Exodus7
1यहोवा उत्तर देलनि मूसा, “देखू, हम अहाँके राजाक आगु परमेश्वर तुल्य बनबैत छी, आ अहाँके भैया हारून अहाँके लेल प्रवक्ता जकां बजताह।2अहाँ अपन भैया हारूनके सब किछु कहबनि जे हम अहाँके आदेश दैत छी, आ ओ राजाके इजराएलीसबके ओकर देश छोड़िक जाए दैक।3मुदा हम राजाके कठोर बना देब। एहि कारण, हम एत मिस्रमे बहुत रास चमत्कार करबो करब तथापि, 4ओ राजा अहाँक बात नहि मानत। तखन हम मिस्रीसबके उपर अपन हाथ राखिक' कठोरतापूर्वक दण्ड देब आ इजराएली, हम अपन लोकके, मिस्रस' सेना जकां निकालि लाएब।5इजराएलके लोकसबके ओकरासबके दास बनएस' उद्धारक' जखन हम मिस्रीसब लग ई प्रमाणित क' लैत छी जे हम कतेक सामर्थी छी, ओसब जनतैक जे हम यहोवा छी।”6मूसा आ हारून ओ सबकिछु कएलनि जे यहोवा हुनकासबके करए लेल कहने रहथि।7जखन हुनकासबके राजाक संग बात करबाक लेल परमेश्वर पठौलनि, तखन मूसा 80 वर्षक छल आ हारून 83 वर्षक छल।8यहोवा मूसा आ हारूनके कहलनि,9“यदि राजा अहाँसबके कहए, ‘हमरा ओहि परमेश्वरके देखाउ जे चमत्कार करैत हमरालग पठौने छथि’, तखन हारूनके कहबनि, ‘अपन लाठी राजाक आगु फेकू जाहिस' ओ लाठी सांप बनि जाइक।’”10तएं मूसा आ हारून राजालग गेलथि आ यहोवा जे हुनकासबके करबाक लेल कहने छलथि से ओसब कएलनि। हारून राजा आ ओकरा अधिकारीसबके आगु अपन लाठी फेक देलनि, आ ओ सांप बनि गेल।11तखन मिस्रके ओ राजा अपन ज्ञानी पुरुषसब आ जादू करएबला लोकसबके बजौलनि। ओसब अपन जादू प्रयोग क' क, ओहने कएलनि।12ओसब अपन लाठी फेकलक, आ लाठीसब सांपसब बनि गेल। तखन हारूनके सांप ओकरासबहक सांपके खा' गेल!13मुदा, जेना यहोवा कहने छलथि, ओ राजा आओर कठोर होइत गेल आ जे मूसा आ हारून कहने छल से नहि मानलनि।14तेकरबाद यहोवा मूसाके कहलनि, “राजा बेसी कठोर भ' गेल अछि। ओ हमर लोकसबके अपन देशस' जाए देबएस' अस्वीकार कएने अछि।15तएं राजा काल्हि भोरे भोरे नील नदीमे जएताह, तखन जा' क' हुनकासंग भेट करु। नदी किनहेरिमे हुनकर अएबाक प्रतीक्षा करु। जे लाठी सांप बनि गेल छल से ल' क' जाएब।16राजाके कहबनि, ‘तखन परमेश्वर नाम रहल यहोवा, जेकरा हिब्रूसब आराधना करैत छथि, ओएह हमरा अहाँ लग पठौने छथि अहाँके कहबाकलेल जे हमर लोकके जाए दिऔ जे ओसब निर्जन स्थानमे हुनक आराधना करए। मुदा अहाँ एखनोधरि नहि मानने छी।17एहिलेल यहोवा कहैत छथि: “एहि तरहे अहाँ बुझबए जे हम यहोवा छी। देखू! हमर हाथमे जे लाठी अछि ताहिस' हम नील नदीक पानिके पिटबैक। जखन हम एना करब, ओ पानि लेहू भ' जएतैक।18तखन नील नदीमे रहल माछ मरि जाएत, आ नदीक पानि दुर्गंधित भ' जाएत। मिस्रीसबके ओहि नदीमे स' पानि पिबएमे घिन लागत।”’”19यहोवा आगु कहलनि मूसा, “तखन हारूनके कहियौ, ‘मिस्रमे रहल सब पानिक श्रोत — नदि सबहक उपर, नहरिसब, पोखरी सब, आ जम्मा कएने पानिक सब भंडार पर लाठी ल' क' अपन हाथ उठाउ जेना अहाँ एहिके पकड़ने रही, एहिलेल जे सबटा पानि लेहू बनि जाए।’ जखन हारून एना करत, तखन मिस्र भरि काठ वला आ पत्थल वला घैलामे रखने पानि सेहो लेहुए लेहू भ' जाइक।” 20एहिलेल हारून आ मूसा ओहिना कएलनि जेना यहोवा हुनकासबके करबाक लेल कहने छलथि। जहिना मिस्रके राजा आ हुनक अधिकारीसब देखैत छल, हारून अपन लाठी उठोलनि आ ओहिस' नील नदीके पानिके मारलनि। नदीके सबटा पानि लेहू बनि गेल।21तखन नदीमे रहल सबटा माछ मरि गेल। ओ पानि एतेक महकल जे मिस्रीसब नदीमे स ओ पानि पिबए नहि सकल। मिस्रमे सबटा पानि लेहू बनि गेल छल। 22मुदा मिस्री लोकसब जे जादू करैत छल सेहोसब अपन जादू प्रयोग क' क' ओहिना कएलक। एहिलेल, जैन यहोवा कहने छलथि, मिस्रके राजा आओर बेसी कठोर भ गेल आ हारून आ मूसा जे कहलनि से नहि मानलथि।23तखन राजा घुरिक अपन महलमे अएलथि, आ ओ एहि विषयमे किछु नहि सोंचलनि।24सब मिस्री पानि पिबएलेल नदी किनहेरिमे खधिया खुनलक, किएक त' ओसब नदीमे स' पानि नहि पीबि सकैत छल।25यहोवाद्वारा नील नदीमे प्रहार कएला एक सप्ताह भ' गेल छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.