Ruth4
1तेकरबाद, बोअज नगरके द्वारि जा' क' बसि गेलनि। जेकरा विषयमे बोअज चर्चा कएने रहए से नजदीकके छुटकारा देबएबला ओहि दने जाइत रहए त' ओकरा बोअज नाम ल' क' बजाक' कहलनि जे एमहर आउ, हमरा ल' कनिक बैसू।2बोअज नगरके दस बूढ़-पुरान लोकसबके जौर कएलनि आ कहलनि, “अहाँसब हमरा दुनूगोटेके बीच होबएबला बातचितके गवाह बनू।” तएं ओसब बैसि गेलनि।3तखन बोअज ओहि नजदीकके छुटकारा देबएबला आदमीके कहलनि, “अहाँ जनैत छी जे अपनासबके दियाद एलीमेलेकके कनिया नाओमी जे मोआबस' आइए काल्हिमे घुरिक' आएल अछि, ओ अपन जमीन बेचए चाही रहल अछि?4हम सोंचलहुं जे हम अहाँके ई मान्यजन व्यक्तिसबके उपस्थितिमे कहि दी जे नजदीकके छुटकारा देबएबला दियादके कर्तव्य अहीं पूरा करु, नहि त' अहाँके पछातिके हम ही छी।”5तखन बोअज फेरुस' ओकरा कहलनि, “जं अहाँ नाओमीस' जमीन किन' चाहैत छी त' रूथस' विवाह सेहो कर' पड़त, जाहिस' हमरासबहक दियाद मोआबी विधवास' बच्चा होअए आ जे ओकर सम्पत्तिके हकदार भ' क' मरल दियादके नाम राखि सकए।”6तखन ओ नजदीकके छोड़ाबएबला आदमी कहलनि, “हम ई जमीन नहि किन सकैत छी। जं हम एना करब त', हम अपन बेटाके जे विरासत अछि ओकरा हम तहसनहस क' देबै। हमर जमीन खरीदबाक अधिकार अहीं ल' लिअ। आ अहाँ ओ खेत आ स्त्रीके ल' सकैत छी। ई हम नहि क' सकैत छी।”7तहिया, इजराएलमे ई प्रथा रहए जे दूगोटे अपनामे किछु छोड़ाबएलेल आ अदलाबदली करएलेल सहमत होइक त', एक व्यक्ति अपन जूता निकालिक' दोसर व्यक्तिके द' दैत छल। एहि तरहे इजराएलमे लेनदेनक काज पूरा होइत छल।8एहि कारण ओ नजदीकके छुटकारा देबएबला बोअजके कहलनि, “जमीन अहीं किन लिअ” आ ओ अपन पयरस' एकटा जूता निकालिक द' देलक।9तखन बोअज मान्यजनसबके आ आन लोकसबके सोझामे कहलनि, “आइ हम एलीमेलेक, महलोन, आ किल्योनके सबहे सम्पत्ति नाओमीस' किन रहल छी से अहाँसबहक सोझाके बात अछि।10हम महलोनक विधवा मोआबी रूथस' विवाह करए जा रहल छी, ई एहिलेल जे ओ एकटा एहन बेटाके जन्म द' सकथि जेकरा महलोनके बेटा बुझल जाएत। आ ओ सम्पत्तिके मालिक होएत आ ओकर नाम अपनासबके बीचमे एहि शहरमे सदैव रहत। आइ अहाँसब एहि बातके गवाह छी।”11सब मान्यजन आ दोसरो गोटेसब जे शहरके द्वारिपर बैसल छलाह सब सहमती दैत कहलनि, “हमसब गवाह छी, हमसब चाहैत छी जे ई स्त्री जेना अहाँके घरमे प्रवेश करतीह, यहोवा ओकरा राहेल आ लिआ के जकां बनबथि। जे हमरासबहक पूर्वजके जन्म देलीह आ इजराएल वंशजके शुरुवात कएलीह। हमरासबहक इच्छा अछि जे अहाँ एप्राता वंशजमे समृद्ध आ बेतलेहममे अहाँके नाम प्रसिद्ध होअए।12हम प्रार्थना करैत छी जे वंशज यहोवा अहाँ आ एहि युवतीके देथि से अहाँके परिवार अहाँके पूर्वज पेरेस, तामार आ यहूदाके बेटाके परिवार जकां होअए।”13तखन बोअज रूथके अपन पत्नी बनाक ओकरासंगे सुतलनि। यहोवा ओकरा गर्भवती होबएमे सक्षम बनौलनि, आ ओ एकटा बेटाके जन्म देलीह।14बेतलेहेमके स्त्रीगण नाओमीस' कहलनि, “धन्य यहोवा, जे आइ अहाँके बिना कोनो छुटकारा देबएबला रिश्तेदारके नहि छोड़लथि। हुनकर नाम इजराएलमे प्रसिद्ध होअए।15अहाँके पुतहु जे अहाँके प्रेम करए आ जे अहाँके सातो बेटा होइत तहुस' नीक अछि, ओ तेकरा जन्म देने अछि। अहाँके जुआनीपनके बोध कराओत आ बुढ़ारीमे असरा बनत।”16तखन नाओमी बच्चाके उठाक' ओकरा हपसिक' कोरामे ल' लेलक, आ ओकरालेल दोसर माय बनि गेलीह।17ओकरा लग रहनिहारि स्त्रीसब कहए लगलीह, “नाओमीके एकटा बेटा भेलैक।” आ ओहि बच्चाके नाम ओबेद रखलक। पछाति इहे यिशैके बाबु भेलैक, जे दाऊद राजाके बाबु रहथि।18पेरेसके वंशावली एहि प्रकारे अछि। पेरेसके बेटा हेस्रोन भेलनि।19हेस्रोनके बेटा राम आ रामके अम्मीनादाब नामके बेटा भेलनि।20अम्मीनादाब नहशोनके बाबु छलनि। नहशोनके बेटा सल्मोन छलनि।21सल्मोन बोअजके बाबु रहए। बोअज ओबेदके बाबु छलनि।22ओबेद यिशैके बाबु छलनि। यिशय दाऊद के बाबु छलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.