Mark15

1शास्त्रीसब, मुख्य पुजारीसब, बूढ़-पुरानसब आ महासभाके सदस्यसब रोमी राज्यपालके आगु यीशुपर कोना आरोप लगाओल जएबाक चाही से तएं कर' लेल भोरस' भोर बैसार कएलक। ओकर सिपाहीसब यीशुके हाथ बान्हि देलक। ओसब हुनका राज्यपाल पिलातुसके निवासपर ल' गेलै।2पिलातुस यीशुस' पुछलनि, “की अहाँ कहैत छी जे अहाँ यहूदीसबके राजा छी?” यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “अहाँ स्वयं कहैत छी।”3तखन मुख्य पुजारीसब दाबी कएलकनि जे यीशु बहुत खराब काज कएलक।4तखन पिलातुस फेरु पुछलनि, “की अहाँके किछु नहि कहबाक अछि? अहाँपर बहुते अधलाह काज करबाक आरोप लागि रहल अछि!”5मुदा यीशु तथापि किछु नहि कहलथि। जेकर परिणाम एना भेल जे पिलातुसके बड़ आश्चर्य लागल।6राज्यपालके प्रथा रहए जे प्रत्येक वर्ष फसह-पर्वके समय एकटा आदमीके जहलस' मुक्त कएल जाइत छल। प्रथाके अनुसार ओ कैदीके मुक्त क' दैत छलनि जेकरालेल लोकसब आग्रह करैत छलनि।7ओहि समयमे बरब्बा नामके आदमी रहए, जेकरा सिपाहीसब किछु आन लोकसबके संग जहलमे राखि देने रहैक। ओसब रोमी सरकारके विरुद्ध विद्रोह करबाक क्रममे किछु सैनिकके मारि देने रहैक।8लोकसबके एकटा भीड़ पिलातुस लग जाक' ओकरास' निवेदन कएलनि जे केकरो छोड़ि दैथि, ठीक ओहिना जेना ओ पहिने फसह पर्वमे ओकरासबके प्रथाके अनुसार कएने रहए।9पिलातुस ओकरासबके उत्तर देलनि, “की अहाँसब चाहैत छी जे हम अहाँसबके लेल ओहि आदमीके मुक्त क' दी जेकरा अहाँ यहूदी लोकसब अपन राजा कहैत छी?”10ओ ई बात एहिलेल पुछलनि जे ओ जनैत छलनि जे मुख्य पुजारीसब की कर' चाहैत अछि। ओसब यीशुपर एहिलेल आरोप लगा रहल छलनि जे ओसब हुनकास' ईर्ष्या करैत रहए किएकत' बहुते लोक हुनकर चेला बनि रहल छलनि।11मुदा मुख्य पुजारीसब भीड़स' आग्रह कएलनि जे ओ पिलातुसस' निवेदन करए जे यीशुके बदला बरब्बाके मुक्त क' दैक।12एकबेर फेरु पिलातुस ओकरासबके कहलनि, “जं हम बरब्बाके मुक्त क' देब त' अहाँसब की चाहैत छी जे हम एहि आदमीक संग की करी, जेकरा अहाँसबमेस' किछु यहूदीसब अपन राजा कहैत छी?”13तखन ओसब फेरु जोर-जोरस' हल्ला कर' लागल, “अपन सिपाहीसबके ओकरा क्रूसपर चढ़ाबएलेल आज्ञा दिऔ!”14तखन पिलातुस ओकरासबके पुछलनि, “किएक? ओ कोन अपराध कएने अछि?” मुदा ओसब आओर जोरस' चिचिआक कहए' लागल, “अपन सिपाहीसबके ओकरा क्रूसपर चढ़एबाक आदेश दिऔ!”15किएकत' पिलातुस लोकसबके प्रसन्न कर' चाहैत छलनि, तएं ओ ओकरासबके लेल बरब्बाके छोड़ि देलक। तेकरबाद ओकर सिपाहीसब यीशुके चमड़ाके पट्टीस' बनल कोड़ास' मारलक, जाहिपर ओसब धातु आ हड्डीके टुकड़ीसब बन्हने रहए। पिलातुस सिपाहीसबके आदेश देलनि जे यीशुके क्रूसपर चढ़ाबएलेल ल' क' जाउ।16पिलातुसके सिपाहीसब यीशुके ओहि महलके आंगनमे ल' गेल जत' पिलातुस रहैत छलनि। ओ स्थान सरकारी कार्यालय रहए। तखन ओ ओत' तैनात सैनिकके पुरे दलके बजौलनि।17जखन सब सिपाही एकठाम जम्मा भ' गेल त' यीशुके बैगनी वस्त्र पहिरा देलक। तब हुनकर माथपर मुकुट पहिराओल गेल, जे कांटेकांटस' बनल छल। ओसब हुनक अपमान करबाक लेल आ हुनका राजा बुझबाक नाटक कर' लेल ईसब कएलक।18तब फेरु हुनकर उपहास करबाक लेल ओसब राजाके नमस्कार करए जकां हुनका एना कहैत नमस्कार कएलनि, “यहूदीसबपर शासन करएबला राजाके जय होए!”19ओसब बेर-बेर हुनक माथपर नरकटके छड़ीस' मारलक आ थूक फेकलक। हुनका आदर करबाक ढोंग करैत हुनका आगु ठेहुनियां देलक प्रणाम कएलक।20ओसब हुनकर उपहास क' क' हुनकर बैगनी वस्त्र उतारि देलनि। ओसब हुनका अपन वस्त्र पहिरा देलक, आ फेरु हुनका क्रूसपर चढ़ाबएलेल नगरस' बाहर ल' गेलनि।21यीशु अपन क्रूस ल' क' किछु दूर गेलाह त' कुरेन नगरके सिमोन नामके एक आदमी अबैत छल। ओ सिकन्दर आ रूफुसके पिता छल। जखन ओ अपन घर घुरैत छल त' शहरके बाहरी क्षेत्रस' गुजरैत छल। सिपाही सिमोनके यीशुके मदति कर' लेल क्रूस उठाबएलेल विवश क' देलक, किएकत' यीशुके संग ओकरासबद्वारा कएल गेल दुर्व्यवहारस' ओ थाकि गेल छलथि।22रोमी सिपाहीसब दुनूगोटेके गुलगुता नामके स्थानपर ल' गेल। ओहि नामके अर्थ अछि “खोपड़ीक स्थान”23तब ओसब यीशुके मुर्र मिलाएल दाखरस पिआबएके कोशिस कएलक, मुदा ओ ओकरा पिबएस' मना क' देलथिन।24किछु सिपाहीसब हुनकर कपड़ा ल' लेलक। तब ओसब हुनका क्रूसपर कांटी ठोकि देलक। तेकरबाद चिट्ठा लगाक' हुनकर कपड़ा आपसमे बांटि लेलक। कोन व्यक्तिके कोन कपड़ाके टुकड़ा भेटत से निश्चित कर' लेल ईसब कएलनि। 25जखन ओसब हुनका क्रूसपर चढ़एलक तखन दिनके पहिन पहर छल।26ओसब यीशुके माथस' उपर क्रूसपर एकटा आरोप पत्र लगा देलनि, जाहिपर केओ लिखने रहैक जे ओसब हुनका किएक क्रूसपर चढ़ा रहल अछि। ओहिपर लिखल छल, “यहूदीसबके राजा।”27ओसब दूटा आओर कैदीके सेहो दोसर क्रूसपर कांटी ठोकि देलक, जे डकैत छल। ओसब एकटाके यीशुके दहिनाकात आ दोसरके यीशुके बामा कात क्रूसपर कांटी ठोकि देलक।28[ओसब हुनका डाकूसबके संग क्रूसपर चढ़ाक' धर्मशास्त्रके ओहि बातके पूरा कएलनि, जे कहैत अछि, ओसब हुनका दुष्ट लोक जकां बुझलक।] 29ओहि द' क' आब' आ जाएबला लोकसब हुनकापर माथ हिला क' निन्दा उड़बैत छल। ओसब कहैत छल, “वाह! रे तों कहने रहए जे मन्दिर तोड़िक' फेरुस' तीन दिनमे बना देबही। 30यदि तों ई काज क' सकैत छे, त' क्रूसपरस' उतरिक' स्वयंके बचा ले”31शास्त्रीसबके संगे-संगे मुख्य पुजारीसब सेहो यीशुके मजाक उड़ाबए चाहैत छल। तएं ओसब एक-दोसरस' कहलनि, “लोक दाबी करैत अछि जे ओ दोसरके परेशानी स' बचौने अछि, मुदा ई त' अपने स्वयंके सेहो नहि बचा सकैत अछि!32ओ स्वयंके मसीह आ इजराएलीसबके शासक होएबाक' दाबी कएलनि। यदि एकर बात सत्य रहतैक, त' एकरा एखने क्रूसपरस' उतरि जएबाक चाही! तब हमसब एकरापर विश्वास करब!” हुनकासंगे क्रूसपर चढ़ाएल गेल लोकसब सेहो हुनका हंसी उड़एलक।33दुपहरस' तेसर पहर धरि सारा देश अन्हार भ' गेल।34तेसर पहर दिस यीशु बजलथि, “इलोई, इलोई, लामा सबक्तानी?” जेकर अर्थ होएत अछि, “हे परमेश्वर, हे परमेश्वर, अहाँ हमरा किएक त्यागि देलहुं?”35ओत' ठाढ़ किछु लोक जखन “इलोई”, शब्द सुनलनि, त' ओसब गलत अर्थ बुझति कहलनि, “सुनू! ओ एलियाह प्रवक्ताके बजा रहल अछि!”36ओहिमेस' एकगोटे भागिक' एकटा रुइके तिताह दाखमद्य भिजा लेलक। ओ ओकरा नरकटके छड़ीके नोकपर राखिक', आ फेरु ओकरा उपर उठएलनि आ यीशुस' कहलनि जं ओ एहिमेस' पिबाक प्रयास करथि। ई काज करैत काल केओ कहलक, “रुकू! देखू जे एलियाह एकरा क्रूसपरस' उतारएलेल अबैत छथि की नहि!” 37आ फेरु यीशु जोरस' बाजिक' ओ सांस लेब छोड़ि देलथिन।38तखने, मन्दिरके परम पवित्र स्थानके बंद करएबला भरिगर मोटगर पर्दा उपरस' नीचा धरि दू भागमे फाटि गेल।39यीशुके सामने ठाढ़ भेल सेनापति यीशुके क्रूसपर चढ़ाबएबला सिपाहीसबके निगरानी करैत छल। जं ओ देखलक जे यीशु कोना मरल, त' ओ कहलनि, “सांच्चे, यीशु परमेश्वरके पुत्र छलथि!”40ओत' किछु स्त्रीसब सेहो छलीह, जे दूरेस' ईसब देखैत छलीह। जखन यीशु गलीलमे छलाह त' ओसब यीशुके संग छलीह, आ हुनका जे किछु चाहैत छलनि से हुनका उपलब्ध क' क' सेवा करैत छलीह। ओसब आ बहुते स्त्रीसब, हुनकासंगे यरूशलेम नगरमे आबि गेलीह। ओहि स्त्रीसबमेस' एकटा मरियम छलीह, जे मगदला नगरके निवासी छलीह। दोसर मरियम छलीह, जे याकूब आ योसेसके माय छलीह। सलोमी सेहो ओतहि छलीह।42जखन सांझ पड़एबला रहए त' अरिमतिया नगरके यूसुफ नामके एक आदमी ओतए आबि गेल। ओ यहूदी महासभाके सदस्य छलनि जिनका लोकसब आदर करैत छलनि। ओ ओकरासबमे एकगोटे सेहो छलाह जे बेचैनी स' ओहि समयके प्रतीक्षा करैत छलाह जहिया परमेश्वर अपन राजाके शासन शुरु करबाक लेल पठा देताह। ओ जनैत छलाह जे यहूदी नियमके अनुसार कोनो व्यक्तिके लास ओहि दिन गाड़ल जएबाक चाही जाहि दिन ओकर मृत्यु होइत अछि। हुनका इहो बुझल छलनि जे ई तैयारीके दिन अछि, जाहिमे लोक यहूदीसबके विश्राम-दिनके सामग्री तैयार करैत अछि, आ सूर्यास्त होइते यहूदीसबके विश्राम-दिन शुरु भ' जाइत अछि। आब सांझ भ' गेल छल। तएं ओ हिम्मत क' क' पिलातुस लग गेलाह, यीशुके लासके क्रूसपरस' उतारबाक आ तुरन्त गाड़बाक अनुमति मंगलनि।44जखन पिलातुस ई सुनलनि जे यीशु मरि गेल छथि तखन ओ आश्चर्यचकित भ' गेलाह। तखन ओ यीशुके क्रूसपर चढ़ाबएबला सैनिकसबके कप्तानके बजाक' पुछलनि जे की यीशु मरि गेल छथि।45जखन कप्तान पिलातुसके कहलनि जे यीशु मरि गेल छथि, तखन पिलातुस यूसुफके लासके ल' जएबाक अनुमति देलनि।46जखन यूसुफ एकटा मलमलके वस्त्र किनलाके बाद ओ आ आन लोकसब यीशुके लासके क्रूसपरस' उतारि लेलक। ओसब ओकरा मलमलके कपड़ामे लपेटिक' एकटा कबरमे राखि देलक जे पहिनेस' पत्थलमे काटल गेल छल। तेकरबाद ओहि कबरके प्रवेशद्वार आगु एकटा भारी पत्थल गुड़का देलनि।47मगदला निवासी मरियम आ योसेसके माय मरियम देखैत छलीह जे ओसब यीशुके लास कत' रखने छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67