु कएलकैक जत' पहरदारी करएबला गुम्मटस' उंच अछि जे राजा सुलेमान बनौने छलथि। ई ओहि अंगनाके लगमे अछि जत' पहरदार सब रहैत अछि। एकरबाद परोशके बेटा पदायाह एकटा हिस्साके मरम्मत कएलकैक।26ओपेल पहाड़पर रहनिहार मन्दिरके सेवकसब जल फाटकके पूर्व दिस धरि देवालके मरम्मत कएलक, जत' एकटा उंच गुम्मट अछि।27एहिसबके बाद तकोईसब ओपेल पहाड़ीके देवाल धरि पहरदारी करएबला गुम्मटके आगुके एकटा आओर भागके मरम्मत कएलकैक।28पुजारीसबके एकटा समूह घोड़ा नामके फाटकस' शुरु क' क' देवाल ठीक कएलक। ओ सबकेओ अपन घरके आगुके हिस्साके मरम्मत कएलकैक।29एहिके बाद इम्मेरके बेटा सादोक अपन घरके आगु मरम्मत करएलकै। तखन शकन्याहके बेटा शमायाह, जे पूर्वी फाटकके द्वारपाल रहए, अगिला हिस्साके मरम्मत कएलकैक।30तेकरबाद शेलेम्याहके बेटा हनन्याह आ सालापके छठम बेटा हानून दोसर हिस्साके मरम्मत कएलकैक।
ओकर बाद बेरेक्याहके बेटा मशुल्लाम ओहि कोठलीसबके आगु ओहि हिस्साके ठीक कएलकैक, जत' ओ रहैत रहैक।
31मल्किय्याह, जे सोनारीके काज करएबलामेस' एक रहैक, ओहि भवनके आगुके हिस्सा धरि मरम्मत कएलकैक जे मन्दिरके सेवक आ व्यापारीसब द्वारा उपयोग कएल जाइत रहैक। ओ भवन फाटकके आगुमे छल। ओ देवालके फेरुस' बनएलकै जत' धरि एहि भवनके पहिन कोनाके कोठली धरि रहए।32किछु आओर सोनार, किछु व्यापारीसबसंगे, कोनाके कोठलीस' ल' क' भेंड़ नामक फाटक धरि देवालके अन्तिम हिस्साके ठीक कएलकैक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67