Mark16
1शनिवारके सांझमे जखन यहूदीसबके विश्राम-दिन समाप्त भेल त' मगदलाके रहनिहारि मरियम, याकूबके माय मरियम आ सलोमी यीशुके शरीरपर मलएलेल सुगन्धित लेप किन लेलनि। ई स्त्रीसब यहूदीसबके दफनाओल जाएबला प्रथाके पालन कर' चाहैत छलीह।2सप्ताहके पहिन दिन भोरे सूर्योदयके समय स्त्रीसब कबरपर सुगन्धित लेप ल' क' गेलीह।3बाटमे दुनूगोटे एक-दोसरस' पुछि रहल छलीह, “ओहि प्रवेशद्वारके भारी पत्थलके हटाबएलेल अपनासबके मदति करत जाहिस' कबरके द्वार बंद अछि?”4ओत' पहुंचल त' ओसब आंखि उठाक' देख आश्चर्यचकित भ' गेलीह जे केओ पत्थलके हटा देने अछि, किएकत' ओ बहुत पैघ छल।5ओ स्त्रीसब कबरमे प्रवेश कएलापर एकटा युवकके देखलक। ओ उज्जर कपड़ा पहिरने छल आ गुफाके दहिनाकात बैसल छल। ई दृश्य ओकरासबके भयभीत क' देलक!6ओ युवक ओकरासबके कहलनि, “डेराउ नहि! हम जनैत छी जे अहाँसब नासरतके यीशुके खोजि रहल छी, जिनका ओसब क्रूसपर कांटी ठोकिक' मारि देने छलनि। मुदा ओ फेरुस' जीवित भ' गेल छथि! ओ एत' नहि छथि! देखू! ई ओ स्थान अछि जत' ओसब हुनकर लासके रखने रहैक।7मुदा, एतहि रुकबाक बदला, जाक' हुनकर चेलासबके कहि दिऔ! अहाँ पत्रुसके अवश्य कहब। हुनकासबके कहि दिऔ, ‘यीशु अहाँसबस' आगु गलीलमे जा' रहल छथि, आ जेना ओ अहाँसबके पहिने कहने छलथि, जे अहाँसब हुनकास' ओतहि भेट करब।’”8ओ स्त्रीसब बाहर आबिक' कबरस' भागि गेलीह। विस्मित भेलाके कारण ओसब कांपि रहल छल। मुदा ओसब एहि विषयमे केकरो किछु नहि कहलकनि, कारण ओसब डेराएल छल।9सप्ताहके पहिन दिन भोरमे, जखन यीशु मृत्युस' जीवित भ' उठलाह तखन मगदला नगरके मरियमके पहिने देखाइ देलनि। ई ओएह स्त्री छथि जेकरामेस' ओ पहिने सातटा दुष्टात्माके बाहर निकालने छलथि।10ओ यीशुके चेलासब लग गेलीह जे ओहि समयमे शोकमे कानि रहल छल। ओसब जे देखलक से ओ ओकरा कहि देलकनि।11मुदा जखन ओ ओकरासबके कहलकनि जे यीशु फेरुस' जीवित भ' गेल छथि आ ओसब हुनका देखने छथि, तखन ओसब ओकर बातपर अविश्वास कएलक।12ओहि दिनके बाद, यीशु अपन दूटा चेलाके देखाइ देलथिन, जखन ओसब यरूशलेमस' अपन घर दिसके लगपासक क्षेत्रमे जा रहल छलनि। ओसब हुनका झटस' तखन नहि चिन्हलक, कारण ओ बहुत अलग रुपमे देखाइ दैत छलथि।13जखन ओसब हुनका चिन्हलनि, त' ओ दुनूगोटे यरूशलेम घुरि गेलै। जे किछु घटित भेल छल ओ हुनकर चेलासबके कहलकनि, मुदा जे बात ओसब सुनलनि ओहिपर विश्वास नहि कएलक।14बादमे यीशु एगारहो चेलाके ओहि समय देखाइ देलथिन जखन ओसब भोजन क' रहल छलनि। ओ ओकरासबके जोड़स' डांटि देलथिन, किएकत' ओसब अपना मनके कठोर भेलाके कारण ओकरासबके बातपर विश्वास नहि कएने छलनि जे लोक हुनका देखने रहैक ओ मरलाके बाद फेरुस जीवित भ' गेल छथि।15ओ ओकरासबके कहलथि, “अहाँसब संसारमे जाक' सबलोकके सुसमाचारके प्रचार करु!16जे केओ अहाँके सन्देशपर विश्वास करत आ बपतिस्मा लेत, परमेश्वर ओकरासबके उद्धार करताह। मुदा जे केओ अहाँके सन्देशपर विश्वास नहि करत, ओकरा परमेश्वर दोषी ठहराओत।17जे लोकसब सुसमाचारपर विश्वास करैत अछि, ओसब चमत्कार करत। विशेषरुपस', हमर नामके शक्तिस' लोकसबमेस' दुष्टात्माके निकालि देत। ओसब ओहि भाषामे बाजत जे ओसब सिखने नहि छथि।18जखन ओ कोनो सांपके उठालेत आ बिखधर तरल पदार्थ पीबि लेत, तथापि ओकरासबके हानि नहि होएत। आ जे बेमारी लोकसबपर ओ अपन हाथ राखत ओकरा परमेश्वर चंगा करताह।”19जखन प्रभु यीशु अपन चेलासबके ई बात कहि देलनि, ओकर बाद परमेश्वर हुनका स्वर्गमे उठाक' ल' गेलथि। तब यीशु परमेश्वरके दहिनाकात अपन सिंहासनपर बैसलाह, जे हुनकासंग राज करबाक लेल सर्वोच्च प्रतिष्ठाक स्थान अछि। 20आ तब चेलासब यरूशलेमस' बाहर निकलिक' सबठाम प्रचार कर' लगलनि। जत' कतौ ओसब गेलनि, प्रभु ओकरासबके चमत्कार कर' मे सक्षम बनौलथि। एहि तरहें ओ लोकसबके ई प्रगट कएलनि जे परमेश्वरके सन्देश सत्य अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.