Leviticus8
1यहोवा फेरुस' मूसाके कहलनि,2“हारून आ हुनकर पुत्र सबहक' विशेष वस्त्र, अभिषेक करए लेल तेल, हुनकासबके यहोवाके स्वीकार बनएबाक लेल पापबलिके रुपमे चढ़ाएल जाएबला बच्छा, दूटा भेंड़ा आ बिना खमीरके बनल रोटी बाला टोकरी आनि दिऔ।3तब सब सभाके' आदमीसबके' पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर जमा करु।”4मूसा यहोवा जे कहने छलाह से कएलनि आ लोकसब तम्बूके प्रवेशद्वारपर जमा भ' गेलाह।5तखन मूसा समुदायके लोकसबके कहलनि, “यहोवा हमरासबके ई करए लेल आज्ञा देने छथि।”6तखन मूसा हारून आ ओकर पुत्रसबके आगु ल' क' पानिस' नहा देलनि।7ओ हारून पर विशेष अंगरखा पहिराक' पट्टी बान्हि विशेष वस्त्रके संगे पवित्र वस्त्र पहिरा देलनि। ओ मेही बुनल कमरबंदके प्रयोग करैत पवित्र वस्त्रके अपने चारुकात बान्हि लेलक।8ओ पवित्र बटुवा अपन छातीपर बान्हि ओहिमे दूटा पत्थल राखि देलनि जाहिस' ओ ई निर्धारीत करथि जे यहोवा की चाहैत छथि।9तखन ओ अपन माथपर पगड़ी बान्हि लेलनि आ पगड़ीक आगुके भाग अर्थात् पवित्र मुकुट पर सोनाके मुकुट लगा लेलनि, जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह।10तखन मूसा जैतूनक तेल ल' क' पवित्र तम्बू आ ओहिमे राखल वस्तुसबपर अभिषेक कएलनि आ ओहि सबके यहोवाके समर्पित कएलनि।11ओ किछु तेल वेदीपर सात बेर छिड़कि देलनि। ओ वेदी आ ओकर स' संग प्रयोग होबए जा' रहल वस्तुसब आ ओकर हाथ-पयर धोबएबला वर्तन डन्टा समेत यहोवाके समर्पित करबाक लेल अभिषेक कएलनि।12ओ हारूनके माथपर किछु तेल ढारिक' हुनका यहोवाके समक्ष समर्पित करबाक लेल अभिषेक कएलनि।13तखन ओ हारूनके पुत्रसबके आगु अनलनि। ओ ओकरासबके अंगरखा पहिरा देलनि, ओकरासबहक चारुकात पट्टी बान्हि देलक आ ओकरासबहक माथमे पगड़ी लपेटि देलनि, जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह।14तखन ओ पापबलिके बच्छाके बलिदानक लेल अनलनि जाहिस' लोकसब यहोवाके स्वीकार भ' सकए। तखन हारून आ ओकर बेटासब बच्छाके' माथपर हाथ राखि देलक।15तखन मूसा बच्छाके मारिक' ओकर किछु लेहू एकटा कटोरीमे राखि वेदीके पवित्र करबाक लेल वेदीके' सिंगपर आंगुरस' लगा देलनि। बांकी लेहू ओ वेदीके आधार पर ढारि देलनि। से क' क' ओ पापक होमबलि लेल उपयुक्त स्थान बना देलनि। 16मूसा ओहि जानबरक भीतरका भागमे जे चर्बी छल, जाहिमे करेजा आ मिर्गौला सेहो छल, ल' क' वेदीपर जरा देलनि।17ओ बच्छाके शेष भाग, चमड़ा आ आंत सहित, ल' क' तम्बूक' बाहर जरा देलनि, जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह।18तखन ओ भेंड़ बलिदानक लेल अनलनि जे पूरा तरहेस' वेदीपर जराओल जाएत, हारून आ ओकर पुत्रसब ओकर माथपर हाथ राखि देलनि।19तखन मूसा भेंड़के मारिक' ओकर लेहू वेदीके चारुकात छिड़कि देलनि। 20ओ भेंड़के टुकड़ी-टुकड़ी क' क' भीतरका भाग आ पाछूक टांग पानिस' धो देलथिन। तखन ओ भेंड़के माथ, चर्बी आ आन भागके वेदीपर राखि देलनि। जहिना-जहिना ओ जड़ि रहल छल, धुआंके सुगन्ध यहोवाके नीक लगैत छलनि। ई यहोवाके लेल बलिदान छल जे जराओल गेल छल, जेना यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलाह। 22तखन ओ दोसर भेंड़के अनलनि, जे पुजारी सबहक समर्पणके लेल छल, हारून आ ओकर पुत्रसब ओकर माथपर हाथ राखि देलक।23मूसा ओहि भेंड़के मारिक' ओकर किछु लेहू एकटा कटोरामे राखि लेलक आ ओहि खूनमेस' किछु दहिना कानके लटकल माउस, दहिना हाथके अंगूठा आ दहिना पयरक पैघ आंगुर पर राखि देलक हारून आ ओकर बेटासबके ई स' संकेत छल जे ओसब की सुनताह आ की करताह आ कत जएताह, से यहोवाके निर्देशनके अनुसार होएत।25ओ भेंड़के सबटा चर्बी, ओकर मोटका नाङरि, भीतरका भागमे जे चर्बी होइत अछि से, जाहिमे करेजा आ मिर्गौलाके झंपने छल, आ भेंड़के दहिना जांघक चर्बी सेहो उठालेलक।26तखन ओ टोकरीमेस' बिना खमीरक बनाओल रोटी, जे रोटी यहोवाके समर्पित कएल गेल छल, ओहिमेस' एक रोटी जे बिना जैतूनक तेल बनाओल गेल छल आ एकटा रोटी जे जौके आंटामे जैतूनक तेल मिलाक बनल छल। ओ ओकरासबके चर्बीक भागमे राखि हारून आ ओकर बेटासबहक हाथमे राखि देलक। तखन ओसब ओहिसबके यहोवाके समक्ष उठएलनि जे ई देखाबथि जे ई हुनकर बलिदान अछि।28तखन मूसा हुनकासबहक हाथस' ओसब वस्तु ल' क' वेदीपर जरा देलनि। ओ बलिदान हारून आ हुनकर पुत्रसबके पुजारी बनएबाक लेल जराओल गेल छल। जखन ओ जरैत छल तखन ओकर सुगन्ध यहोवाके नीक लगैत छलनि।29फेरुस' मूसा दोसर भेंड़के छाती ल' क' यहोवाके आज्ञाक अनुसार ओकरा चढ़ाबएलेल यहोवाके समक्ष उठएलनि। छाती मूसाक हिस्सा छल जे भेंड़के बलिदान पुजारीसबके समर्पित करबाक लेल कएल गेल छल।30तखन मूसा वेदीपर अभिषेकके तेल आ खूनमेस' किछु ल' क' हारून आ हुनकर कपड़ा पर, हुनकर पुत्रसब आ हुनकासबहक कपड़ा पर छिड़कि देलनि। ओ हारूनके वस्त्र सेहो पवित्र कएलनि।31तखन मूसा हारून आ ओकर बेटासबके कहलनि, “पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर दोसर भेंड़के मंगलहुं बनाक' ओतहि समर्पणके टोकरीमे राखल रोटीके स' संग खाउ, जेना हम अहाँसबके कहने रही।32जे मंगलहुं आ रोटी रहि जाएत ओकरा जरा दिऔ।33अहाँसबके पुजारीक रुपमे अलग रहबाक समय सात दिनक होएत, तएं सात दिनधरि पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारस' बाहर नहि निकलू।34आइ जे काज हमसब कएलहुं से यहोवाके आज्ञा देल गेल अछि जे अहाँसबके पापक क्षमा कएल जाएत।35अहाँसबके पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वारपर सात दिन सात राति धरि रहबाक चाही आ यहोवाके जे चाहैत छथि से करु, जाहिस' अहाँ हुनकर आज्ञा नहि मानलाक कारणे नहि मरब। हम अहाँसबके ई बात एहिलेल कहि रहल छी जे यहोवा हमरा ई बात कहबाक आज्ञा देने छथि।”36तखन हारून आ ओकर बेटासब ओसब काज कएलक जे यहोवा मूसाके कहने छलथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.