Ezra2

1जाहि यहूदिसबके बाबेल प्रान्तके राजा नबूकदनेस्‍सर बन्दी बनाक' बेबीलोन ल' गेल रहए, ओहिमेस साम्राज्‍यके अधीन यहूदा प्रदेशके ई लोकसब बंधुआइस मुक्‍त भ' क' स्‍वदेश घुरल। ओसब यरूशलेम तथा यहूदा प्रदेशके अपन अपन नगरमे गेल। घुरल लोकसबके सूची एहन अछि।2घुरिक' आएलसबके इजराएलके अगुवासबमे, जरुब्बाबेल, येशुअ, नहेम्याह, सरायाह, रेलायाह, मोर्दकै, बिलशान, मिस्पार, बिगवै, रहूम आ बानाह छल।3परोशक वंशस' 2, 1724शपत्याहक वंशस' 3725आरहक वंशस' 7756पहत्मोआबक वंश येशुअ आ योआबके परिवारमे स' 2,8127एलामक वंशस' 1,2548जत्तूके वंशस' 9459जक्कई वंशस' 76010बानीक वंशस' 64211बेबैक वंशस' 62312अजगादके वंशस' 1,22213अदोनीकामक वंशस' 66614बिगवैक वंशस' 2,05615आदीनक वंशस' 45416आतेरक वंशस' 98, जे हिजकिय्याहक वंशके छल17बेसैक वंशस' 32318योराके वंशस' 11219हाशूमक वंशस' 22320गिब्बारक' वंशस' 9521जेकर पूर्वज यहूदाके अलग-अलग शहरमे रहए: बेतलेहमस' आएल लोकसब 12322नतोपा स' 5623अनातोतस' 12824अज्मावेत स' 4225किर्यत्यारीम, कपीरा आ बेरोत स' 74326रामाह आ गेबास' 62127मिकमाश स' 12228बेतेल आ आई स' 22329नबो स' 5230मग्बीस स' 15631एलाम स' 1,25432हारीम स' 32033लोद, हादीद आ ओनो स' 72534यरीहोस 34535सना स' 3,63036पुजारीके वंशमेस', येशुअक वंशस' 973 यदायाह जे येशुअ वंशके छल।37इम्मेरके वंशस' 1,05238पशहूरके वंशस' 1,24739हारीमके वंशस' 1,01740लेवीसबके येशुअ आ कदमीएलके वंशस' 74 जे होदव्याहके वंशके छल41आसापके वंशके गबैयासब 12842परमेश्वरके भवनके द्वारपालसब जे द्वारपालसब शल्लूम, आतेर, तल्मोन, अक्कूब, हतीता आ शोबैके वंशस' 13943परमेश्वरके भवनमे सेवकके काम करएबला सेवकसब, सीहाके वंशके लोकसब, हसूपाके वंशके लोकसब, तब्बाओतके वंशके लोकसब,44केरोस वंशके लोकसब, सीअहाके वंशके लोकसब, पादोनके वंशके लोकसब,45लबाना वंशके लोकसब, हगाबा वंशके लोकसब, अक्कूब वंशके लोकसब,46हागाब वंशके लोकसब, शल्मै वंशके लोकसब, हानान वंशके लोकसब,47गिद्देल वंशके लोकसब, गहर वंशके लोकसब, रायाह वंशके लोकसब48रसीन वंशके लोकसब, नकोदा वंशके लोकसब, गज्जाम वंशके लोकसब,49उज्जा वंशके लोकसब, पासेह वंशके लोकसब, बेसै वंशके लोकसब,50अस्ना वंशके लोकसब, मुनीम वंशके लोकसब, नपीसीम वंशके लोकसब,51बकबूकके लोकसब, हकूपा वंशके लोकसब, हहुर्र वंशके लोकसब,52बसलूत वंशके लोकसब, महीदा वंशके लोकसब, हर्शा वंशके लोकसब,53बर्कोस वंशके लोकसब, सीसरा वंशके लोकसब, तेमाह वंशके लोकसब,54नसीह वंशके लोकसब, आ हपीपा वंशके लोकसब,55राजा सुलैमानके सन्तान: सोतैके सन्तान, हस्सोपेरेतके सन्तान, परूदाके सन्तान,56यालाके सन्तान, दर्कोनके सन्तान, गिद्देलके सन्तान,57शपत्याहके सन्तान, हत्तीलके सन्तान, पोकरेत-सबायीमके सन्तान, आ आमीके सन्तान।58परमेश्वरके भवनके सेवकसब आ सुलैमानके सेवकसब मिलाक' 392 गोटे छल।59बेबिलोनके तेल्मेलाह, तेलहर्शा, करूब, आदोन आ इम्मेर गामस' आएलसब इजराएलके कोन वंशके छी से नहि कहि सकल।60जे दलायाहके सन्तान, तोबियाहके सन्तान, आ नकोदाके सन्तानके 652 गोटे छल।61एहिमे पुजारीके वंशस' हबायाह वंशके लोकसब, हक्कोस वंशके लोकसब, आ बर्जिल्लैके वंशस' छल। गिलाद क्षेत्रके' बर्जील्लै वंशके एकटा स्त्रीस' विवाह कएने छल। ओ अपना वंशके बर्जील्लैके नाम देलक।62ओसब वंशावली सूचीमे अपन अपन नाम खोजलक, मुदा नाम नहि भेटलै। एहि कारण ओसब पुजारीके कामकलेल अयोग्य भेल, आ पुजारीके काम नहि कर' पओलक।63ओ अधिपति ओकरासबके कहलनि जे जाधरि ऊरीम आ तुम्मीम पहिरएबला कोनो पुजारी ठाढ़ नहि होइक ताधरि केओ परम पवित्र भोजन नहि खाए। 64घुरिक' आएल इजराएलीसब जम्मा 42,360 गोटे रहए।65ओत 7,337 गोटे सेवा करएबला सेवक आ पुरुष आ स्त्री सहित 200 गबैया छल।66बेबीलोनस' 736 टा घोड़ा, 245 टा खच्चर,67435 टा ऊंट, आ 6,720 टा गदहा संगे लएने रहैक।68जखन ओ निर्वाशितसब यरूशलेममे यहोवाके भवनमे आएल, त कोनो कोनो कुलके अगरियासब फेरुस' पहिलुके स्थानपर मन्दिर बनाबएलेल राजीखुशीस' धन देलनि।69ओसब अपन क्षमताके अनुसार, 61,000 असर्फी, 5,000 चानीके रुपैया आ पुजारीके लेल 100 थान पोशाक देलनि। 70तब पुजारी, लेवी, गबैया, परमेश्वरके भवनके सेवकसब, आ बांकी इजराएलीसब, जे यहूदाके शहर आ गाममे रहए लागल। ओसब अपन अपन पूर्वजके शहरमे जा' क' रहए लागल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67