Ezra1
1फारसके सम्राट कुस्रूके शासनक' पहिनके बरखमे, ओ किछु काज एहन कएलनि जाहिस' यिर्मयाह प्रवक्ताद्वारा यहोवाके कहल गेल वचन पूरा भेलै। यहोवा कुस्रूके ई सन्देश लिखएलेल प्रेरित कएलनि, आ फेरु कुस्रू ओहिके पुरे साम्राज्यमे सन्देश घोषणा करबौलनि:2“हम, फारसके राजा कुस्रू कहि रहल छी: यहोवा, स्वर्गमे विराजमान परमेश्वर एहि धरतीपर हमरा बहुते विशाल साम्राज्यके शासक बनौने छथि। आ ओ हमरा यहूदा प्रान्तके यरूशलेममे हुनकालेल परमेश्वरके भवन बनएबाक आज्ञा देने छथि।3परमेश्वरके लोकसब यहूदाके यरूशलेममे जाउ जाहिस' परमेश्वरके भवन पुनर्निर्माण कएल जाए, ओ यरूशलेमके परमेश्वर, इजराएलके परमेश्वर छथि, यहोवा परमेश्वर अहाँसबके संग रहथि।4ओ बांकी यहूदीसब जे जत छी अपन अपन स्थानस', जेकर पूर्वज दासके रुपमे एत' आएल रहए, ओसब यरूशलेम जाएबला लोकसबके सोना आ चानी दैक। यरूशलेम जाएलेल बटखर्चा आ परमेश्वरके भवन बनाबएलेल आवश्यक सामानसब सेहो दैक। धन-सम्पत्ति, पशु धन आ अपन राजीखुशीस' सेहो देल जाए जाहिस' यरूशलेममे परमेश्वरक भवनके निर्माण पूरा होइक”।5तखन यहोवा किछु पुजारी, लेवी, यहूदा, आ बिन्यामीन वंशके किछु अगुवासबके यरूशलेममे जाएलेल अगुवाइ कएलनि। जेकरा-जेकरा परमेश्वर अगुवाइ कएलथि ओसब यरूशलेम जाक' आ परमेश्वरके भवन बनाबएलेल तैयार भ' गेल।6ओत जाएबलासबके पड़ोसीसब ओकरासबके सोना चानीके गरगहना, पशु धन आ आओर सामानसब देलक। ओसब आओर उपहारसब, मन्दिर निर्माणलेल बहुते धन सेहो देलक।7राजा कुस्रू ओहि पात्रसबके निकाललक जे राजा नबूकदनेस्सरके समयमे यरूशलेमके यहोवाके भवनस' लाबिक' बेबिलोनके मन्दिरमे रखने रहैक। 8कुस्रू फारसके राजा अपन खजांची मिथ्रदातके कहलक, जे ओसब समानके गनती क' क' यहूदाके अगुवा शेशबस्सरके लेल एकटा सूची बनाबए जिम्मा देलक।9ओहि समानक' सूची जे राजा कुस्रू देने छलथि से इहे रहए। तीसटा सोनाके वर्तन, 1,000 थान चांनीके वर्तन, 29 टा आन वर्तन,10सोनाके 30 टा कटोरा, आ चानीके 410 थान कटोरीसब, आ, आन बर्तनसब।11राजा कुस्रू चानी आ सोनाके वर्तनसब शेशबस्सरके देलक जे 5,400 थान छल जखन ओ बंदी बनाओल गेलसब बाबेल प्रान्तस' यरूशलेम घुरल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.