Romans7
1हमर यहूदी संगी-विश्वासी, अहाँ नीक जकां जनैत छी की परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्थाके पालन यहूदी लोकके अपन जीवनभरि करबाक चाही। हम ई कहि रहल छी किएक हम एहन लोक से बातक' रहल छी जे परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्थास' परिचित अछि।2उदाहरणके लेल, परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्थाके अनुसार, एक विवाहित स्त्रीके अपन पतिके जीवनभरि हुनकास' विवाहमे बान्हल रहबाक चाही। मुदा, यदि हुनकर पतिके मृत्यु भ' जाएत अछि, त' परमेश्वरक व्यवस्था हुनका पतिस' बान्हल रहबाक लेल बाध्य नहि करत।3एहिलेल, यदि ओ अपन पतिके जीवित रहैत कोनो आन पुरुषस' विवाह करैत अछि, त' परमेश्वरक व्यवस्थाके अनुसार ओ व्यभिचारिणी कहाओत। मुदा यदि हुनकर पतिके मृत्यु भ' जाएत अछि, त' आब हुनका जे परमेश्वरक व्यवस्था विवाहित के लेल आवश्यक करैत अछि ओकर पालन नहि करबाक होएत। परिणाम स्वरुप, यदि ओ कोनो आओर पुरुषस' विवाह करैत अछि त' ओ व्यभिचारिणी नहि होएत।4एहि तरहें, हमर यहूदी संगी-विश्वासी, मसीहके मृत्यु क्रूसके माध्यमस' परमेश्वरके देल व्यवस्था आब अहाँके शरीरपर नियन्त्रण नहि अछि। परमेश्वर ई कएलक जाहिस' मसीहके संग मिलिक' जेना नव पतिस' विवाह करैत अछि जुड़ सकए। ओ ओएह अछि जेकरा परमेश्वर मृत्युस' जीवित कएलनि। जाहिस' हम एहन कामक' सकी जे हुनका प्रसन्न क' सकए। 5ठीके, जखन हम पापपूर्ण जीवनमे रही, त' परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्था हमरा आओर पाप करएके इच्छा देलनि। हमरासबहक पापपूर्ण जीवन हमरासबहक शरीरक अंगके नियन्त्रित करैत छल। परिणाम स्वरुप, हम अनन्तकालधरि मरएबला रही।6मुदा आब की हम यीशुपर विश्वास करए छी, परमेश्वर अपन व्यवस्थाके हमरापर बाध्यताके समाप्त क' देने छथि। परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्था आब हमरासबके कैदी जकां नियन्त्रित नहि करए छथि। परिणाम स्वरुप, आब हम परमेश्वरक सेवा एकटा नव तरीकास' करैत छी जे पवित्र आत्मास' अबैत अछि। आब हम परमेश्वरक सेवा ओहि पुरना तरीकास' नहि करैत छी जे परमेश्वरद्वारा यहूदीके देल गेल लिखित नियमके अनुसार अछि।7केओ कहि सकैत अछि, “जे अहाँ कहलीह ओ सत्य अछि, त' निश्चित परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्था पापमय अछि!” तब हम कहब, “बिलकुल नहि!” एकर उनटा, यदि परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्था नहि रहथि, त' हमरा कहियो पापके अर्थ पता नहि रहथि। उदाहरणके लेल, यदि परमेश्वर अपन व्यवस्थामे ई नहि कहने रहथि, “अहाँके लालच नहि करबाक चाही,” त' हमरा कहियो लालच करएके अर्थ पता नहि रहथि। 8मुदा हम पापी छी, हम आओर बेसी लालच करए चाहैत छी किएकत' हम जनैत छी जे परमेश्वर हमरासबके लोभ नहि करएके आज्ञा देलनि अछि। ई एहिलेल अछि किएकत' परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदीके व्यवस्था नहि होइत त' पापमय जीवन समाप्त भ' जाएत।9एहन समय छल जखन हम परमेश्वरद्वारा देल गेल यहूदी व्यवस्थाके बिना जीवित रही। मुदा, जखन हम ओहि आदेशके प्रति सचेत भेलीह, त' हम आओर अधिक पाप करएके इच्छा कएलीह।10हम आत्मिकरुपस' मरल जकां बनि गेली। परमेश्वरक आज्ञाक' परिणाम ई होएबाक चाहैत छल जे हम अनन्तकालधरि जीवित रहिती। मुदा परमेश्वरक आज्ञाके परिणाम ई होएत जे हम अनन्तकालधरि मरी जाएब। 11ई एहिलेल अछि किएकत हम आओर बेसी पाप करए चाहैत छी किएकत हमरा बुझल छल जे परमेश्वर की आज्ञा देने अछि। जखन हमहूं पाप कएलहुं, त' हमहूं स्वयंके धोखा देली। तखन परमेश्वरक आज्ञाके अवज्ञा करए से हम आत्मिकरुपस' मरि गेली। 12एहिलेल, परमेश्वरस' देल गेल यहूदी व्यवस्था परमेश्वरक योग्य अछि, आ जे परमेश्वर आज्ञा देलनि जे परमेश्वरक योग्य, न्यायपूर्ण, आ नीक अछि।13त', परमेश्वरके व्यवस्था, जे नीक अछि, निश्चितरुपस' हमरा आत्मिकरुपस' मरएके कारण नहि बनए! साफे नहि! बल्कि, पापमय जीवन अछि जे एहन कएलक। ई एहिलेल भेल जे परमेश्वरक नीक व्यवस्था ई देखा सकए जे पापमय जीवन जिनाइ कतेक पापी अछि। एहि प्रकारस' परमेश्वरक आज्ञासब ई प्रगट क' सकए जे पापमय जीवन कतेक बेसी पापमय अछि।14ई सत्य अछि किएकत हमसब जनैत छी जे परमेश्वरस' देल गेल यहूदी व्यवस्था परमेश्वरक' आत्मास' आएल अछि। परन्च जत धरि हमर बात अछि, हम आत्मिकरुपस' कमजोर छी। ई एहन अछि बुझू हमरा पापमय जीवनक' दास जकां सेवा करबाक चाही।15ई सत्य अछि किएकत हम ई बुझि नहि सकलहुं जे हम की करैत छी! वास्तवमे, हम ओहे करैत छी जे हम नहि करए चाहैत छी। परन्च जे हम करैत छी ओहिस हमरा घृणा अछि।16आब किएकत हम ओहे करैत छी जे हम नहि चाहैत छी, ई सिद्ध करैत अछि जे हम परमेश्वरस' देल गेल यहूदी व्यवस्थास' सहमत छी। हम इहो जनैत छी जे ओ नीक व्यवस्था अछि।17एकर अर्थ ई अछि जे आब हम नहि छी जे एहि पापमय काजसबके करैत छी। बल्कि, हमरा भितरके पापमय इच्छा हमरा ई करबाक लेल उत्साहित करैत अछि।18वास्तवमे, हमरा पता अछि जे हम बिलकुल नीक नहि छी। दोसर शब्दमे, हमर मनुष्यके स्वभाव बिलकुल नीक नहि अछि। ई सत्य अछि किएकत भलेहि हम सांचोमे नीक करए चाहैत छी, मुदा हम एना करएमे असमर्थ छी। 19वास्तवमे, हम नीक काज नहि करैत छी जे हम करए चाहैत छी। बल्कि, हम खराबे काजसब करैत रहैत छी जेकरा हम नहि करए चाहैत छी।20आब किएकत हम ओहे करैत छी जे हम नहि चाहैत छी, आब हमहीं नहि छी जे एहि पापमय काजसबके करैत छी। बल्कि, हमरा भितरके पापमय इच्छा हमरा ई करएके लेल उत्साहित करैत अछि।21परिणाम स्वरुप, हमहूं महसूस कएलहुं जे एगो नियम अछि: हम खराब काज करैत रहैत छी, ओना त हम वास्तवमे नीक काज करए चाहैत छी।22ई सत्य अछि किएकत परमेश्वरक यहूदीसबके देल गेल व्यवस्थास' हमर मन आनन्दित होएत अछि।23तथापि, हम एगो दोसर व्यवस्था देखैत छी जे हमर देहक अंगके काजसबके नियन्त्रित करैत अछि। ई व्यवस्था दोसर व्यवस्थास' संघर्ष करैत अछि जेकरा हमर मन स्वीकार करैत अछि। ई हमरो नियन्त्रित करैत अछि, हमरा अपन बंदी बनबैत अछि, ओहि व्यवस्थाके माध्यमस' जेकरास' हम पापमय जीवन जिऐत छी। पापमय जीवन हमर देहक अंगके काजसबके नियन्त्रित करैत अछि।24हम वास्तवमे एकटा दीन व्यक्ति छी! हमरा एहन महसूस होइत अछि मानू केओ हमरा एहि देहस' नहि बचा सकत जे हमरा मारि दैत अछि!25संक्षेपमे कही त', हम परमेश्वरके धन्यवाद करैत छी जे हमरा बचएलक हमर प्रभु यीशु मसीहक माध्यमस'! एहिलेल, वास्तवमे हम अपन मनस' परमेश्वरके यहूदीसबके देल गेल व्यवस्थाके पालन करैत छी। तथापि अपन पापमय मनुष्यके स्वभावके संगे हम ओहि सिद्धान्तक पालन करए छी जे हमसब पापके दास बनिक' जीवन जिअएलेल उत्साहित करैत अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.