Joshua2
1तब नूनक' पुत्र यहोशू दूटा जासूसके गुप्तरुपस' शित्तिमस' पठाक' कहलनि, “जाउ, ओ देश देखू, विशेषरुपस' यरीहोके भेद ल' क' आउ।” ओसब जा' क' एकटा राहाब नामक वेश्याक' घरपर आबि गेल, आ ओसब ओतहि बास बैसल। 2यरीहोक' राजाके कहल गेल जे, “देखू, इजराएलक' सन्तानसब एहि देशके' भेद लेबएलेल आइ रातिमे एत' आएल अछि।”3यरीहोके राजा राहाबके हकम भेजलनि की, “जे आदमी तोरा घरमे आएब क' रहि रहल आदमीसबके बाहर निकालिक' लाबए, किएक त' पूरा देशके भेद लेबएलेल ओसब एत' आएल अछि।”4मुदा ओ महिला दुनू आदमीके ल' जा क' नुका देने छलनि आ ओ कहलनि, “हं, ओ आदमीसब हमरालग आएल छल, मुदा हमरा नहि बुझल छल जे ओसब कत' स' आएल रहए। 5आ सांझक' झोलफोलमे मुख्य द्वार बंद होबएबला समयमे ओ आदमीसब निकलिक चलि गेलनि। ओ आदमीसब कत' गेलनि से हमरा नहि बुझल अछि। जल्दीस' ओकारा सबहक पाछु करब त' अहाँ ओकरासबके पकड़ि सकैत छी।”6मुदा ओ ओकरासबके घरके छतपर ल' जा क' सनठीक' ढेरमे नुका देने छलीह छतपर सनठी पसारने छलीह।7तएं आदमीसब ओकारा सबहक' पाछु करैत यरदन नदीक' बाटमे चढ़ाइ धरि पहुंच गेल। खेहटा कर' वला सब जहिना ओकारा सबहक पाछु निकलल त' सहरक' मुख्य द्वार बंद भ' गेल।8आब जं स्त्री छतपर आएल तखनधरि ओ सुतल नहि छल।9ओ ओहि आदमीसबके कहलनि, “हमरा बुझल अछि जे यहोवा अहाँसबके ई देश द' देने छथि आ अहाँसबहक भय हमरासबपर पड़ि गेल अछि आ एहि देशके बासीसब अहाँसबहक भयके कारण थरथर कांपि रहल छै।10हमसब सुनने छी जे कोना अहाँसब मिस्र देशस' बाहर निकलला पर अहाँसबहक आगु यहोवा लाल समुद्रक' पानिके सुखा' देलनि आ अहाँसब यरदन नदीक' ओहिपार एमोरी सबहक' दूटा राजा सीहोन आ ओगक' पूर्णत नाश क' देलिऐ।11ई सुनिते हमरासब मोन व्याकुल भ' गेल अछि आ अहाँसबहक कारणे हमरा सब केकरोमे आब साहस बांकी नहि रहि गेल, किएक त' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरे उपर स्वर्गमे आ नीचा पृथ्वीपर परमेश्वर छथि।12आब हमर बिन्ति अछि जहिना हम अहाँसबहक संग दयालु व्यवहार कएलिऐ, यहोवाक शपथ खाउ जे अहाँ हमर पिताक घरक संग सेहो दया करब आ हमरा एकटा ठीक चेन्ह दिअ 13की अहाँसब हमर माता, पिता, भाइ, बहिन आ ओसब जे सब अछि ओकरासबहक जीवित राखि हमरासबहक जीवन मृत्युस' बचा लेबनि।”14ओसब ओकरा विश्वस्त कएलनि, “अहाँसबहक प्राणके बदला हमरसबहक प्राण! जं अहाँ हमरासबहक ई काजक विषयमे केकरो नहि कहब त', जखन यहोवा हमरासबके ई देश देथिन तब हमसब अहाँक' संग दया आ विश्वासपूर्वक व्यवहार करब।”15तब ओ ओकरासबके खिड़कीस' रस्सीके सहारे नीचा उतारि देलकऐ, किएक त' ओ घर सहरक' देवालस' सटल छल, आ ओ ओत' देवाल कातमे रहैत छल। 16ओ ओकरासबके बजएलक, “पहाड दिस जाउ, ने' त' अहाँसबहक खेहटा करएबला अहाँसबहक सामना करए पडत आ खेहटा करएबला घुरिक नहि अबैत छै, तीन दिन धरि ओतहि नुकाक' रहू ओहिके बाद अहाँसब अपन बाट मार्गपर चलि जाएब।”17ओसब ओकरा कहलनि, “जं एना नहि भेल त' अहाँक एहि शपथस' हमसब निर्दोष रहब।18देखू! हमसब एहि देशमे आएब त' जाहि खिडकी स' हमरासबहक' नीचा उतारने छी ओहि खिडकीमे अहाँ एहि लाल रंगके डोरी बान्हि देब, आ अपन माता, पिता, भाइ-बहिन आ अपन पिताक घरक सब आदमीके अहाँ घरमे जमाक' क' राखब।19जे केओ अहाँक' घरस' सड़कपर निकलत, ओकर लेहूके दोषी ओ स्वयम् होएत आ हमसब निर्दोष रहब। मुदा जे केओ अहाँसबहक संग घरमे रहत तकरापर जं हाथ उठत त' ओकर खूनक' दोष हमरासबपर आएत।20मुदा जं अहाँ हमरासबहक ई काजक' विषयमे बाजब त' हमसब अहाँक' देल गेल एहि शपथस' स्वतन्त्र भ' जाएब।”21ओ कहलनि, “अहाँक कहल मुताबिक होए।” तएं ओ ओकरासबके विदा क' देलनि आ ओसब चलि गेल आ ओ लाल रंगके' डोरी खिड़की मे बान्हि लेलनि।22तखन ओसब ओत' स' विदा भ' क' पहाड़मे तीन दिन नुकाक' रहल जाधरि खेहटा करएबलासब घुरिक नहि चलि गेल। खेहटा करएबलासब सड़कके चारुकात खोजलक मुदा ओसब नहि भेटल।23आ दुनू आदमी घुरिक' पहाड़स' उतरिक' एहि पार नून पुत्र यहोशू लग अएलनि आ ओकरासबहक' संग भेटसब हुनकासबके सुनौलनि।24ओसब यहोशूस' कहलनि, “सांच्चे कहू त' यहोवा हमरासबहक हाथमे पूरा देश द' देने छथि। आ हमरासबहक कारण ओहि देशके' बासीसब पिघलि डेरा देल अछि।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.