Genesis24
1अब्राहम आब बहुत बूढ़ भ' गेल छलथि। यहोवा अब्राहमके अनेक तरहे आशीष देने छलथि।2एकदिन अब्राहम अपन घरके मुख्य सेवक, जे अब्राहमके सम्पत्तिक प्रभारी छलनि, ओकरा कहलनि, “हमरा जांघके तरमे अपन हाथ राखिक' ई प्रतिज्ञा करु जे हम कहब से अहाँ पूरा करब।3ई जानिक' जे यहोवा, आकाश आ पृथ्वीके सृष्टि कएनिहार परमेश्वर सुनैत छथि, ई प्रतिज्ञा करु जे अहाँ कनानीसबके बेटीसबमे स' हमर बेटा, इसहाकके लेल पत्नी नहि लाएब जत एखन हम रहि रहल छी।4बल्कि हमर देश आ हमर परिजन लग जाउ। ओकरेसबमे स' हमर बेटा इसहाकके लेल पत्नी ल क आएब।”5सेवक हुनकास' पुछलक, “अहाँक परिजनमे जं हमरा कोनो स्त्री भेटए आ ओ हमरासंगे एहि देशमे आबए इच्छुक नहि हुवे तब हम की करब? की हम अहाँक बेटाके ओतहि वापस ल' जाउ जाहि देशस' अहाँ आएल छी, जे ओ विवाह क' क' ओतहि रहए?”6अब्राहम ओकरा उत्तर देलथिन, “नहि! अहाँ हमर बेटाके ओतए नहि ल' जाएलेल सचेत रहू!7जे परमेश्वर स्वर्गक सृष्टि कएलनि, यहोवा हमरा एत अनलनि। ओ हमरा बाबुके घरस' आ ओहि देशस' अनने छथि जत हमर परिजन रहैत छन्हि। ओ हमरास' बतियाक हमरासंगे एकटा गम्भीर प्रतिज्ञा कएलथि। ओ कहलथि, ‘हम ई कनान भूमि अहाँक सन्तानके द' देब।’ ओ एकटा स्वर्गदूत पठौतन्हि जे ओतए अहाँस' आगु जा क अहाँके हमर बेटाके लेल पत्नी खोजिक' ओकरा एत रहबाक लेल आनएमे सक्षम बना देत।8मुदा जं जाहि स्त्रीके अहाँ खोजने होएब आ से अहाँक संग नहि आबए त' अहाँ हमरासंगे जे प्रतिज्ञा क' रहल छी ताहिस' स्वतन्त्र भ' जाएब। मात्र हमर बेटाके ओतए रहएलेल नहि ल' जाएब।”9सेवक अब्राहमके जांघके तरमे अपन हाथ राखिक एहि विषयमे प्रतिज्ञा कएलक।10तखन ओ सेवक अपन मालिकके दसटा ऊंटके ल' क' ओ सबटा गर-गहना सर-सनेस ल' लेलक जे ओकर मालिक ओकरा ल' जएबाक लेल संगमे देने रहथि। तखन ओ आराम नाहारैम जाएलेल विदा भेलनि जे उत्तर मेसोपोटामियामे अछि। ओ नाहोर नगरमे पहुंचलाह।11सेवक जखन नाहोर पहुंचल, त' ओ बेरियाके समय छल, जखन स्त्रीसब पानि लेबएलेल इनारपर जाइत रहए। ओ ऊंटसबके ओहि इनारक लगमे बैठएलक, आ जे शहरस' बाहर छल।12 सेवक प्रार्थना कएलक, “हे यहोवा, जिनकर आराधना हमर मालिक अब्राहम करैत छथि, आइ हमरा सफल होबएमे सक्षम बनाउ! हमर मालिक अब्राहम पर दया करियौ!13हमर बात सुनू। हम पानिक इनार लग ठाढ़ छी, नगरक लोकसबके बेटीसब पानि भर' आबि रहल अछि।14हम अहाँस' ई पुछि रहल छी जे हम एकटा लड़कीके कहब, ‘हे अपन घैला नीचा धरु जाहिस' हम किछु पानि पीबि सकी।’ जं ओ कहतीह जे किछु पानि अहूं पीबू आ हम अहाँक ऊंट सबहक लेल सेहो पानि भरिक' पिया देब', तब हम बुझब जे ओ ओएह लडकी छथि जिनका अहाँ अपन सेवक इसहाकके पत्नी बनएलेल चुनने छी, आ हम बुझब जे अहाँ हमर मालिक पर दया देखाए रहल छी।”15ओ अपन प्रार्थना समाप्त करएस' पहिने, रिबका नामक युवती अपन कान्हपर एकटा घैला ल' क' ओतए पहुंचलीह। ओ अब्राहमके भाइ नाहोरके पत्नी मिल्का स' जन्मल बेटा बतूएलके बेटी छलीह।16ओ बहुत सुन्दर आ कुमारिए छलीह। ओकरा कोनो पुरुषसंगे लसफस नहि रहए। ओ इनार कातमे गेलीह, अपन घैलामे पानि भरि लेलीह, आ फेरु उपर आबि गेलीह।17अब्राहमके सेवक तुरन्त दौड़क' ओकरा भेट कएलनि आ कहलनि, “हे अपन घैलामे स' हमरा कनिक पानि दिअ।”18ओ उत्तर देलीह, “यौ मालिक लेल जाओ, पानि पीबि लिअ!” ओ अपन घैला कान्हपर स' उतारिक ओकरा पीबि लेल देलीह।19ओ हुनका पानि पीबि लेलाके बाद कहलनि, “हम अहाँक ऊंटोसबके लेल सेहो पानि भरिक पिया देब, जाधरि ओकर हीक नहि भरि जाइक।”20ओ हबड़-हबड़ अपन घैलाके पानि ऊंटसबके लेल नादिमे ध' देलीह। तखन ओ दौड़ क इनार दिस गेलीह, आ सब ऊंटकलेल पानि भरिक लबैत रहलीह।21सेवक चुपचाप ओकरा देखैत रहलनि। ओ जानए चाहैत छलनि जे यहोवा हुनकर यात्रा सफल बनौलनि वा नहि।22 अन्तमे ऊंटसब पानि पिबिलेलाक बाद सेवक ओकरा सोनाके नथिआ आ सोनाके दूटा पाइत निकालिक' रिबकाके देलक आ ओकरा एहिसबके पहिरबाकलेल कहलनि।23तखन ओ कहलनि, “हमरा कहू जे अहाँ केकर बेटी छी। संगहि, इहो कहू, अहाँके बाबुके घरमे आइ राति हम आ हमर आदमीसबके राति चलि करबाक लेल जगह अछि?”24ओ उत्तर देलीह, “हमर बाबुके नाम बतूएल अछि। ओ नाहोर आ ओकर पत्नी मिल्काक बेटा छथि।25हं, हमरासबलग आइ राति अहाँसबके सुतएलेल जगह अछि, आ ऊंटसबके पेट भरबाकलेल हमरासबलग पर्याप्त चरा सेहो अछि।”26सेवक निहुरिक' यहोवाके आराधना कएलनि।27ओ कहलनि, “हम यहोवाके धन्य कहैत छिएन्हि, जाहि परमेश्वरके आराधना हमर मालिक अब्राहम करैत छथि। ओ हमर मालिकके प्रति निष्ठावान आ विश्वासयोग्य छथि से ई देखबैत रहलाह। यहोवा हमरा एहि यात्रामे सोझे हमर मालिकके कुटुमक घरदिस ल' गेलाह!”28युवती दौड़क' अपन मायके घरमे सबके जे भेल छल से कहि देलीह।29रिबकाके एकटा भाय छलनि जेकर नाम लाबान छल। लाबान हबड़-हबड़ ओहि सेवक लग गेल जे बाहर इनारे पर छलनि।30ओ अपन बहिनक नाकमे नथुनी आ बांहिमे पाइत देखलक आ रिबका द्वारा ओहि आदमीके विषयमे कहल बात सुनिक' आश्चर्यचकित भ' गेल। तएं ओ बाहर निकलि गेल आ ओहि आदमीक ऊंट, इनार लग ठाढ़ अछि से देखलक।31लाबान ओहि आदमीके कहलक, “हे यौ यहोवाके धन्य लोक, आएल जाओ! एत बाहर किएक ठाढ़ छी? हम अहाँसबहक लेल घरमे एकटा कोठली, आ ऊंटसबके रहबाक लेल एकटा जगह सेहो तैयार कएने छी।”32तखन ओ सेवक ओकर घरदिस गेल आ लाबानके नोकरसब ऊंटसबके काठीसब खोललक। ऊंटसबके लेल पुआर आ अनाज आ सेवक आ ओकर संगीसबके लेल पानि अनलनि जे पयर धोथि।33ओसब हुनका सोझामे भोजन राखि देलथिन, मुदा ओ सेवक कहलनि, “हम अपन बात अहाँसबके नहि कहब ताधरि भोजन नहि करब” तएं लाबान कहलनि, “कहलजाउ!”34ओ नोकर कहलनि, “हम अब्राहमके सेवक छी।35यहोवा हमर मालिकके बहुत आशीष देलनि जाहिस' ओ बहुत धनीक भ' गेल छथि। यहोवा हुनका बहुत मालजालके हेंड़, बहुत सोना-चानी, दास-दासीसब, ऊंट आ गदहासब देने छथि।36हमर मालिकके पत्नी सारा बहुत बूढ़ उमेरमे हुनकालेल एकटा बेटा जनमौलीह, आ हमर मालिक अपन बेटाके अपन सबकिछु द' देने छथि।37हमर मालिक हमरा प्रतिज्ञा करौलनि, ई कहिक', ‘हमर बेटाके लेल कनानीसबके बेटीसबमे स' पत्नी नहि लाएब, जेकर देशमे हमसब रहैत छी।38बल्कि, हमर बाबुके वंशमे, हमर अपन कुलमे जाउ आ हुनकासबमेस' हमर बेटाके लेल एकटा पत्नी ल' क' आएब।’39तखन हम अपन मालिकस' पुछलिएनि, ‘जं ओ स्त्री हमरासबसंगे घुरिक' नहि आओत त' हम की करब?’40ओ उत्तर देलथिन, ‘यहोवा, जिनकर आज्ञा हम सदिखन मानने छी, अहाँसबहक संग अपन स्वर्गदूत पठौताह आ अहाँक यात्राके सफल बना देताह। ओ हमर कुलस', हमर पिताक परिवारस' हमर बेटालेल पत्नी ताकएमे सक्षम बना देत।41मुदा जं हमर कुल ओकरा अहाँसबके संग घुरबा स' मनाक' देत त' अहाँसब हमर शपथ नहि मानबाक कारणे अहाँ हमर बात नहि मानलहुं ताहि सराप स' अहाँ मुक्त भ' जाएब।’42आइ जखन हम इनारपर अएलहुं त' हम प्रार्थना कएलहुं जे, ‘हे यहोवा, जिनकर आराधना हमर मालिक अब्राहम करैत छथि, जं अहाँ हमरा एहि यात्रामे सफल बनाबए जा रहल छी त' हमरालेल ई काज करु:43हम इनारके कातमे ठाढ़ छी, जत' लड़कीसब पानि भरएलेल अबैत अछि। हम अहाँस' कहैत छी जे जं हम कोनो लड़कीके कहब, “हे, हमरा अपन घैलामे स' कनिक पानि द' दिअ,”44आ जं' ओ हमरा कहत जे, “हं किएक नहि, किछु पानि अहूं पीबू आ किछु पानि अपनेके ऊंट सबहक लेल सेहो भरिदेब।” तखन ओहे स्त्री होथि, जेकरा यहोवा, अहाँ हमर मालिकके बेटाके लेल चुनने छी!’45हमर ई प्रार्थना समाप्त करएस' पहिने रिबका अपन पानिक घैला अपन कान्हपर धएने आबि गेलीह। ओ इनारपर जाक' कनिक पानि भरि लेलीह। आ हम हुनका कहलिएनि, ‘कृपया हमरा पानि पीबए ला दिअ!’46ओ हबड़-हबड़ अपन घैला नीचा क' क' कहलीह, ‘किछु पीबू! आ हम अहाँक ऊंटोसबके लेल सेहो पानि भरिदेब।’ तएं हम किछु पानि पिलहुं, आ ओ ऊंटसबके सेहो पानि पिया देलीह।47तखन हम हुनकास' पुछलिएनि, ‘अहाँ केकर बेटी छी?’ ओ बजलीह, ‘नाहोर आ हुनकर पत्नी मिल्काक बेटा बतूएलक बेटी।’ हम हुनका नाकमे नथुनी लगाक' ओकरा बांहि पर पाइत लगा देलिऐ।48तखन हम झुकिक' यहोवाके आराधना कएलहुं आ हम यहोवा परमेश्वरके धन्य कहलहुं, जिनकर आराधना हमर मालिक अब्राहम करैत छथि, जे हमरा ठीक बाटपर ल' गेलाह जे हमर मालिकके भाइके पोतीके हमर मालिकके बेटाके पत्नी बनौलनि।49आब जं अहाँ हमर मालिकके संग हुनकर नमहर परिवारक हिस्साके रुपमे विश्वासपूर्वक काज करब त' हमरा कहू जे हम अहाँसबस' मांगब से पूरा करब। यदि अहाँ नहि पूरा करब, त' हमरा सेहो कहू, जाहिस' हमरा बुझि पड़ए जे हमरा की करबाक चाही।”50लाबान आ बतूएल उत्तर देलथिन, “ई बात स्पष्टरुपस' यहोवाक दिसस' आएल अछि। तएं हम दुनूगोटे अहाँके नीक की अधलाह नहि कहि सकैत छी।51रिबका अहाँसबके सोझेमे अछि। ओकरा ल' क' जाउ, आ ओकरा अपन मालिकके बेटाके लेल पत्नी होबएलेल ल' जाउ, जेना यहोवा अहाँके संकेत देने छथि।”52ई बात सुनि अब्राहमके सेवक यहोवाके लेल झुकिक' प्रणाम कएलनि।53तखन ओ सेवक चानी आ सोनाके गहना आ कपड़ा आनिक' रिबकाके द' देलक। ओ ओकर भाय लाबान आ ओकर मायके उपहार देलक।54ओसब खा क' पानि पिलनि। जे सब अब्राहमके सेवक संग रहए, ओहो ओहि राति ओतहि सुति रहल। बिहानभेने भोरे सेवक कहलक, “हमरा आब अपन मालिक लग जाएके अनुमति दिअ।”55मुदा ओकर भाय आ ओकर माय कहलकनि, “लड़कीके दस दिन हमरासबके संगे रहए दिऔ। तेकरबाद अहाँ ओकरा ल' जाएब।”56मुदा ओ हुनकासबके कहलकनि, “प्रभु हमर यात्राके सफल बना देलनि, तएं आब अबेर नहि करु। आब हम ओकरा अपन मालिक लग ल' जाएब!”57तखन ओसब कहलनि, “आउ, अपनासब लड़कीके बजाक' पुछैत छी जे ओ की करए चाहतीह।”58ओसब रिबकाके बजाक' पुछलक, “की अहाँ आब एकरा संगे जाएब?” ओ कहलनि, “हं, हम जाएब!”59तब ओसब रिबकाके पठा देलकनि आ ओकरासंगे पठा देलकनि जे दासीसब ओकरा जिनगी भरि पोसने रहलनि, ओसब अब्राहमके सेवक तथा हुनकासंग आएल लोकसबसंगे चलि गेलीह।60तखन ओसब परमेश्वरस' रिबकाके आशीष देबएलेल कहलकनि आ ओ कहलनि, “हे हमर बहिन, हमसब यहोवास' मंगैत छी जे अहाँस' लाखो वंशज उत्पन्न करबथि आ हुनकासबस' घृणा करएबलासबके पूर्णरुपें द्वारि कब्जा करबाक अनुमति देथि।”61तखन रिबका आ ओकर दासीसब तैयार भेलीह। ओसब अपन ऊंटपर चढ़ि अब्राहमके सेवक संग चलि गेलीह।62इसहाक दक्षिण यहूदियाक जंगलमे रहैत छल। ओ बएर-लहई-रोई स' आएल रहए।63एकदिन इसहाक सांझमे चलैत काल मनन करबाक लेल खेत दिस निकललनि। ओ आंखि उठाक' देखलनि आ किछु ऊंटसबके अबैत देखक' आश्चर्यचकित भ' गेलनि।64रिबका सेहो आंखि उठाक' इसहाकके देखलनि। ओ ऊंटपरस' उतरि65ओहि सेवक स' पुछलीह, “ओ आदमीके अछि जे एम्हरे आबि रहल छथि?” सेवक उत्तर देलकनि, “ओ हमर मालिक इसहाक छथि।” तएं ओ घोघ तानिक' अपन मुंह झांपि लेलीह।66सेवक ईसब घटना इसहाकके कहलनि।67तखन इसहाक रिबकाके हुनकर माय साराके तम्बूमे ल' गेलाह आ ओ हुनकर पत्नी बनि गेलीह। ओ ओकरास' प्रेम करैत छलनि। एहि तरहे इसहाकके अपन मायक मृत्यु पश्चात सान्त्वना भेटलनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.