Luke1
1आदरणीय थियुफिलुस, हमरासबहक बीच जे घटना घटल अछि ताहिपर कतेको लोक लिख चुकल अछि।2जे बात हमरासबके कहल गेल रहए से ओसब संकलन क' रहल अछि जे सब ईसब होइत देखलनि। जहियास' सबकिछु होबए लागल छल तहिएस' ओसब ओतए रहए, आ तहिएस' ओसब ओहि घटनाके प्रचारके सेवक छलथि।3जे किछु घटना घटल छल शुरुएस' हम स्वयं ओहिके सावधानीपूर्वक जांच कएने छी। तएं हम निर्णय लेलहुं जे अहाँके लेल सेहो एकटा सटीक विवरण लिखल जाए। हे श्रीमान थियुफिलुस,4हम चाहैत छी, जे अहाँ पूर्ण सत्य जानि लिअ जे यीशुके विषयमे लोकसब जे बात कहने अछि ओ सत्य अछि।5जहिया हेरोदके' यहूदियाके शासक रहए तहिया जकरयाह नामके एकटा यहूदी पुजारी छलथि। ओ पुजारीके काजके क्रममे अबियाहके वंशज छलथि, आ एहि कारणे ओ अपन पारमे अबियाहके वंशज आन पुजारीसबके संग मन्दिरमे सेवा करैत रहथि। हुनकर पत्नीके नाम इलीशिबा छलनि। ओ पुजारी हारूनके वंशज छलीह, तएं ओहो पुजारीए वंशके छलीह।6परमेश्वर सोंचैत छलाह जे ओ दुनूगोटे निर्दोष छलथि, किएकत' ओसब सदिखन प्रभुके आज्ञाके पालन करैत छलथि।7मुदा हुनकासबके कोनो सन्तान नहि रहथि, किएकत' इलीशिबा बच्चा जन्माबए स' असमर्थ छलीह। माने ओ निसन्तान छलीह। आ हुनकर पति सेहो बड़ बूढ़ भ' गेल रहथि।8जकरयाहके पुजारीके समूहके अपन पार लेबएलेल यरूशलेममे सेवा करबाक समय आबि गेल छलनि। तएं परमेश्वरके पुजारीके काज करबाक लेल जकरयाह ओतए उपस्थित भेलथि।9पुजारीसब जकरयाहके प्रभुके मन्दिरमे जा' क' ओतए' धूप जरएबाक काज सोंपलनि। ओसब हुनका अपन समान्य तरीकास' चुनलनि, माने चिट्ठाद्वारा कएलनि ई निर्धारीत करएलेल जे परमेश्वर केकरा कोनो विशेष काज करएलेल चाहैत छथि। 10जखन परमेश्वरके लेल धूप जरएबाक समय आएल तखन बहुते लोक मन्दिरके बाहरके प्रांगणमे प्रार्थना करैत रहए।11ओहि समयमे जकरयाह लग प्रभुक स्वर्गदूत आबि गेलथि। वेदीके लगमे आबिक' ओ ठाढ़ भ' गेलथि जत' ओ धूप जरबैत रहथि।12जखन जकरयाह स्वर्गदूतके देखलनि त' ओ घबड़ाक' डेरा गेलथि।13मुदा स्वर्गदूत हुनकास' कहलनि, “यौ जकरयाह हमरास' डेराएके कोनो बात नहि अछि। अहाँ प्रार्थना करैत रही आ परमेश्वर अहाँके प्रार्थनाक उत्तर देब' जा रहल छथि। अहाँके पत्नी इलीशिबा अहाँके लेल एकटा बेटाके जन्म देतीह। अहाँ हुनक नाम यूहन्ना राखब।14बच्चाके जन्मलाके बाद अहाँ बहुत प्रसन्न होएब, आओर लोकसब सेहो प्रसन्न होएत।15अहाँ एहिलेल प्रसन्न होएब जे अहाँके बेटा प्रभुके लेल बहुत बेसी प्रभावशाली होएत। ओ कहियो दाखमद्य आ कोनो आन मद्य नहि पिअत। हुनक जन्म लेब' स' पहिनहि पवित्र आत्मा हुनका प्रभावित करबाक शुरु क' देताह। 16अहाँके बेटा बहुते इजराएलीसबके पाप करब छोड़ि फेरुस' प्रभु ओकर परमेश्वरके आज्ञा मानएलेल मना लेतए।17अहाँके बेटा प्रभुके आगु-आगु जाएत आ ओ आत्मामे ओहने सामर्थी होएत जेहन एलियाह प्रवक्ता छलाह। ओ माय बाबूके अपन सन्तानसबके संग फेरुस' प्रेम करएलेल प्रेरित करितए। ओ बहुते लोकके प्रेरित करत जे परमेश्वरके आज्ञा नहि मानैत छथि जे हुनकर आज्ञा मानथि आ बुद्धिमानीस' धर्मी जीवन जिबथि। ओ ई काज एहिलेल करत जे जखन प्रभु आबि जएताह तखन हुनकर लोक हुनकालेल तैयार रहैक।” 18तखन जकरयाह स्वर्गदूतके कहलनि, “हम कोना सुनिश्चित भ' सकब जे बात अहाँ कहलहुं से सांच्चेके पूरा होएत? हम बड़ बूढ़ छी, आ हमर पत्नी सेहो बड़ बूढ़ छथि, तएं ई होएत से हम कोना निश्चित भ' सकैत छी?”19तखन स्वर्गदूत हुनका उत्तर देलनि, “हम जिब्राइल छी! हम परमेश्वरके आगु ठाढ़ रहैत छी! परमेश्वर हमरा ई सुसमाचार पठौलथि जे अहाँके संग की होएत। 20आब सुनू! हम जे कहने छी से ओहि समयमे अवश्य होएत जे परमेश्वर ठहरौने छथि। मुदा हमर सन्देशपर विश्वास नहि भेलाके कारणे परमेश्वर अहाँके बाजएस' रोकि देताह। जाधरि बेटाके जन्म नहि होएत ताधरि अहाँ बाजि नहि सकब!”21जखन जकरयाह आ स्वर्गदूत मन्दिरमे बातक' करैत रहए त' प्रांगणमे लोकसब जकरयाहके बहराएके बाट तकैत रहैक। ओसब सोंचि रहल छल जे ओ एतेक समय धरि मन्दिरमे किएक रहलाह।22तखन ओ मन्दिरस' बाहर निकललनि, मुदा हुनकासबस' नहि बतिआ सकलनि। बाजि नहि सकलाक कारणे हाथस' इसारा क' क' जे भेल रहए से बुझएबाक प्रयास कएलनि। एहिस' लोकसब ई बुझए' मे अएलनि जे जाहि समयमे ओ मन्दिरमे छलाह, ओहि समयमे हुनका परमेश्वरके दर्शन भेल छलनि।23जकरयाह जखन मन्दिरमे पुजारीके सेवा करब समाप्त कएलनि, तखन ओ यरूशलेम छोड़िक' अपन घर घुरि गेलाह।24किछु समयके बाद हुनक पत्नी इलीशिबा गर्भवती भ' गेलीह, आ पांच महिना धरि ओ बाहर नहि निकललथि। ओ मनेमन सोंचलीह,25“प्रभु हमरा गर्भवती बनएमे सक्षम कएलथि। एहि तरहें ओ हमरापर अपन दया देखओने छथि। हुनकर कृपास' आब लोकसबमे निसन्तानके कारण हमरा लाज नहि लागत।” 26इलीशिबा छओ महिनाके गर्भवती भेलीह तखन परमेश्वर जिब्राइल स्वर्गदूतके गलील प्रदेशके नासरत नामके नगरमे पठौलथि।27परमेश्वर हुनका ओतए पठौलथि जे ओ एकटा कुमारि कन्यास' बात करथि जिनकर नाम मरियम छलनि। हुनकर माय-बाबू छेका देने छलथि जे ओ यूसुफ नामके आदमीस' विवाह करतीह जे राजा दाऊदके वंशज छल।28मरियम जत' छलीह, स्वर्गदूत ओतए' आबि हुनका कहलनि, “हे परमेश्वरके कृपाके प्रिय पात्र अपने धन्य छी! अहाँ प्रभुक लेल बहुत विशेष छी!”29मुदा जखन ओ ई बात कहलनि त' ओ असमन्जसमे पड़ि गेलीह। हुनका ई बुझएके प्रयास कर' पड़लनि जे एहि अभिवादनके अर्थ की भ' सकैत अछि।30तखन स्वर्गदूत हुनका कहलनि, “हे मरियम, परमेश्वर अहाँके आशीर्वाद देब चाहैत छथि, तएं नहि डेराउ!31अहाँ आब सुनू। अहाँ गर्भवती होएब आ एकटा बेटाके जन्म देब। हुनकर नाम यीशु राखब। 32ओ महान आ सर्वोच्च परमेश्वरके पुत्र होएताह। प्रभु परमेश्वर हुनका अपन लोकसबके राजा बनौथिन, जेना हुनकर पूर्वज दाऊदके सिंहासन रहथि। 33ओ सदिखन याकूबके वंशके लोकसबके राजा रहताह। ओकरासबपर सदाके लेल राज करताह!” 34तखन मरियम स्वर्गदूतके कहलनि, “मुदा ई कोना भ' सकैत अछि? हम त' कुमारिए छी।”35तखन स्वर्गदूत उत्तर देलनि, “पवित्र आत्मा अहाँपर आबि जएताह। परमप्रधानके शक्ति एहन होएत जेना हुनकर छांह अहाँपर पड़ैत होइक। तएं जे बच्चा अहाँ जन्म देब से पवित्र बालक होएत। ओ परमेश्वरक पुत्र होएताह।36ईहो सुनू। अहाँके सगा-सम्बन्धी इलीशिबा सेहो गर्भवती छथि, आ हुनका एकटा बेटा होबएबला अछि। बहुत बूढ़ होएबाक कारणे लोक सोंचैत छल जे ओ सन्तान नहि पैदा क' सकैत अछि। मुदा एहि समयमे ओ लगभग छओ महिनाके गर्भवती अछि।37एहिलेल अहाँ देखियौ, जे परमेश्वर कोनो बातक' सकैत छथि!” 38तखन मरियम कहलीह, “ठीक अछि, हम प्रभुके दासी हुनकर आज्ञा मानएलेल इच्छुक छी। परमेश्वर ओहि बातसबके क' सकैत छथि जे हमरासंगे घटित होएबाक वर्णन अहाँ कएने छी।” तखन ओ स्वर्गदूत हुनका लगस' चलि गेलथि।39किछु दिन बाद मरियम तुरन्त तैयार भ' गेलीह आ जतेक जल्दी भ' सकैत छल, ओहि शहर दिस विदा भ' गेलीह जे यहूदियाके पहाड़ी देशमे छल, जत जकरयाह रहैत छलाह।40ओ जकरयाहके घरमे प्रवेश कएलीह आ हुनकर पत्नी, इलीशिबाके प्रणाम कएलीह।41इलीशिबा जहिना मरियमके प्रणाम करैत सुनलनि त' इलीशिबाके गर्भमे रहल बच्चा अचानक चलबलाएल आ इलीशिबाके पवित्र आत्मा बाजएलेल प्रेरित कएलथि,42ओ जोरस' बाजिक' मरियमके कहलीह, “परमेश्वर अहाँके कोनो आन स्त्रीस' बेसी आशीर्वाद देने छथि, आओर ओहि बच्चाके सेहो आशीर्वाद देने छथि जेकरा अहाँ जन्म देब!43हम एहि योग्य नहि छी, जे हमर प्रभुके माय, अहाँ हमरास' भेट करएलेल आबि!44हम ईसब एहिलेल जनैत छी जे जहिना हम अहाँके नमस्कार कहैत सुनलहुं त' हमर पेटमे रहल बच्चा चलबलाए लागल किएकत' ओ बड़ उत्साहित रहए!45अहाँ धन्य छी, कारण अहाँ विश्वास कएलहुं जे प्रभु जे कहने छलाह से पूरा होएत।”46तखन मरियम परमेश्वरके स्तुति करैत कहलीह, “हमर प्राण प्रभुके स्तुति करैत अछि।47आ हमर आत्मा परमेश्वरके प्रति बड़ आनन्द अनुभव करैत अछि, जे हमरा उद्धारकर्ता छथि! 48हम एहिलेल प्रसन्न छी, कारण ओ अपन दासी, हमरापर कृपा कएलनि, भलेहि हमर बेसी महत्व नहि छल। कल्पना करी जे आब आगामी दिनमे जीवित लोक कहत जे परमेश्वर हमरा आशीर्वाद देने छथि। 49ओसब ई एहिलेल कहत जे परमेश्वर सर्वशक्तिमान आ हुनकर नाम पवित्र छथि, हमरालेल महान काज कएने अछि।50ओ सब युगमे हुनक भय माननिहार लोकक संग बहुत कृपालु व्यवहार करैत छथि। 51ओ लोकसबके ई प्रगट कएने छथि जे ओ बहुत शक्तिशाली छथि। जेकर मन घमण्ड स' भरल अछि, ओकरासबके बाहर निकालि देल गेल अछि। 52ओ शासकसबके शासन करएस' रोकने छथि, मुदा दीन-दुखी लोकसबके सम्मान देने छथि। 53जे बिना खएने भूखल रहए तेकरा ताधरि नीक भोजन करौलथि जाधरि ओसब तृप्त नहि भ' जाइत छल, मुदा ओ धनीक लोकके किछु नहि देलथिन। 54ओ इजराएल अर्थात् हुनकर सेवकसबपर कृपालु रहथि।” 55बहुत पहिने ओ हमरासबके पूर्वजके वचन देने छलाह जे हुनकापर दया करितथि। ओ ओहि प्रतिज्ञाके पूरा कएलनि आ अब्राहम आ हुनकर वंशजसबके संग सदिखन दयालु व्यवहार करैत रहलथि। 56मरियम लगभग तीन मासधरि इलीशिबाके संगे रहलीह। तेकरबाद, ओ अपन घर चलि गेलीह।57इलीशिबाके समय भेलापर ओ एकटा बेटाके जन्म देलीह।58जखन हुनकर पड़ोसी आ परिजनसब सुनलनि जे कोना प्रभु हुनका बेटा द' क' कृपा कएलनि त' ओसब इलीशिबा स' बहुत प्रसन्न भेलनि।59जहिया ओ बालक आठ दिनके भेल, लोकसब बच्चाके खतना करबाक लेल जमा भेल, ई देखाबएलेल जे ओ बालक परमेश्वरके प्रति समर्पित अछि। संगहि, बच्चाके नामाकरणके समय आबि गेल रहए। ओसब बच्चाके नाम जकरयाह राखए चाहैत छल, कारण ओकर पिताके नाम इएह रहैक। 60मुदा ओकर माय कहलीह, “नहि, ओकर नाम जकरयाह नहि, यूहन्ना राखल जाए!”61तखन ओसब हुनका कहलनि, “यूहन्ना नाम अहाँके कोनो परिजनके नहि अछि!”62तखन ओसब हाथस' इसारा कएलनि जे ओकर बाबूस' पुछल जाए जे ओ अपन बेटाके नाम की राखए चाहैत अछि।63तएं जकरयाह संकेत देलनि जे हुनका एकटा पाटी उपलब्ध कराओल जाए, जाहिपर ओ लिख सकथि। जखन ओसब हुनका पाटी उपलब्ध करौलनि त' ओ ओहिपर लिखलनि, “ओकर नाम यूहन्ना अछि।” ई बात ओतए' उपस्थित सबगोटेके चौका देलक!64तखन जकरयाह फेरुस' बाजएमे सक्षम भ' गेल आ परमेश्वरके स्तुति करए लगलाह।65जखन ओतए' रहनिहार लोक सुनलनि त' परमेश्वर प्रति बहुत कृतज्ञता महसूस कएलनि। ओसब बहुते लोकके घटनाके विषयमे कहलनि आ ई बात पूरा यहूदियाके पहाड़ी क्षेत्रमे रहनिहार लोकसबके बीचमे डर पसरि गेल।66जे केओ ई सब बात सुनलनि से सब सोंचैत रहि गेल। ओसब मनमे सोंचलनि, “निश्चय ई बच्चा नमहर भ' क' बहुत बढ़का व्यक्ति बनि जाएत!” ओसब एना सोंचैत रहए कारण ओसब देख सकैत छल जे प्रभु हुनकर जीवनमे शक्तिशालीरुपस' उपस्थित छलाह।67बालकके पिता जकरयाह फेरुस' बाजएमे सक्षम भेलाक बाद पवित्र आत्मा जकरयाहके परमेश्वरके दिसस' ई बात भविष्यवाणी बाजएलेल प्रेरित कएलनि।68“प्रभु परमेश्वरके स्तुति करु, जे हम इजराएली लोकसब आराधना करैत छी, किएकत' ओ हमरासबके, अपन लोकसबके छुटकारा देबएलेल आएल छथि। 69ओ एकटा एहन आदमी पठौलनि जे हमरासबके सामर्थ्यपूर्वक उद्धार करत, जे अपन दास दाऊदके वंशज अछि, जेकरा ओ राजा बनएलेल चुनने छथि। 70बहुत पहिने परमेश्वर अपन पवित्र प्रवक्तासबके प्रेरित कएलनि जे ओ ई काजसब करताह।71परमेश्वर एहि उद्धारकर्ताके पठारहल छथि जे हमरासबके शत्रुसबस' रक्षा करथि, आ ओ हमरासबके उद्धार करताह जे हमरासबस' घृणा करैत अछि। 72परमेश्वर ई एहिलेल कएने छथि जे ओ हमरासबके पूर्वजसब प्रति कृपालु रहलाह आ हुनकासबस' कएल गेल पवित्र प्रतिज्ञाके कारणे पालन क' रहल छथि।73ई ओ सपत अछि जे ओ हमरासबके पूर्वज अब्राहमसंगे शपथ खएने छलथि जे ओ हमरासबके संग की करताह। 74ओ शपथ लेने रहथि जे ओ हमरासबके शत्रुसबके हाथस' छुटकारा देताह जाहिस' हमसब ओकरासबस' डेराएले बिना हुनकर सेवा क' सकब।75परिणाम स्वरुप, जखनधरि हमसब जीवित छी, तखनधरि हमसब धार्मिकता आ पवित्रतास' जीवनके एहन ढंगस' जीबि जे पूर्णरुपस' हुनकरे अछि।”76तखन जकरयाह अपन ननकिरबाके कहलनि, “यौ बौआ, तों परमप्रधान परमेश्वरके प्रवक्ता बनबए। प्रभुके आगमनस' पहिने तों अपन काज शुरु करबए जे लोकके हुनकर प्रतीक्षा करएलेल तैयार क' सकबे। 77तों परमेश्वरके लोकसबके कहबही जे ओ ओकरासबके पाप क्षमाक' क' उद्धार करए चाहैत छथि।78परमेश्वर हमरासबके बचाबए चाहैत छथि, कारण ओ कृपालु आ प्रिय छथि। एहिलेल स्वर्गस' उद्धारकर्ताके हमरासबके मदतिके लेल पठाबि रहल छथि।79ई उद्धारकर्ता ओहि लोकसबपर सत्य प्रगट करथिन जे हुनका नहि जनैत छनि, एतधरि जे ओहोसब जे हुनका एकदम्मे नहि जनैत अछि। ओ हमरासबके देखौथिन जे शान्तिके बाटपर' एहन जीवन कोना जिअल जाइक जे परमेश्वरके प्रसन्न करए।” 80जेना-जेना समय बितैत गेल, जकरयाह आ इलीशिबाके ननकिरबा बढ़ैत गेल आ आत्मिकरुपस' मजगूत होइत गेल। तखन ओ निर्जन क्षेत्रमे रहएलेल चलि गेलाह। ओ एखनो ओतहि रहैत छलाह जखन ओ परमेश्वरके लोक, इजराएलीसबके सार्वजनिकरुपस' प्रचार करए लगलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.