Exodus9

1डांउससब चलि गेलाके बाद, यहोवा मूसाके कहलथि, “राजालग जाउ आ हुनका कहियौन, ‘यहोवा, परमेश्वर जेकरा हम हिब्रूसब आराधना करैत छी, एना कहैत अछि: “हमरा लोकसबके जाए दिऔ जे ओ हमर आराधना क' सकथि।2कहूं जे, यदि अहाँ इजराएली हमर लोकसबके स्वतन्त्र करब मना कएलीह आ दाससब जकां रखनहि रहब त,3हम अहाँके चेतावनी दैत छी जे अहाँक जानवरसब — अहाँक घोड़ासबपर, अहाँक गदहासबपर, अहाँक ऊंटसब पर, अहाँक मालजालसबपर, आ अहाँक भेंड़ी बकरी सबहक हेंड़के बेमार क' दैक आ मारि दैक तेहन खतरनाक बेमारी पठा क जल्दिए अहाँके हम, यहोवा शक्तिशालीरुपस' दण्ड देब।4मुदा हम, यहोवा, इजराएलीसबके पालतू जानबरसबके मिस्री सबहक जानवरसबस' फरक तरहे व्यवहार करब। इजराएली सबहक कोनो पोसुया जानवरसब नहि मरतैक।”’”5यहोवा तय कएलनि जे ओ एना कहिया करथिन। ओ कहलनि, “हम मिस्रीसबके चेतौने अनुसार काल्हि करब।”6दोसर दिन यहोवा रोग पठौलनि जेना ओ कहने छलथि जे ओ करथिन आ मिस्रीसबके सब घर पोसुवा जानवरसब मरि गेल, मुदा इजराएलीसबके एकोटा घर पोसुवा जानवरसब नहि मरल।7राजा लोकसबके की भेल छल से देखए पठौलनि, आ ओसब ई देखक' अचम्भित भ' गेल जे इजराएलीसबके एकोटा जानवरसब नहि मरल छल। मुदा ई बात राजाके कहलाक बाद, ओ कठोर भेल रहि गेलथि, आ ओ इजराएली लोकसबके नहि जाए देलनि।8तखन यहोवा मूसा आ हारूनके कहलनि, “चुल्हिमे स' किछु बौकटा छाउर ल' क' आउ। मूसाके ओहि छाउरके राजाक आगु हवामे फेक के अछि।9ओ छाउर मिस्र देशभरि छिरिया जएतैक, किएक त' ओ मेही धुल अछि। ओहि देशके सब स्थानमे, ओ छाउर ओकरास सबके चमरीमे फोंका बना देतैक जे लाल भ' जएतैक आ मनुष्य आ पालतू जानबर दुनूपर छिरियाक फुटतैक।”10एहिलेल ओसब चुल्हीमेस' किछु छाउर ल' गेल आ राजाके आगु ठाढ़ भेल। मूसा छाउरके हवामे फेक देलनि। जहिना ओ छाउर मिस्री लोकसबपर आ जंगली जानवरसबपर खसल, ओकरासबके छालापर फोंका निकलि गेल आ लाल भ' गेल आ छिरियाक फुटि गेल।11किएक त' जे जादू करैत छल बांकी मिस्री लोकसबपर तेकरा सबहक छालापर फोंका निलकल, ओसब मूसाके सामना नहि करए सकल।12मुदा यहोवा राजाके आओर कठोरे बनल रहए देलनि। ओ मूसा आ हारूनके बात नहि मानलनि, जेना यहोवा मूसाके कहने छलथि जे एना होएत। 
13तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “काल्हि भोरे उठि जाएब। जाउ आ राजाके आगु ठाढ़ होउ आ हुनका कहियौन जे यहोवा परमेश्वर, जेकरा इब्रानी लोकसब आराधना करैत अछि, ई कहैत छथि: ‘हमर लोकके जाए दिअ जे ओसब हमरा निर्जन स्थानमे आराधना क' सकथि।14यदि नहि जाए देलिऐ त', तखन एहिबेर हमसब विपत्तिस' बेसी खतरनाक विपत्ति सोंचि रहल छी जे अहाँके अधिकारीके मात्र दुखित नहि बनाओत मुदा अहूंके दुखित बनाओत, एहिलेल जे अहाँ जानि सकी जे हमरा छोड़ि संसारमे कोनो ईश्वर नहि अछि।15एहिबेर हम अहाँके आ अहाँक लोकसबके बेसी सामर्थ्यस' खरतनाक बेमारीस' मारने होबए जे अहाँक देशके वर्वाद क' देने होएतै।16मुदा हम अहाँके जीवित रहए देने छी। हम अहाँके जीविते रहए देबाक कारण ई अछि जे अहाँके देखा सकी जे हम कतेक शक्तिशाली छी आ हम सारा संसारमे प्रसिद्ध होएब। 17अहाँ एखनो घमण्डी जकां चलैत छी आ हमर लोकके जाएदेब स' अस्वीकारे करैत छी।18एहिलेल ई सुनू: काल्हि लगभग एहिबेर हम मिस्रमे बड़का पाथरक वर्षा कराएब। जहियास' मिस्र देश बनल तहियास' एखन धरि एहन पाथरक वर्षा कहियो नहि भेल छल जेहन पड़ए जाइत अछि।19एहिलेल अहाँ लोकसबके पालतू जानबरके ओकरासबके छावनीमे राखएलेल सन्देश पठाउ आ सब किछु जे ओकरासबके अछि जे बाहर चौरीमे अछि। पत्थल ओकरासबके उपर बरिसत जे चौरीमे अछि आ छावनीमे नहि लाओल जाएत। ओसब मरि जाएत।’”20मूसा यहोवाके कहल अनुसार कएलनि। राजाके किछु अधिकारी विश्वास कएलक आ जे यहोवा कहने छलथि। एहिलेल ओ अपन अधिकारीसबके आ जानबरसबके छावनीके भीतर झटस' ल' अनलनि।21मुदा जे लोकसब विश्वास नहि कएलनि जे यहोवा कहने छलथि से अपन दाससब आ अपन मालजालसबके चौरिएमे छोड़ि देलक।22तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “अपन हाथ उपर आकाशमे उठाउ जाहिस जे सारा मिस्र देशमे लोकसबपर, पालतू जानवरसबपर, आ खेतक सबटा बालि पर — पत्थल वर्षा होइक।”23एहिलेल मूसा अपन लाठी आकाश दिस उठएलनि, आ यहोवा गर्जन, पत्थल, आ ठनका सहितक अन्हड़ बिहाड़ि लौलनि। यहोवा भरि मिस्र देशमे पत्थलक वर्षा करौलनि।24जखन पत्थल खसैत रहए, लौका लौकैत रहए। जहियास' मिस्र देश अस्तित्वमे आएल एहन बड़का पत्थलक अन्हड़ बिहाड़ि सहितक वर्षा कहियो नहि भेल रहए छल। 25पत्थल मिस्रके सब जगह खसल छल, जे किछु बाहर रहए ताहि सबपर खसल छल, पालतू जानबर आ मनुष्यसबपर सेहो खसल छल। पत्थल खेतक बालि सबके नाश कएलक आ फलक गाछके डाढ़ि तोड़ि देलक।26गोशेनके क्षेत्र, जत इजराएली लोकसब रहैत छल, ओतए मात्र पत्थल नहि खसल रहए।27तखन राजा केकरो मूसा आ हारूनके बजाबए पठौलनि। ओ ओकरासबके कहलनि, “एहिबेर हम मानैत छी हम पाप कएने छी। जे यहोवा ठीक कएने अछि, आ जे हम आ हमर लोकसब गलत कएने छी।28यहोवास' प्रार्थना करु किएक त' ई ठनका आ पत्थल बड़ खतरनाक अछि! हम अहाँके अहाँक लोकसबके जाएदेब; अहाँसबके मिस्रमे कनिको देर नहि रहए पड़त।”29मूसा उत्तर देलनि, “जहिना हम एहि रामसेस सहरस' बाहर जाएब, हम अपन हाथ उठाएब आ यहोवास' प्रार्थना करब। तखन ठनका रुकि जाएत, आ पत्थल नहि खसत। ई एहिलेल होएत जे अहाँ जानि सकी जे पृथ्वीपर होइत अछि ताहिपर यहोवा, अहाँक देवतासब नहि, नियन्त्रण करैत अछि।30मुदा हम जनैत छी जे अहाँ आ अहाँक अधिकारीसब एखनो नहि थरथराइत छी जं यहोवा परमेश्वर लगमे अबैत छथि।”31जं बरफ पत्थल खसल ई जौ बालिके नाश क' देलक किएक त' ओ फुलाइत छल। ई जीवके सेहो नाश क' देलक किएक त' ई बालि पाकि गेल छल।32मुदा ई कोनो गहुमक प्रजातिके नाश नहि कएलक, किएक त' ईसब सालक अन्त दिस होइत अछि।33मूसा राजालगस' चलि गेल आ सहरस' बाहर गेल। ओ अपन हाथ यहोवा दिस उठाकए प्रार्थना कएलनि। तखन ठनका आ पत्थल खसएबला अन्हड़ बिहाड़ि रुकि गेल। मिस्र देशमे पानि पड़ब सेहो बंद भ' गेल।34मुदा राजा देखलनि जे पानि पड़ब रुकि गेल, पत्थल खसए वला अन्हड़ बिहाड़ि रुकि गेल, आ मेघ गर्जन रुकि गेल, ओ फेरुस' पाप कएलनि। ओ ओकर अधिकारीसब स्वयंके कठोर बना लेलक।35एहिलेल, जेना यहोवा मूसा संग भविष्यवाणी कएने छलथि, ओ राजा कठोर छल आ इजराएलीसबके जाएलेल अनुमति नहि देलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67