Joshua4
1जखन सारा इजराएल जातिक' आदमीसब यरदन नदीपार क' लेलक तखन यहोवा यहोशूस' कहलथिन2“प्रत्येक आदमीक' कुलस' एक-एकगोटे क' क' बारह आदमीके चुनू।3आ ओकरासबके आदेश दैत कहूं: ‘यरदन नदीक बीचोबीच पुजारीसब दृढ़तापूर्वक ठाढ़ भेल जगहस' बारहटा पत्थल ल' क' आउ, आ अहाँसब आइ राति जत' ठहरब ओहि ठाम राखि दिऔ।’”4तब यहोशू इजराएलीसबमे कुलमेस' एक-एकगोटे चुनल गेलमे स' बारह आदमीके बजएलनि।5यहोशू ओकरासबके कहलनि, “यहोवा अहाँसबहक अपन परमेश्वरक' सन्दूकक' आगु यरदन नदीक बीचोबीच जाउ आ अहाँ इजराएलीसब अपन अपन कुल अनुसार एक-एकगोटे अपन कान्हपर एक-एकटा पत्थल उठाक' लाउ।6अहाँसबहक बीचमे ई एकटा चेन्ह होए, जे जखन भविष्यमे अहाँसबहक सन्तानसब पुछत जे ई पत्थलक' अहाँसबहक लेल की अर्थ रखैत अछि?7तब अहाँसब ओकरासबके कहबनि जे यहोवाके करारक सन्दूकके आगु ‘यरदन नदीक' पानि थमि गेल छल जखन यरदन नदीपार कएलक' यरदनके पानि थमि गेल छल।’ तएं ई पत्थल इजराएलक सन्तानक सबहक बीच सदाके लेल स्मारकके रुपमे रहत।”8इजराएलीसब यहोशूके आदेश अनुसार काज कएलक, आ यहोवा यहोशूके कहने अनुसार इजराएलीके कुलके संख्या अनुसार इजराएलीसब यरदन नदीके बीचोबीच स' बारह पत्थल उठा' क' लओलक। ओसब ओहि पत्थलके बास्के लेल ठहरल जगहपर राखि देलक।9तखन यहोशू बारहटा पत्थलके ठाढ़ कएलनि, जे यरदन नदीक बीचोबीच करारक' सन्दूक बोकि चलनिहार पुजारी सबहक पएरक' नीचा उठाक' लओने छल। जे आइयो धरि ओतहि अछि।10मूसा यहोशूके अढ़ाएल अनुसार, आदमीसबके कहए लेल यहोवा यहोशूके देने आज्ञाक' सब काज पूरा नहि होए धरि सन्दूक बोकि चलएबला पुजारीसब यरदन नदीक बीचोबीच ठाढ़ छलनि। आ आदमीसब जल्दी-जल्दी पार भ' गेल।11जखन सब आदमीसब पार क' लेलक त' यहोवाक' सन्दूक आ पुजारीसब आदमीसबके सामने नदीपार क' क' ई काम समाप्त कएलनि।12मूसा ओकारा सबहक कहने अनुसार रूबेनक' सन्तानसब, गादक' सन्तानसब आ मनश्शेक' आधा कुलक' आदमीसब हथियारस सुसज्जित भ' क' इजराएलके सन्तानसबके समक्ष पार भेलनि।13लगभग चालीस हजार सैनिक युद्धके' लेल यरीहोक' मैदानमे यहोवाक' समक्ष पार भेल।14ओहि दिन सारा इजराएली सबहक नजरिमे यहोवा यहोशूके महान बनौलनि। ओसब ओकर जीवनभरि मूसा जकां यहोशूके आदर कएलक।15तब यहोवा यहोशूके कहलथिन।16“गवाहीके सन्दूक बोकि चलएबला पुजारीसबके यरदन नदीस' बाहर अएबाक लेल आज्ञा दिऔ।”17तब यहोशू पुजारीसबके आज्ञा देलनि जे, “यरदन नदीस' बाहर आउ।”18यहोवाक' करारक' सन्दूक बोकने पुजारीसब यरदन नदीक' बीचस' बाहर अएलनि आ पुजारी सबहक पएरक तरबा सुखल जमीनपर पड़िते यरदन नदीक पानि पहिने जकां अपन स्थानपर घुरि किनार पकड़िक बहए लागल।19पहिन मासक' दसम दिन आदमीसब यरदन नदीस' उपर आबि यरीहोक' पूर्व कातमे गिलगालमे डेरा खसओलक।20यरदन नदीस' लाओल गेल पत्थल यहोशू गिलगालमे ठाढ़ कएलनि।21ओ इजराएली आदमीसबस' कहलथिन, “जखन अहाँसबहक सन्तानसब अपन पूर्वजसबस' पुछत जे ‘ई पत्थल सबहक' अर्थ की अछि?’ त'22तखन अहाँसब अपन सन्तानसबके कहब, ‘इजराएलीसब यरदन नदी सुखल जमीन भ' क' पार कएने छल।’23यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबहक आगु यरदन नदीक पानि सुखा देलनि, जाधरि हमसब पार नहि भ' गेली। जेना यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर लाल समुद्रके कएलनि, जेकरा ओ हमरासबहक आगु सुखा देलनि जा' धरि हमसब पार नहि कएली।24एहि तरहे पृथ्वीक सारा आदमी यहोवाके' बांहिके पराक्रम जानि लिअए, आ अहाँसबहक बीच यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरक' भय सदाके लेल रहए।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.