Joshua3

1यहोशू दोसर दिन भोरहि उठिक' ओ आ सारा इजराएलीसब शित्तिम छोड़िक' यरदन नदीपर आएल, आ पार कर' स' पहिने ओसब ओतहि शिविरमे बास बैसल।2तीन दिन ओत' बास कएलाक बाद हाकिमसब शिविरके बीच-बीचमे गेल।3ओसब आदमीसबके आदेश देलनि, “जखन अहाँसब यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरक करारक' सन्दूक आ ओ बोकिक ल' जाएबला लेवी पुजारीसबके देखब त' अहाँसब अपन अपन शिविरस' निकलिक' ओकर पाछु-पाछु करीब एक किलोमिटर के दूरमे चलब।4मुदा, अहाँसब आ ओहिके बीचमे लगभग दू हजार हाथके' दूर रहब। ओहिके लग नहि आएब, जाहिस' अहाँसब जाएबला बाट बुझि पाबनि, किएक त' पहिने एहि बाटस' नहि गेल छी।”5तखन यहोशू आदमीसबस' कहलनि, “काल्हि क' लेल अपनाके पवित्र करु, यहोवा अहाँसबहक बीचमे अच्चमके काज करथिन।”6यहोशू पुजारीसबस' कहलनि, “करारक' सन्दूक उठाक' आदमीसबके आगु-आगु जाउ।” तएं ओसब करारक' सन्दूक उठाक' आदमीसबके आगु-आगु चल' लगलनि।7तखन यहोवा यहोशूके कहलथिन, “जेना हम मूसाके संग छली ओहिना हम अहाँके संग छी से एकरा सबहक' बुझएलेल आइ हम सारा इजराएलीके नजरिमे अहाँके महान बनाएब।8करारक' सन्दूक बोकएबला पुजारीसबके ई आज्ञा देब जे, ‘जं अहाँसब यरदन नदीक' कातमे पानिमे पहुंचब त' यरदन नदीमे ठाढ़ भ' जाएब।’”9तखन यहोशू इजराएलीसबके कहलनि, “लगमे आउ, आ यहोवा अहाँसब अपन परमेश्वरक' वचन सुनू।10यहोशू कहलनि एहिस' अहाँसब बुझि जाएब जे जीवित परमेश्वर अहाँसबहक बीचमे छथि आ अहाँसबहक' आगुस' कनानी, हित्ती, हिब्बी, परिज्जी, गिर्गाशी आ एमोरी यबूसीसबके भगा देथिन।11देखू! सारा पृथ्वीके प्रभुक' करारक' सन्दूक अहाँसबहक आगु यरदन नदीमे जाएत।12आब अहाँसब अपनालेल इजराएलक हरेक कुलमेस' एक-एकटा' बारह आदमी चुनू।13जखन सारा पृथ्वीक प्रभु करारक' सन्दूक बोकिक' चलनिहार पुजारी सबहक पयरक तरबा यरदन नदीक' पानिमे पडतैक तखने यरदन नदीमे उपरस' बहिक आबएबला पानि रुकि जाएत आ उपरस' ल' क' नीचा धरि एक ढेरमे ठाढ़ भ' जाएत।”
14एहिस' आदमीसब अपन यरदन नदीपार कर' लेल अपन शिविर उठओलक त' पुजारीसब करारक' सन्दूक बोकिक' आदमीसबके आगु भेलनि।15कटानीक' समय धरि यरदन नदीमे बाढ़ि अबैत रहैत छै, तथापि सन्दूक बोकिक' चलनिहार पुजारीसब यरदन नदीमे आबिक' अपन पयर किनारके पानिमे रखिते'16उपरस' नीचा बहैत पानि बहुत दूर, सारतान नजदिक आदम नामक शहर लग एक ढेरमे ठाढ़ भ' क' उठि गेल, आ अरबाके समुद्र, अर्थात् नुनगरहा सागर दिस बहएबला पानि कटिक' बहि गेल आ सुखल मैदान दने आदमीसब यरीहोक' ओहिपारके' गेल। 17यहोवाक' करारक' सन्दूक बोकिक' पुजारीसब ता' धरि यरदन नदीक बीचोबीच सुखल जमीनपर स्थिर स' ठाढ़ रहलनि जाधरि सारा इजराएलीसब सुखल जमीन भ' क' इस्रएली जातिक' आदमीसब यरदन नदीक पार नहि कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67