Romans8
1एहिलेल आब, जेसब मसीह यीशुमे छनि, ओकरासबलेल परमेश्वर दिसस' कोनो दण्ड नहि अछि।2ई सत्य अछि किएकत' जीवन दिअएबला पवित्र आत्माके ओ व्यवस्था जे अहाँके पाप आ अनन्त मृत्युके दिस ल' जाएबला व्यवस्थाके नियन्त्रण स' मुक्त क' देने अछि। ओ एहन कएलनि मसीह यीशुके संग अहाँके एक क।3वास्तवमे, परमेश्वर ओएह कएलनि जे यहूदीसबके देल गेल नियम नहि क' सकल, किएकत' ओ लोकके पापमय जीवन जिअए स' रोकएमे असमर्थ छल। अपन पुत्रके शरीरके क्रूसपर चढ़ाक', परमेश्वर पापके नियन्त्रणके हटा देलथिन। ओ एहन कएलनि अपन पुत्र यीशुके एकटा मानवीय शरीरमे पठाक', जे पापमय लोकक शरीरके समान छल। परमेश्वर अपन पुत्रके एहि कारण पठौलखिन जे पापके दण्डित कएल जा सकए।4परमेश्वर ईसब एहिलेल कएलनि जे हम विश्वासी ओ धार्मिक कार्य क' सकी जे यहूदीसबके देल गेल नियममे आवश्यक छल। हम एहन लोक बनि सकैत छी जेकर जीवन पापमय स्वभावके नियन्त्रणमे व्यतीत नहि होइत अछि बल्कि पवित्र आत्माके नियन्त्रणमे।5ई सत्य अछि किएकत' जे लोक पापमय जीवन जीवित अछि, ओ ओहि वस्तुके विषयमे सोंचैत अछि जे पापमय जीवनस' सम्बन्धित अछि। मुदा जिनका जीवन पवित्र आत्माके नियन्त्रणमे छथि, ओ ओहि वस्तुके विषयमे सोंचैत अछि जे पवित्र आत्मास' सम्बन्धित छथि।6वास्तवमे, पापमय जीवनपर ध्यान केन्द्रित करब एकटा लोकके अनन्त मृत्यु दिस ल' जाएत। मुदा पवित्र आत्मापर ध्यान केन्द्रित कएलास' लोकके अनन्त आ शान्तिके जीवन भेटनि।7ई सत्य अछि किएकत' जे लोक पापमय जीवनपर ध्यान केन्द्रित करैत अछि, ओ परमेश्वरके शत्रु अछि। ई एहिलेल अछि किएकत' ओ परमेश्वरके नियमके स्वेच्छास' पालन नहि करैत अछि; ओ एहन करएमे असमर्थ अछि।8मुदा जे लोक पापमय जीवन जिऐत अछि, ओ परमेश्वरके प्रसन्न करएमे असमर्थ छथि।9एकर विपरीत, अहाँ विश्वासी ओ लोक नहि छी जिनका पापमय जीवन नियन्त्रित करैत अछि। बल्कि, अहाँ ओ लोक छी जिनका पवित्र आत्मा नियन्त्रित करैत अछि किएकत' परमेश्वरके आत्मा वास्तवमे अहाँमे वास करैत अछि। मुदा यदि कोनो व्यक्तिके लग मसीह यीशुके आत्मा नहि छथि, त' ओ व्यक्ति मसीहके नहि अछि।10किएकत' मसीह अहाँसबके वास करैत अछि, पवित्र आत्मा अहाँके अनन्त जीवन देत अछि किएकत' ओ अहाँके धर्मी बना देने छथि, यद्यपि अहाँके शरीर पापके कारण मरि जाएत।11पवित्र आत्मा वास्तवमे अहाँमे वास करए छथि। ओ परमेश्वरस' आएल छथि, जे यीशुके मृत्युके बाद फेरुस' जीवित कएलनि। एहिलेल परमेश्वर, जे मसीह यीशुके मृत्युके बाद फेरुस जीवित कएलनि, अपन आत्माके द्वारा अहाँके भौतिक शरीरके सेहो जीवित करथिन। ई आत्मा अहाँमे वास करए छथि।12एहिलेल, हमर प्रिय भाइ लोकसब, हमरापर एकटा ऋणी छी। मुदा हमरापर ई कर्तव्य नहि अछि की हमसब पापमय जीवन जीबू, अर्थात् एहन जीवन जीबू जे पापमय आदतिके नियन्त्रणमे भ' सकए।13वास्तवमे, यदि अहाँ एहन जीवन जिअब जे पापमय आदतिके नियन्त्रणमे अछि, त' अहाँ अनन्त मृत्युके दिस बढ़ब। मुदा यदि पवित्र आत्माके द्वारा अहाँ अपन शरीरमे पापमय काजके रोकैत छी, त' अहाँ अनन्त जीवन पाएब।14ई एहिलेल अछि किएकत' जे लोकके परमेश्वरक आत्मा मार्गदर्शन देत छथि, ओ परमेश्वरक आत्मिक सन्तान अछि।15वास्तवमे, परमेश्वर अहाँ विश्वासी लोकसबके कोनो दासत्वके भावना नहि देलनि जे अहाँके भयभीत करए। बल्कि, परमेश्वर अहाँके पवित्र आत्मा देने छथि जाहिस' ओ अहाँके आत्मिकरुपस' अपन सन्तानके रुपमे अपनाबए। ई पवित्र आत्मा छथि जे हमरा पुकारए मे सक्षम बनबैत छथि, “अब्बा, हमर पिता!”16पवित्र आत्मा व्यक्तिगत रुपस' हमरासबहक आत्माके संगे गवाही देत अछि जे हम परमेश्वरक आत्मिक बच्चा छी।17आओर किएकत हमसब परमेश्वरक आत्मिक बच्चा छी, हम परमेश्वरक आशीर्वादक वारिस सेहो छी। हम परमेश्वर आ मसीह यीशुक संगे आशीर्वादक वारिस छी। ई सत्य अछि खाली यदि हम मसीहक संगे मिलक कष्ट सहैत रही जाहिस परमेश्वर हमरो मसीहक संगे महिमा प्रदान करए।18वास्तवमे, हम ई बुझति छी जे हम मसीहमे विश्वास करएबला जे वर्तमानमे कष्ट सहि रहल अछि, ओ ओहि महिमाके काजसबके तुलनामे किछु नहि अछि, जेकरा परमेश्वर भविष्यमे हमरालेल प्रगट करत।19वास्तवमे, जे किछु परमेश्वर जे रचने अछि, ओ बड़ उत्सुकता स' प्रतीक्षा क' रहल अछि जे परमेश्वर अपन आत्मिक बच्चाके प्रगट करए।20ई एहिलेल अछि किएकत परमेश्वर जे किछु बनएलनि, ओ व्यर्थके अधीन भ' गेल। जे परमेश्वरे बनएलनि ओ ई नहि चाहलनि जे एना होअए। मुदा, परमेश्वर ओकरा अधीन क' देलनि किएकत ओ एना करबाक चाहैत छल। ओ एहन कएलक जेकरास' सृष्टिके ई भरोसा रहए जे21परमेश्वर जे किछु ओ बनौने अछि, ओकरो दासत्वस' मुक्त करत आ ओकरा अपन बच्चा जकां महिमाके अनुभव करओथिन।22वास्तवमे, हम जनैत छी जे वर्तमान समयमे, परमेश्वर जे किछु बनौने अछि, ओ एकसंगे कुहरैत आ पीड़ित होएत रहैत अछि जेना कोनो माय प्रसवके पहिन पीड़ा सहैत अछि।23खाली परमेश्वरक सृष्टिए नहि कुहरैत अछि! परन्च हमहूं अपनेस', जिनकालग पवित्र आत्मा अछि, जे परमेश्वरक दिसस पहिन भाग अछि, हमहूं सेहो कुहरैत छी। हम एनाक प्रतीक्षा करैत छी जे परमेश्वर हमरा आत्मिकरुपस' अपना बच्चा जकां अपनाबए, जे हमर देहक उद्धारक समय होएत।24ई एहिलेल अछि किएकत परमेश्वर जे हमरासबके आशास' बचालेने छथि। यदि हमरालग ओ होएत जेकर हम उमेद क' रहल छी, त' फेरु हमरा ओकर उमेद रखबाक जरुरति नहि होएत। ई एहिलेल अछि किएकत केओ जे ओहि वस्तुक आशा नहि करैत छी, जे पहिनेस' ओकरा लग अछि।25परन्च यदि हम ओहि चिज के आशा करैत छी जे एखन हमरालग नहि अछि, जे हम ओहि वस्तुक प्रतीक्षा धैर्यक संगे करब।26एहि तरहें पवित्र आत्मा सेहो हमरासबके मदति करैत अछि किएकत हम निर्बल छी। ई एहिलेल अछि किएकत हम नहि जनैत छी जे हमरा किनका लेल प्रार्थना करबाक चाही। परन्च पवित्र आत्मा हमरालेल बिना शब्दके कुहरैत प्रार्थना करैत अछि।27आब परमेश्वर हमरासबके विचार आ भावनासबके जांच करैत छथि। ओ जनैत अछि जे पवित्र आत्माके की अभिप्राय अछि किएकत आत्मा परमेश्वरक लोकसबके लेल परमेश्वरक इच्छा अनुसार प्रार्थना करैत छथि।28हम जनैत छी जे परमेश्वर ओहि सबबातके मिलाक ओकरा नीक करैत छी जे ओकरास' प्रेम करैत अछि। ओ ओहे लोक अछि जिनका परमेश्वर फेरुस' निर्धारीत कएने अछि।29ई एहिलेल अछि किएकत' जेकरा परमेश्वर जे पहिनेस' चुनलनि, ओ ओकरा अपन पुत्र यीशुके समरुप बनएके निश्चय कएलनि। सर्वशक्तिमान प्रभु ई सब कएलनि जाहिस हुनकर पुत्र यीशु बहुते आत्मिक भाइसबमे प्रथम स्थान पाबए।30वास्तवमे, जाहि लोकसबके परमेश्वर पहिनेस' चुनलनि जे ओ ओकर लोक बनए, ओ ओकरा अपन लोक बनब लेल बजौलनि। आ जाहि लोकसबके परमेश्वर बजौलनि जे ओ ओकर लोक बनए, जे ओकरा धर्मी बनएलथि। आ जाहि लोकसबके परमेश्वर धर्मी बनएलथि, ओकरा ओ महिमा सेहो प्रदान करतथि।31किएकत ई बात सत्य अछि त' हमरा ओकरा विषयमे ई कहबाक चाही: जखन परमेश्वर हमरासंगे अछि, त' के एतेक सामर्थी अछि जे हमरा विरोधमे ठाढ़ भ' सकए !32परमेश्वर जे अपन पुत्र यीशु धरिके नहि छोड़लक। एकर विपरीत, परमेश्वर जे हमरासबहक लेल मृत्युके सोंपि देलनि। त' परमेश्वर निश्चय हमरासबके यीशुक संगे सब आशीर्वाद अनुग्रहपूर्वक देत! 33निश्चय केओ जे ओहि लोकसबपर ठीकस' आरोप नहि लगा सकत जिनका परमेश्वर अपन लोक बनब लेल चुनने अछि! किएकत परमेश्वरे अछि जे लोकसबके धर्मी बनबैत अछि।34निश्चय केओ परमेश्वरक लोकसबके दोषी ठहरा नहि सकत! किएकत मसीह यीशु अपने ओ अछि जे मृत्युके सामना कएलनि। आ ओकरास' बढ़िक, ओ ओहे अछि जिनका परमेश्वर फेरुस' जीवित कएलनि। ओ परमेश्वर लग सबस' उच्च सम्मानके स्थानपर विराजमान अछि, आ ओ हमरालेल मध्यस्थता सेहो करैत अछि।35निश्चय केओ मसीहके हमरासबस' प्रेम करएस' नहि रोकि सकत! यदि लोक हमरा दुख दिए, पीड़ा दिए वा हमरा सतावए, वा यदि हम भूखल होअए वा नंगा होअए वा संकटमे होअए, वा यदि लोक हमरा तरुआरिस' मारि देथि, त' एहिमे' स' केओ यीशुके हमरास' प्रेम करएस' नहि रोकि सकत!36जेना शास्त्रमे लिखल अछि, “ओ हमरासबके अहाँसबके लेल सदैव मारैत अछि, हे परमेश्वर। ओ हमरा वध करबाक लेल भेंड़ा सन मानैत अछि।” 37मसीहद्वारा जे हमरासबस' प्रेम करैत अछि, ओ हमरा एहिसबपर पूर्ण विजय पाबएमे सक्षम बनबैत अछि।38ठीके, परमेश्वर हमरा एहि बातक लेल भरोसा देने छथि जे चाहे मृत्यु होए, वा जे किछु हमरा जीवनमे होएत होए, स्वर्गदूत, वा शासन करएबला दुष्टात्मा, वा जे किछु हमरापर भ' रहल अछि, वा जे किछु भविष्यमे हमरासंगे होएत, वा सामर्थी दुष्टात्मासब,39वा जे हमरा उपर अछि, वा जे हमरा नीचा अछि, वा परमेश्वरके बनाओल कोनो वस्तु—परमेश्वरके प्रेमके हमरास' दूर नहि क' सकत! परमेश्वर हमरास' प्रेम करैत अछि किएकत हम मसीह यीशु, हमर प्रभुक संगे एक अछि!
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.