Leviticus9

1पुजारी सबहक अभिषेक विधि पूरा भेलाक दोसर दिन अर्थात् आठ दिनक' बाद मूसा हारून आ ओकर बेटासबके आ इजराएली बूढ़सबके बजौलनि।2तखन ओ हारूनके कहलनि, “एकटा बच्छा ल' लिअ जाहिस' अहाँ ओकरा अपन पापक लेल बली चढ़ा सकब, आ एकटा भेंड़ ल' जाउ जाहिस' अहाँ ओकरा पूरा तरहें वेदीपर जरा सकब, दुनू बिना कोनो दोषक होअए आ ओकरासबके यहोवा समक्ष चढ़ा दिऔ।3तखन इजराएली लोकसबके कहि दिऔ जे, ‘अपन पापके लेल पापबलिके रुपमे चढ़ाबए लेल एकटा छागर ल' लिअ। एकटा बच्छा आ भेंड़के बच्चा सेहो ल' लिअ जाहिमे कोनो दोष नहि होअए, जाहिस' अहाँ ओकरा वेदीपर पूरा जरा सकब।4एकटा बैल आ एकटा भेंड़के चढ़ाबए लेल सेहो ल' लिअ, जाहिस' अहाँसब यहोवाके मेलबलि चढ़ा सकी, स' संगहि जैतूनक तेल मिलाओल आंटा सेहो ल' लिअ। ई काज करु, किएक त' आइ यहोवा अहाँसबके समक्ष प्रगट होअए होएताह।’”5मूसा इजराएलीसबके ई निर्देश देलाक' बाद हुनकासबमेस' किछुगोटे ईसब चीज आनिक' पवित्र तम्बूक आगु आंगनमे गेलाह। तखन लोकसब आबिक' यहोवाके सामने ठाढ़ भ' गेल।6तखन मूसा कहलनि, “यहोवा अहाँसबके ई आज्ञा देलनि अछि जाहिस' हुनकर महिमा अहाँसबके प्रगट होअए त।”7तब मूसा हारूनके कहलनि, “वेदी लग जाउ आ ओहि पशुसबके बलिदान करु जे अहाँके पापबलि अछि जाहिस' अहाँके कएल गेल पापक क्षमा भ' सकत। स' संगहि ओहि जानबरके सेहो आनू जेकरा अहाँ बेदीपर पूरा जराएब। ओहि बलिदानक कारणे यहोवा अहाँ आ लोकसबके ओहि पापक लेल क्षमा करताह जे अहाँ कएलहुं। जे काज यहोवा अहाँसबके आज्ञा देने छथि, से करु।” 8तखन हारून वेदी लग जा' क' अपन पापक बलिमे बच्छाके मारि देलनि।9हारूनके बेटासब एकटा कटोरीमे ओकर लेहू हुनकालग अनलनि। ओ अपन आंगुर लेहूमे डुबाक' ओहिमेस' किछु वेदीके सिंगपर लगा देलक। शेष लेहू ओ वेदीके आधार पर उझलि देलनि।10यहोवा मूसाके आज्ञाक अनुसार मिर्गौला आ करेजीके झांपि चर्बी सेहो पापबलिके रुपमे जरा देलनि।11तखन हारून तम्बूक बाहर गेलाह आ ओतहि शेष माउस आ चमड़ा जरा देलनि।12तखन हारून ओहि जानबरके मारि देलक जे ओ वेदीपर पूरा जराबए जा' रहल छल। ओकर बेटासब ओकरा हाथमे देलक जाहिमे ओकर लेहू रहए, आ ओ ओहि लेहूके वेदीके चारुकात छिड़कि देलक।13तखन ओसब जराओल जाएबला जानबरक माथ आ टुकड़ीसब हुनका द' देलथिन आ ओ वेदीपर जरा देलनि।14ओ जानबरक भीतरका अङ आ टांग धोक' वेदीपर जरा देलनि।15तखन हारून ओहि पशुसबके अनलनि जे इजराएली लोकसबके लेल बलि चढ़ाएल जाएत। ओ एकटा छागर ल' क' लोकक पापक लेल मारि देलनि, जेना ओ छागरके अपन पापबलिक' लेल कएने छलाह।16तखन ओ पशुके पूरा जरएबाक लेल बलिदान करए अनलनि। ओ ओकरा मारिक' ओहि तरहें चढ़एलनि जेना यहोवा हुनका आज्ञा देने छलाह।17ओ आंटास' बनल बलिदान सेहो अनलनि। एक मुट्ठी ल' क' वेदीपर जरा देलनि, जेना ओहि जानबरक स' संग जे ओ ओहि दिन भोरे पहिने बलि देने छल।18तखन ओ बच्छा आ भेंड़ाके मारिक' इजराएली लोकसबके लेल बलिदानक स्वरुप मेलबलि चढौलनि। हारूनके बेटासब ओकरा हाथमे खूनक कटोरा ध' देलनि आ ओ ओहि लेहूके वेदीके चारुकात छिड़कि देलनि।19ओ बच्छा आ भेंड़के चर्बी ल' लेलक, जाहिमे ओकर मोटका नाङरि जे रीढ़क हड्डीक समीप काटल गेल छल आ ओसब चर्बी जाहिस' मिर्गौला आ करेजी झांपल रहैत अछि।20ओ ओहि पशुसबहक छातीक भाग राखि देलनि आ ओकरासबके वेदीपर जरा देलनि।21तखन, हारून मूसाक आज्ञाक पालन करैत ओहि जानबर सबहक छाती आ दहिना जांघके यहोवाके आगु उठएलनि जाहिस' ई देखाओल जा' सकैत अछि जे ओ दुनू जानबर पूर्णरुपस' यहोवाके अछि।22तखन हारून लोकसब दिस अपन बांहि उठएलनि आ यहोवास' हुनकासबके आशीर्वाद देबाक आग्रह कएलनि। तखन ओसब पापबलि होमबलि, आ मेलबलिके बलिदानक पूरा क' ओहि ठामस' उतरि गेलाह जत वेदी छल।23तखन हारून आ मूसा पवित्र तम्बूमे प्रवेश कएलनि। बादमे जखन ओसब बाहर निकललाह तखन ओसब यहोवास' लोकसबके आशीर्वाद देबाक लेल कहलनि। अचानक यहोवाके महिमा सब लोकके बीच प्रगट भेल।24यहोवा आगु आबिक' वेदीपर राखल चर्बीक संगे पूरा बलिदान जरा देलक। जखन ईसब लोकसब देखलक त' ओसब हर्षोल्लास स' चिचिआ लागल आ जमीनपर शिर निहुरबैत यहोवाके आराधना कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67