Exodus8

1यहोवा नील नदीपर मार कएलाके सात दिन बाद, यहोवा मूसाके कहलनि, “राजालग घुरिक' जाउ आ हुनका कहू, ‘यहोवा कहैत छथि जे अहाँ हमर लोकके निर्जन स्थानमे आराधना करबाक लेल जाए देब पड़त।2यदि अहाँ हमर लोकके नहि जाएदेब त', ध्यान दिअ! हम अहाँके देशभरि बेंग पठा क दण्ड देब।3नील नदी मात्रे नहि बेंगसब स भरि जाएत, मुदा ओ बेंगसब नदीसबमेस' अहाँक घरमे चलि आओत। ओसब अहाँक शयन कक्षमे आओत आ अहाँक विछाओन पर आओत। ओसब अहाँके दाससबहक घरमे आओत आ बांकी अहाँक लोकसबके घरमे चलि आओत। ओसब अहाँक चुल्ही आ कराहमे सेहो चलि आओत जाहिमे रोटी बनाबए लेल अंटा सनैत छी।4ओ बेंगसब अहाँ उपर, मिस्री लोकसब उपर आ अहाँक दाससब उपर कुदत।’”5यहोवा मूसाके कहलनि, “ई बात हारूनके कहि दिऔ: ‘अपन हाथमे लाठी ल' क' हुनका बढ़ाउ जहिना अहाँ एहिके नदी उपर बढ़बैत छी नदीके उपर, नहरिके उपर, पोखरीके उपर आ बेंग सबके पानिस' बाहर बजाउ एहि पानिस' आ मिस्र देशभरि दिऔ।’”6मूसा एना कहलाक बाद, हारून अपन हाथ मिस्रमे रहल पानिपर बढ़ौलनि। तखन बेंगसब सब स्थानके पानिस' बाहर आएल आ मिस्र भरि देलक।7मुदा मिस्रके जादूगरसब सेहो ओहने कएलक, आ ओसब आओर बेंग सबके पानिस' बाहर निकालि क देशमे लौलक।8तखन राजा मूसा आ हारूनके बजाकए कहलनि, “यहोवाके हमरा आ हमर लोकसबस' बेंगके दूरक' देबाक लेल कहियौन। ई भेलाक बाद, हम अहाँक लोकसबके यहोवाके आराधना करबाक लेल जाए देबाक अनुमति देब।”9मूसा राजाके कहलनि, “हमरा अहाँक लेल आ अहाँक अधिकारीके लेल आ बांकी लोकसबके लेल प्रार्थना करए कहिक अहाँ हमरास' कतेक बेसी महिमित छी से देखाउ। हम अहाँक लेल प्रार्थना करब जे बेंगसब अहाँक घरमें आबएस' रुकि जाए आ नीले नदीमे रहैक।”10राजा उत्तर देलनि, “हमरासबहक लेल काल्हि प्रार्थाना करु।” एहिलेल मूसा कहलनि, “हमरा अहाँ जहिना कहब तहिना करब। अहाँ जानि लेब जे परमेश्वर, यहोवा जिनका हमसब आराधना करैत छी, सएह मात्र सत्य परमेश्वर छथि, आ हुनका सन कोनो आओर परमेश्वर नहि अछि11ओ बेंगसब अहाँलगस', अहाँक अधिकारीसब लगस', अहाँक सब लोकसबस' आ अहाँक घरसबमे स' चलि जाएत; जं ओसब नील नदीमे मात्रे रहत।”12तखन मूसा आ हारून राजालगस' चलि गेल। मूसा यहोवास' विनती कएलनि बेंगके विषयमे जाहिस' राजाके दण्ड देब ओकरा प्रयोग कएने छलथि।13जहिना मूसा विनती कएलनि ओहने यहोवा कएलनि जेना ओ मंगने छलथि। एहिके परिणाम स्वरुप, घरमे ढूकल बेंगसब, अंगना असोरापर रहल बेंगसब, आ खेतमे मरि गेल।14मिस्रीसब मरल बेंग सबके बढ़का ढेरी जम्मा कएलक, आ ओहि देशमें बड़ दुर्गन्ध पसरि गेल।15मुदा जेना राजाके बुझएमे आएल जे बेंगसब भागि गेल अछि आ सब किछु सामान्य भ' गेल अछि, ओ अपने-आपके फेरुस कठोर क' लेलनि। जेना यहोवा कहने छलथि तेना होएतै, हारून आ मूसाके बात मिस्रके राजा नहि सुनलकनि।16तेकरबाद यहोवा मूसाके कहलनि, “हारूनके लाठी ल' क' भुइयांमे मारए जाहिस' जे सब गरदा मिस्र भरिमे भूस बनि जाए।”17मूसा आ हारून यहोवाके बात पालन कएलनि। हारून गरदा वला भुंइयाके लाठी ल' क' मारलनि, आ मिस्र भरिमे ओ गरदा भूस्स बनि गेल। भूस लोक आ जानबरसबके झांपि देलक।18जे लोकसब जादू करैत छल से जादू क' क भूस निकालएके प्रयास कएलनि, मुदा ओसब नहि करए सकल। भूस्स लोकसब आ जानवरसबपर छल।
19जादूगरसब राजाके कहलनि, “ई कोनो देवता कएने होतैक! ” मुदा जेना यहोवा कहने छलथि, राजा आओर कठोर बनैत गेल आ ओ मूसा आ हारूनके बात नहि मानलनि।20तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “काल्हि भोरे उठू। राजा संग भेट करए लेल नदीपर अएबाक प्रतीक्षा करु आ हुनका कहियौन, ‘यहोवा अहाँके इएह कहैत छथि: “हमरा लोकके जाए दिअ जाहिस' ओसब हमर आराधना क' सकए।21यदि अहाँ हमरा लोकके झटस' नहि जाएदेब त', ध्यान दिअ! निश्चित होउ जे हम जल्दिए डांउसक हुल पठाएब जे अहाँक, दाससब, अहाँक बांकी लोकसब, आ अहाँक घरसबके झांपि देत। सबटा मिस्री घर डांउससब स' भरि जाएत। ओसब भुंइयोके भरि देत।22मुदा जखन एना होएत, तखन हम गोशेनके क्षेत्रके अलग तरहे व्यवहार करब, किएक त' हमर लोकसब ओतए रहैत अछि। ओतए डांउसक हुल नहि होतैक। एहि तरहे, अहाँ जानि लेब जे एहि देशमे हम, यहोवा, छी।23हम अपन लोकके आ अहाँक लोकके फरक प्रकारक व्यवहार करब। हम कतेक शक्तिशाली छी से काल्हि प्रमाणित करब।”’” 24भोरमे, मूसा राजाके चुनौती देलनि, मुदा ओ नहि सुनलनि। एहिलेल यहोवा ओहिना कएलनि जेना ओ कहने छलथि। ओ डांउसक बड़का हुल राजाके महलमे आ ओकर अधिकारीके घरसबमे पठौलनि। ओसब मिस्रके सब स्थानमे छल। ओ डांउसक हुल देशके सर्वनाशक' देलक।25तखन राजा मूसा आ हारूनके बजाकए कहलनि, “अहाँसब मिस्रेमे अपन परमेश्वरके आराधना करए जाउ!”26मुदा मूसा उत्तर देलनि, “हमरासबके एना करब उचित नहि अछि, किएक त' हमसब यहोवाके, जेकरा हमसब आराधना करैत छी, बलिदान चढ़ाएब, जे मिस्री सबहक लेल बहुत अप्रिय अछि। देखू, ई निश्चित अछि जे यदि हमसब ओकरासबके आगु बलिदान चढ़ाएब त' मिस्रीसब मनस' घृणा करत, ओसब हमरासबपर पत्थल फेकक' मारि देत!27हमरासबके तीन दिन निर्जन स्थानमे यात्रा करब आवश्यक अछि। ओतए हमसब यहोवाके लेल बलिदान चढ़ाएब, परमेश्वर जेकरा हमसब आराधना करैत छी, जेना ओ हमरासबके आज्ञा देने छथि।”28तखन राजा कहलनि, “जाहि परमेश्वरके अहाँसब आराधना करैत छी, से यहोवाके लेल बलिदान चढ़ाबए निर्जन स्थानमे हम अहाँक लोकसबके जाएदेब, मुदा अहाँसब बेसी दूर नहि जाउ। आब हमरालेल प्रार्थना करु!”29मूसा कहलनि राजाके, “हमरा सुनू! हम एतस' चलि गेलाकबाद, हम अहाँक लेल यहोवास' डांउसक हूंज अहाँस', अहाँक दाससबस', आ आओर बांकी लोकसबस' काल्हि भगा देबाक लेल प्रार्थना करब। मुदा हमर लोकसबके यहोवाके आराधना करए जाएस' अस्वीकारक' क' अहाँ फेरुस हमरासबसंग झूठ नहि बाजब!”30तेकरबाद मूसा राजालगस' चलि गेल आ यहोवासंग प्रार्थाना कएलनि।31मूसाद्वारा विनती कएल अनुसार यहोवा कएलनि। ओ डांउसक हूंज राजालगस', ओकरा दाससब लगस', आ मिस्रके बांकी लोकसब लगस' भगा देलनि। आब ओतए एकोटा डांउस नहि छल।32मुदा राजा अहूं बेर कठोर भ' गेलथि, आ ओ इजराएली लोकसबके नहि जाए देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67