Romans9

1हम जे किछु कहि रहल छी, सत्य कहैत छी, किएकत' हम मसीहक संगे परमेश्वरस' मिलाएल गेल छी। हम झूठ नहि बजैत छी। पवित्र आत्मा हमर अन्तरात्मा के भितर गवाही दैत अछि जखन हम कहैत छी2जे हम बेसी आ सदिखन मनमे शोकित छी!3किएकत' हम वास्तवमे चाहैत छी जे परमेश्वर हमरा सरापित करए आ यीशु मसीहस' साफे अलग क' दिए जाहिस' हमर संगी यहूदीसब उद्धार प्राप्त क' सकए! ओ शारीरिक रुपस' हमरास' सम्बन्धित अछि।4ई हमर संगी इजराएली अछि। ओ एहन लोक अछि जेकरा परमेश्वर आत्मिकरुपस' गोद लेने अछि। परमेश्वर ओकरा अपन गौरव के अनुभव करएके अवसर देलनि। परमेश्वर ओकरासंगे प्रतिज्ञा कएलनि। परमेश्वर ओकरा अपन व्यवस्था देलनि। परमेश्वर ओकरा अपन सेवा करएके मार्ग देलनि। परमेश्वर ओकरा वचन देलनि। 5हमर यहूदीसबके महान पूर्वज अब्राहम, इसहाक, आ याकूब इजराएली रहनि। मसीह सेहो ओहिमेस' एक अछि, जे शारीरिक रुपस' ओकरास' सम्बन्धित अछि। मसीह सब पर शासन करैत अछि। ओ सदाके' लेल धन्य परमेश्वर छथि। आमीन!6तइयो परमेश्वर जे प्रतिज्ञा इजराएलीसब संगे कएने छलथि, ओहिमे ओ विफल नहि भेल अछि। ई सत्य अछि किएकत' ओ लोकसब, जे शारीरिक रुपस' इजराएलस' उत्पन्न भेल अछि, वास्तवमे इजराएली नहि अछि। 7इहो सत्य नहि अछि की जे सबलोक अब्राहमस' शारीरिक रुपस' उत्पन्न भेल अछि, ओसब अब्राहमके प्रतिज्ञाके सन्तान अछि। बल्कि, जेहन परमेश्वर शास्त्रमे अब्राहमस' कहलनि, “हम तोहर प्रतिज्ञाके सन्तानके ओहि लोकसबस' जे इसहाकस' उत्पन्न होएत, जकां पहिचान देब।” 8दोसर शब्दमे, जे लोक खाली शारीरिक रुपस' अब्राहमस' उत्पन्न भेल अछि, ओ परमेश्वरक आत्मिक सन्तान नहि अछि। बल्कि, जे परमेश्वरक वचनके कारणे ओकर प्रतिज्ञाके सन्तान बनल अछि, ओकरा अब्राहमके असली आत्मिक सन्तान मानल जाएत अछि।9वास्तवमे, परमेश्वरके ई प्रतिज्ञा ओहे अछि जे शास्त्रमे लिखल अछि, “निर्धारीत समयपर, हम आएब आ एकर परिणाम होएत जे सारा एगो पुत्रके जन्म देतीह।” 10ई मात्र एकहिटा प्रतिज्ञा नहि छल जे परमेश्वर देलथिन। बल्कि परमेश्वर रिबकास' सेहो प्रतिज्ञा कएलथि जखन ओ इसहाकस' गर्भवती भेल छलीह। ओहो इजराएलीसबके पूर्वज छनि। 11वास्तवमे, परमेश्वर ओकरा दूटा सन्तान होएबाक अछैतो खाली एकेगो के चुनलक, जखन केओ एखन धरि जन्मो नहि लेने छल आ ओ एखन धरि किछु सही-गलत नहि कएने छल। परमेश्वर एना एहिलेल कएलक जे ओ पहिनेस' लोकसबके चुनएके सम्बन्धमे योजना बना चुकल छल, ओ घटित होए।12परमेश्वर जे ओकर खाली एगो सन्तानके ओकर काजक कारणे नहि चुनलक। बल्कि, ई परमेश्वरक बजाहटि अछि जेकर कारण ओ एहन कएलनि। इहे कारण अछि जे परमेश्वर रिबकास' कहलनि “अहाँके बड़का बेटा अहाँक छोटका बेटाके दास बनत।” 13एकर अर्थ छल जे परमेश्वर शास्त्रमे कहलनि, “हम छोटका बेटा याकूबस' प्रेम करैत छी, मुदा बड़का बेटा एसावके हम पूरे तरहेंस' अस्वीकार कएने छी।” 14केओ कहि सकैत अछि जे जे किछु अहाँ कहली ओ सत्य अछि त' निश्चय परमेश्वर अधर्ममे होएत! तब हम कहब, “कखनो नहि!”15हम जनैत छी जे परमेश्वर सांचोमे धर्मी अछि, किएकत' परमेश्वर मूसास' कहलनि “हम जेकरा चाहब, ओकरापर अनुग्रह करब। हम जेकरा चाहब, ओकरापर दया करब।” 16मतलब जे परमेश्वरक अनुग्रह किनका भेटए ओ किनको इच्छापर निर्भर नहि होएत अछि। इहो एहिपर निर्भर नहि करत जे केओ कतबो कोशिस करैत अछि। बल्कि, एहिपर निर्भर करैत अछि जे परमेश्वर की चाहैत अछि। ओहे दया करएबला अछि।17परमेश्वर फरओस' ई कहलनि जे बात मूसा शास्त्रमे लिखलनि, “हम अहाँके मिस्रमे राजा बनएलेल एहि विशेष उदेश्यस' अनुमति देने रही जे हम अहाँके उपयोग करी आ अपन शक्ति देखाबी। हम अहाँके राजा बनएके अनुमति देली जाहिस' हमर नामके महिमा समस्त संसारमे प्रसिद्ध भ' सकए।” 18एहिलेल परमेश्वर जेकरा चाहथि ओकरा दया दिए चाहैत छथि, आ जेकरा चाहथि ओकरा जिद्दी बना दैत छथि।19हमर कहएके परिणाम स्वरुप अहाँमेस' केओ हमरास' कहि सकैत अछि, “फेरु किएक ओ परमेश्वर अखिनो गलतीके ताकमे छथि? किएकत' केओ कहियो परमेश्वरके इच्छाके विरोध कएने अछि?”20तब हम कहब, “अहाँ साधारण मनुष्य! अहाँ जे परमेश्वरस' बहस करैत छी, सांचो ई योग्य नहि छी! जे परमेश्वर बनौने छथि ओ परमेश्वरस' ई नहि कहि सकैत छी की, ‘अहाँ हमरा एहन किएक बनौलीह!’”21आ की कुम्हारके माटिपर अधिकार नहि होएत अछि जे ओहि माटिस' सम्मानके काजके आ अपमानके काजक पात्रके लेल सेहो बनाबए? 22आब, अहाँके निश्चितरुपस' परमेश्वरस' बहस नहि करबाक चाही किएकत' ओ बहुत धैर्यस' ओ लोकसबके सहन कएलनि जिनका ओ दण्ड देथिन आ जिनका ओ सदाके लेल नाश करएके लेल तैयार कएने छलनि। ओ हुनका सहैत अछि जिनका ओ देखा सकए केओ कतेक क्रोधित छथि आ अपन शक्तिके प्रगट क' सकी। 23परमेश्वर ओ लोकसबके जिनका ओ कृपा करत, अपन महिमाके प्रगट करएके लेल सेहो सहैत अछि। परमेश्वर पहिनेस' ई लोकके सदिखनके लेल महिमा प्रगट करएके व्यवस्था कएने अछि।24हमहूं ओहि लोकमे सहभागी छी जिनका परमेश्वर अनुग्रह कएने अछि आ जिनका ओ बजौने छथि। परमेश्वर ई बजाहटि देत छथि यहूदी लोकसबके आ गैर-यहूदी लोकसबके सेहो। 25ओहि तरहें, परमेश्वर होशेस' कहलनि शास्त्रमे, “हम ओहि लोकके ‘अपन लोक’ के नाम देब जे हमर लोक नहि छल। हम ओहि व्यक्तिके ‘प्रिय’ कहब जिनका हम प्रेम नहि कएने रही।” 26परमेश्वर होशेके कहलनि, “तखन एहन होएत की ओहि स्थानपर जत' हम पहिने हुनका कहने रही, ‘अहाँ हमर लोक नहि छी,’ ओतए हम ओकरा ‘जीवित परमेश्वरके सन्तानक’ नाम देब।” 27ठीके, शास्त्रमे कतौ आओर यशायाह इजराएलके लोकके विषयमे जोर द क' कहैत अछि, “ओना त' इजराएली लोकसब समुद्रक तटके बालुके समान अधिक संख्यामे अछि, परमेश्वर खाली किछुएके दण्डस' बचाएत। 28ई एहिलेल अछि किएकत' प्रभु पृथ्वीपर अपन वचनके पूरे तरहें आओर तेजीस' पूरा करत।” 29ई ओहने अछि जेहन यशायाह पहिन शास्त्रमे कहने रहए, “यदि सर्वशक्तिमान प्रभु , हमरालेल सन्तान सुरक्षित नहि रखने होएत त', ओ हमरा पूरे प्रकारस' नाश क' देताह जेना ओ सदोम आ गमोरा नगरके नाश कएने छलथि।”  30ई बातके सत्य होएबाक कारणे, हमरा ई कहबाक चाही जे आन जातिसब धर्मी बनएके कोशिस नहि क' रहल छल, तइयो ओ धर्मी बनि गेल। मुदा ओ परमेश्वरपर विश्वासक' क' धर्मी बनि गेल।31एकर विपरीत, इजराएलक लोक धर्मी बनएलेल ओहि नियमक पालन करएके कोशिस क' रहल छल जे परमेश्वर ओकरा देने छलनि। मुदा ओ ओहि नियमक पालन क' के धर्मी नहि बनि सकल।32एकर कारण ई अछि की इजराएलक लोक धर्मी नहि बनि सकल किएकत' ओ परमेश्वरपर विश्वास क धर्मी बनएके कोशिस नहि कएलक। एकर बदला, ओ मेहनति क धर्मी बनएके प्रयास कएलनि। एहि कारणस' मसीह ओकरा नकारि देलनि जखन ओ आएल। मसीह ओकरालेल एहन ठोकर लागएबला पत्थल बनि गेल जे ओकरा नकारि देलक।33ई ओहे अछि जे परमेश्वरक कहबाक माने छल जे ओ यशायाहस' शास्त्रमे लिखओलथि, “ध्यान दू! हम यरूशलेममे एहन लोक जकां एगो पत्थल राखि रहल छी जे लोकसबके ठेंस लगाएब आ एगो चट्टान राखि रहल छी जे ओकरा ठेंस लगाबए। मुदा जे केओ ओहि लोकपर विश्वास करत, ओकरा परमेश्वर अपमानित नहि करत।” 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67