Joshua5

1यरदन नदीक ओहिपार पश्चिम दिस एमोरीक राजासब आ समुद्रक कातके कनानीक राजासब, इजराएली सबहक लेल ओसब पार करएधरि यहोवा यरदन नदीक' पानि सुखा देलथिन कहिक सुनलक त' इजराएली सबहक कारण ओकारा सबहक हृदय थरथर कांपए लागल आ ओकारा सबमे इजराएली सबहक सामना करएके साहस नहि भेल।2यहोवा ओहि समयमे यहोशूके कहलथिन, “अपनालेल चकमक पत्थलक' चक्कू बना' क' एक बेर फेरु इजराएली सन्तानसबके खतना करु।”3तब यहोशू चकमक पत्थलक' चक्कू बनाक' इजराएली सबहक खतना कएलनि। 4यहोशू ओकारा सबहक खतना एहिलेल कएलनि जे सब मिस्रस' निकलल छल ओसब योद्धा मिस्रस' बाहर निकललाक बाद उजाड स्थानमे मरि गेल छल।5मिस्रस' निकलल आदमीसबके खतना भेल छल, मुदा मिस्रस' निकलैत काल बाटमे उजाड स्थानमे जनमल आदमीसबके खतना नहि भेल छल।6मिस्रस' आएल इजराएलीक' सन्तानसब नाश होए धरि चालीस वर्ष धरि उजाड स्थानमे बौआइत रहल। किएक त' इजराएलीसब यहोवाक' आज्ञा नहि मानलाक कारण यहोवा ओकरासबके ओ देश नहि देखए देथिन से शपथ खएलथिन। जे देश यहोवा ओकारा सबहक पूर्वजसबके संग प्रतिज्ञा कएने दूध आ मह बहएबला देश देथिन।7मुदा ओकारा सबहक स्थानपर ओकारा सबहक सन्तानसबके' ठाढ़ कएलनि जेकरा यहोशू खतना कएने छल, किएकत' ओसब बेखतना छल आ खतना नहि भेल छल।8ओ लोकसब खतना भेलाके बाद ठीक नहि होबए धरि अपन अपन तम्बूमे विश्राम कएलक।9यहोवा यहोशूके कहलथिन, “मिस्रके निन्दा आइ हम अहाँ उपरस' हटा देने छी।” एहिस', ओहि स्थानक' नाम आइधरि गिलगाल कहल जाइत अछि। 10इजराएलीसब गिलगालमे तम्बूमे रहलाक बाद महिनाक चौदहम दिन सांझमे यरीहोक' मैदानमे फसह पर्व मनओलक।11फसह-पर्वके दोसर दिन, ओहि दिन ओसब ओतहि उपजाएल अनाजमे स', अखमीरी रोटी आ भुजल अन्न खएलक।12ओसब ओहि देशके अनाज खएलाक दोसर दिन मन्ना आबए के थमि गेल। इजराएली सबहक लेल ओहिके' बाद मन्ना नहि भेटल, मुदा ओसब ओहि साल कनान देशके' अन्न खएलक।13जखन यहोशू यरीहोक' लगमे पुगिक' आंखि उठाक' देखलनि त' हुनका आगुमे एकटा आदमी हाथमे तरुआरि ल' क' ठाढ़ छल। यहोशू हुनकालग जा' क' पुछलनि, “अहाँ हमरासबहक' दिसस' छी की हमरासबहक' शत्रुसबहक दिस?”14ओ कहलनि, “नहि, मुदा हम आब यहोवाके सेनाके सेनापति बनिक आएल छी।” तखन यहोशू जमीनपर ठेहुनियां रोपि आराधना कएलनि आ हुनका कहलनि, “हमर प्रभु अपन सेवकक' की कहैत छथि?”15यहोवाक सेनापति यहोशूके कहलनि, “अपन चप्पल उतारु, किएकत' जाहि स्थानपर अहाँ ठाढ़ छी, ओ पवित्र अछि।” तएं यहोशू ओहने कएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67