Joshua1
1आब यहोवाक दास मूसाक' मृत्यु पश्चात, मूसाक' प्रमुख सहायक नूनक' पुत्र यहोशूस' यहोवा कहलथिन।2“हमर दास मूसा मरि गेल छथि। तएं आब उठू, अहाँ ईसब आदमीके ल' क' यरदन ओहिपार हम ओकरासबके — इजराएलीके सन्तानसबके देब जा' रहल देशमे जाउ।3हम मूसाक' प्रतिज्ञा कएने मुताबिक अहाँक' पयर जाएत पडत ओसब जमीन हम अहाँके देब।4उजाड स्थानस' लेबनान धरिस' ल' क' महनदी अर्थात् यूफ्रेटिस स' ल' क' हित्ती सबहक' समस्त देश आ महासगर धरि, जत' सूर्यास्त होइत अछि, ओतए धरि अहाँसबहक' सिमाना होएत।5अहाँक' जीवनभरि अहाँक' आगु केओ ठाढ़ नहि भ' सकत। जेना हम मूसाक' संग रहिऐ तहिना अहाँक' संग रहब। हम अहाँके नहि छोड़ब आ अहाँके नहि त्यागब। 6बलवान आ साहसी बनू, किएक त' हम अहाँसबहक' पूर्वजसबस' देब कहिक' प्रतिज्ञा कएने देशमे ओकारा सबहक अधिकारमे कराबएलेल हम अहाँके नेतृत्व करब।7केवल मजगूत आ बहुत बेसी साहसी बनू। हमर दास मूसा अहाँके आज्ञा देने अनुसार सब व्यवस्थाके' होसियारीपूर्वक पालन करु। एहिस' दहिना वा बामा कात नहि घुमब, जाहिस' अहाँ जत' जाएब अहाँके सफलता मिलत। 8व्यवस्थाके' ई पोथी अहाँक' मुंहस' नहि हटए। एहिपर अहाँ राति दिन मनन करब आ एहिमे लिखल सब बातक' होसियारीपूर्वक पालन करब। जाहिस' अहाँक' मार्गमे समृद्धि मिलत आ अहाँ बुद्धिमान होएब।9की हम अहाँके आज्ञा नहि देने छी? मजगूत आ साहसी बनू! नहि डराएब। हतोत्साहित नहि होउ, किएक त' अहाँ जत' कतौ जाएब यहोवा अहाँक' परमेश्वर अहाँक' संग छथि।”10तब यहोशू आदमीसबके' मुखियासबके आदेश देलनि11“शिविरक' बीचोबीच जा' क' आदमीसबके ई कहिक' आदेश दिअ, ‘अपनालेल भोजनक' समान तैयार करु। तीन दिनमे अहाँसब यरदन नदी पार क' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबके देब' जा' रहल देशमे अधिकार कर' जाए पडत।’”12यहोशू रूबेनी, गादी आ मनश्शेक आधा कुलस' कहलनि,13“यहोवाक' दास मूसा अहाँसबके देने आज्ञा सबहक' स्मरण करु, ‘यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबके विश्राम देथिन आ ओ अहाँसबके ई देश द' रहल छथि।’14अहाँसबके पत्नी, छोट-छोट बच्चासब आ मालजालसब मूसा अहाँसबहक' देने यरदन नदीक ओहिपारके देशमे रहि सकए। मुदा अहाँसबहक' योद्धा सबहक' युद्धके' लेल हथियारस' सुसज्जित भ' अपन भाइसबके' मदतिक लेल आगु-आगु ओहिपार जाए पडत।15जा' धरि यहोवा अहाँसब जकां अहाँसबहक' भाइसबके विश्राम नहि देतनि। तखन यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर ओकारा सबहक देब जा' रहल देश अधिकार नहि क' लेत। तब यहोवाके' सेवक मूसा यरदन नदीक' पूर्व ओहिपार अहाँसबहक' अपन उत्तराधिकारक' देशमे घुरि जाएब आ ओहि देशके' मालिक बनब।”16तखन ओसब यहोशूके उत्तर देलनि, “अहाँके सब आज्ञा हमसब पूरा करब, आ अहाँ हमरासबके जत पठाएब, ओत' जाएब।17जहिना हमसब मूसाक' कहल मानने छली तहिना अहाँक' कहल मानब। केवल यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर जहिना मूसाक' संग छलथि ओहिना अहाँसबहक संग रहथि।18अहाँक' आज्ञाक' विरुद्धमे जाएबला आ अहाँ कएने आज्ञाक' वचन नहि मानएबला जे केओ होए, ओ मारल जाएत। केवल मजगूत आ साहसी बनू।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.