Leviticus10

1तखन हारूनके दुनू पुत्र नादाब आ अबीहू अपन अपन धूपदानी ल' ओहिमे आगि राखि लेलनि, आगिके उपर धूप राखि लेलनि। मुदा ओ धुपदानीक आगि आ धूप यहोवा लग स्वीकार नहि भेल किएक त' ओ यहोवा ओकारा आज्ञा नहि कएने छल।2तखन एकाएक यहोवाके आगि देखाइ देलक आ ओकरासबके जरा देलनि।3तखन मूसा हारूनके कहलनि, “यहोवा जखन ई बात कहि रहल छलाह, ‘ओ पुजारीसब जे हमरालग अबैत अछि, हम हुनकासबके देखा देबनि जे हुनकासबके हमर पवित्रताके आदर करबाक चाही। सब लोकक उपस्तिथिमे हम ही छी जेकरा आदर करबाक चाही।’” मुदा हारून किछु नहि बाजल।4तखन मूसा हारूनके काका उज्जीएलक पुत्र मीशाएल आ एलसाफानके बजाक' कहलनि, “अपन पितियौत भाइसबके लाशके पवित्र तम्बूक सामने शिविरस' बाहर दूर ल' जाउ।”5त ओसब लग आबि हुनकासबके ल' गेल, जे एखनो अपन पुजारी पहिरने कपड़ा छल, जेना मूसा कहने रहए। ओसब ओहि लाश सबके तम्बूक' बाहर ल' क' गाड़ि देलक6तखन मूसा हारून आ हुनकर दोसर दूटा पुत्र एलीआजर आ ईतामारके कहलनि, “नादाब आ अबीहू मरि गेलाक कारणे अहाँसब दुखित छी, मुदा अहाँसबके ओहिना काज करबाक चाही जेना अहाँसब सदिखन करैत छी। माथके केशमे कंघी नहि लगाउ, आ अपन कपड़ा नहि फाड़ू। जं अहाँ ई करब त' यहोवा समुदायके लोकसबपर क्रोधित भ' जएताह। मुदा अहाँ अपन कुटुम्ब सगा-सम्बन्धी आ अपन स' संगी इजराएलीसबके शोक मनाबए दिऔ, जेकरा यहोवा आगिमे नाश क' देने छथि।7मुदा अहाँसब पवित्र तम्बूक प्रवेशद्वार छोड़ि शोक करएबला लोकसबके स' संग नहि जाउ, किएक त' जं अहाँसब एहन करब त' अहाँसब सेहो मरि जाएब। ई नहि बिसरब जे यहोवा अहाँसबके एत हुनका काज करबाक लेल अलग कएने छथि, आ ओ नहि चाहैत छथि जे अहाँसब लाशके छुबिक' अशुद्ध भ' जाउ।” तएं ओसब मूसाक आज्ञा मानलनि। ओसब अपन पितियौत भाइक मृत्युके शोक बांकी लोकक स' संग नहि मनौलक।8तखन यहोवा हारूनस' कहलनि,9“अहाँ आ अहाँके दुनू पुत्र जे एखनोधरि जीवित अछि अहाँसब कोनो प्रकारक दाखमद्य आ आओर मध सब नहि पिब जखन अहाँसब पवित्र तम्बूमे अबैत छी। यदी अहाँसब एहि तरहे करैत छी त' अहाँसब निश्चय मरि जाएब। ई अहाँ आ अहाँके वंशजक लेल सदिखन पालन करएबला आज्ञा अछि।10अहाँसबके ई बुझबाक चाही जे कोन चीज पवित्र अछि आ कोन चीज अपवित्र अछि, ओहि प्रकारक काज अहाँके करबाक चाही। अहाँके इहो सिखए पड़त जे हम कोन-कोन चीज स्वीकार करब आ हम अस्वीकार करब।11अहाँ इजराएली लोकसबके ओसब नियम सिखाउ जे हम, यहोवा ओकरासबके मूसाद्वारा कहि देलहुं अछि।”12मूसा हारून आ हुनकर दूटा पुत्र एलीआजर आ ईतामारके कहलनि, “आंटास' बनल बलिदान जे बचल अछि, तेकरा जे यहोवाके जरएबाक लेल चढ़ाएल गेल अछि, तेकरा ल' क' बेदीके बगलमे बिना खमीर खाउ। एकरा आन ठाम नहि खएबाक चाही, कारण ई बहुत पवित्र अछि।13पवित्र स्थानपर एकरा खाउ। जे माउस अहाँ बलिदानक रुपमे जरा देलहुं ताहिमेस' अहाँ आ अहाँके बेटासबहक लेल भाग अछि। यहोवा हमरा ई बात कहबाक आज्ञा देने छथि।14मुदा अहाँ आ अहाँके बेटा-बेटीसबके ओहि सीना आ फिला जे यहोवाके आगु उठाएल गेल छल, ओहिमेस' खएबाक अनुमति अछि। जे कोनो स्थान पवित्र होअए, ओतहि खाउ। ईसब अहाँ आ इजराएलीसबके वंशजके बलिदानमे अहाँके हिस्साके रुपमे देल गेल विधि अनुसार यहोवाके मेलबलि अछि।15जे जांघ आ छाती यहोवाके आगु उपर उठाएल गेल छल, ओकरा जरएबाक लेल चर्बीक भागके स' संग आनल जएबाक चाही आ ओकरा उपर उठाक' हुनका सामने होमबलिके रुपमे चढ़ाएल जाएत। ओसब अहाँ आ अहाँके वंशजसबहक लेल नियमित भाग होअए त, जेना यहोवा आज्ञा देने छथि।”16मूसा जखन लोकक पापक लेल पुजारीसब पापबलि चढ़एने छागरक विषयमे पुछलनि त' हुनका पता चललनि जे पुजारी ओ सबटा जरा देने छथि। तएं ओ हारूनके बांकी बेटा सहित एलीआजर आ ईतामार पर क्रोधित भ' हुनकासबस' पुछलनि,17“अहाँसब पवित्र तम्बू लग पापबलिके मंगलहुं किएक नहि खएलहुं? यहोवाके लेल ई बहुत खास रहए, ओ अहाँसबके देल गेल छल जाहिस' ओ समुदायके लोकके अधर्मके भार आ पाप क्षमाक' सकए।18त जं ओकर लेहू पवित्र तम्बूक भीतर पवित्र स्थानमे नहि ल' गेल छल, तएं अहाँसबके पवित्र तम्बूक बाहर छागरक माउस खएबाक चाही छल, जेना हम आज्ञा देने छलहुं।”19हारून मूसाके उत्तर देलनि, “आइ लोकसब यहोवाके अपन पाप क्षमा करबाक लेल अपन बलिदान यहोवाके समक्ष अनलनि आ ओहि बलिदानक सेहो हमसब यहोवाके प्रसन्न करबाक लेल पूरा तरहेस' जरा देलहुं। मुदा सोंचू जे हमर आन दुनू बेटाके स' संग जे भयावह घटना भेल! आइ जं हम लोकसबके पापबलिमे स' किछु खइतहुं त' की यहोवा प्रसन्न होनि?”20ई बात सुनि मूसास' सन्तुष्ट भ' गेलाह आ आओर किछु नहि बजलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67