Nehemiah1
1हम हकल्याहके बेटा नहेम्याह छी। हम एहि विवरणके लिख रहल छी। हमर कथा किसलेव महिनामे फारसके सम्राट अर्तक्षत्रक शासनके फारसी साम्राज्यपर बिसम वर्षके शुरुमे, हम राजधानी शूशन शहरमे छलहुं। 2हमर भाय हनानी यहूदा प्रान्तके किछु गोटेके संग हमरास' भेट करए आएल रहए। हम ओकरास' ओहि यहूदीसबके विषयमे पुछलिऐ जे बंधुवाइस' छुटि गेल रहए आ बहुत वर्ष पहिने यहूदामे रहि रहल छल, जखन सैनिक बहुते यहूदीसबके बाबेल जाएलेल कर लगएने छल। हम यरूशलेम शहरके की अवस्था छै ताहि सम्बन्धमे सेहो खोजविन कएलिऐ।3ओसब हमरा कहलक जे बेबिलोनी देशमे निर्वासन काटिक' आएल यहुदीसब आ यहूदाके प्रान्तमे रहि रहल सबके अवस्था बहुत गम्भीर अछि। बाबेलके सैनिकसब यरूशलेम शहरके बनाओल गेल देवालके, शहरमे ढूक' लेल तोड़ि देलक, आ ओसब सबहे दुआरिके जड़ा देलक। ओतए रहनिहार लोकसबके केओ सहयोग नहि कएने अछि।4जखन हम ई बात सुनली, त' हम बैसिक' कानए लगली। बहुते दिन धरि कनिते रहि गेली। हम खएबो नहि कएली, आ हम स्वर्गमे रहनिहार परमेश्वरस' प्रार्थना कएली।5हम प्रार्थना कएली, “हे यहोवा, अहाँ ओएह परमेश्वर छी जे स्वर्गमे विराजमान छी। अहाँ महान आ भययोग्य परमेश्वर छी। अहाँस' प्रेम करएबला आ अहाँक आज्ञाके पालन करएबला व्यक्तिके सदिखन अहाँ अपन करारके पूरा करैत छी आ ओकरापर करुणा करैत छी।6हे, हमर बातपर ध्यान दिअ आ हमर प्रार्थनाक सुनियौ। जेना हम निरन्तर अहींक चुनल गेल लोक, इजराएलके लोकलेल करैत छी। हमरा ओहि पापके स्वीकार करबाक चाही जे हम इजराएलीसब अहाँ विरुद्ध कएने छलहुं। दुनूगोटे, हम आ हमर पूर्वजसब सेहो पाप कएने छी।7हम अहाँसंगे बहुत बेसी दुष्टता कएने छी। कतेको वर्ष पहिने अहाँ अपन सेवक मूसाद्वारा हमरासबके अपन व्यवस्था देने रही। मुदा हमसब अहाँके व्यवस्थाके पालन नहि कएलहुं।8ओहि प्रतिज्ञाके स्मरण कएल जाए जेकरा अपने अपन सेवक मूसास' कएने छलहुं। ओकरा कहने छलहुं, जं हे इजराएल अहाँसब हमरासंगे विश्वासघात करब त' हम अहाँसबके अहाँके देशस' निकालि देब आ अहाँसबके दोसर जातिके बीचमे भगा देब।9मुदा जं अहाँसब फेरुस' हमर विश्वासयोग्य बनि जाएब आ हमर आज्ञाके फेरुस' मानब शुरु कर' लागब त' हम अहाँके यहूदाके अहाँके जन्मभूमिमे घुराक' ल' जाएब। इएह ओ स्थान अछि जत स' हम स्वयंके वैभवके देखाबएलेल सौंसे संसारमे स' चयन कएने छी। हम एना करबे करब किएक नहि अहाँ कतबो दूर चलि गेल होएब। 10हम त' अहींके चुनल गेल प्रजा छी, जेकरा अहाँ मिस्रके दासत्वस' मुक्त कएने रही। अहाँ एना सहजे कएलिऐ। किएक त' अपने बहुत सामर्थ्यवान् छी।11हे हमर प्रभु, हमर प्रार्थनापर आ हमर संगी इजराएलीसबके प्रार्थनापर सेहो ध्यान दिऔ। हमसब अपनेके आदर करबाक लेल उत्सुक छी। हे, एना होअए दिऔ जे राजा ओहि विनतीके लेल सहमती होथि, जेकरा हम जल्दिए राजालग विनती करएबला छी।” ओहि समयमे हम फारसके राजाके टेबुलपर दाखमद्य परसएबला एकटा महत्वपूर्ण अधिकारी रही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.