Genesis23

1सारा 127 वर्षके भेलीह।2ओ कनान देशके किर्यतअर्बा नगरमे मरि गेलीह जे आब हेब्रोन कहल जाइत अछि। तब अब्राहम हुनकालेल शोक मनौलनि।3अब्राहम अपन पत्नीके लाश छोड़िक' हित्तीके सन्तानसबस' बात कएलनि। ओ कहलनि,4“हम अहाँसबके बीचमे परदेशी छी, तएं हमरा एत' कनिको जमीन नहि अछि। हमरा हाथे किछु जमीन बेचि दिअ जे हम अपन घर्मपत्नीके लाश दफना सकी।”5हित्तीसब अब्राहमके उत्तर देलथिन।6“यौ मालिक, अहाँ हमरासबके बीच परमेश्वरके राजकुमार जकां एकटा महान आदमी छी। हमसब बनौने कोनो नीक कबर खोजू आ ओहिमे अपन पत्नीक लाश दफना लिअ। हमरासबमेस' केओ अहाँक पत्नीक लाशके दफनाब' लेल जमीन बेचएस' मना नहि करब।”7तखन अब्राहम उठिक' जमीनके मालिक हित्ती लोकसबके झुकिक' प्रणाम कएलनि।8ओ हुनकसबके कहलनि, “जं अहाँसब कहैत छी जे अहाँसब हमरालेल हमर पत्नीक लाश एत दफनाबएलेल तैयार छी त' अहाँसब हमर बात सुनू आ सोहरके बेटा एप्रोनके कहियौ,9हमरा हाथे मकपेला क्षेत्रके गुफा बेचि दैक जे हुनकर खेतक आरिमे लगले अछि। हुनका कहि दिऔ जे ओ हमरा पूरे मोलमे द' दैक, आ अहाँसबहक सोझा हमरा बेचि दैक। एहि तरहे हमरा दफन स्थल भ' सकैत अछि।”10एप्रोन लोकक बीच नगरक प्रवेशद्वारपर बैसल छलाह, जत' हित्तीक बहुते वंशज जमा भेल छल। ओ सबकिछु सुनने रहए जे अब्राहम लोकसबके कहने छलनि।11एप्रोन कहलनि, “नहि, मालिक, हमर बात सुनू। हम अहाँके ओ खेत आ ओहिमेके गुफा, एहि ठामक लोकसबके गवाह राखि, ओहिना मंगनिएमे द' देब। आ अपन पत्नीके ओतहि दफना लिअ।”12अब्राहम फेरु ओहि देशमे रहनिहार लोकके झुकिक प्रणाम कएलनि।13ओ एप्रोनके कहलनि, सबलोक सेहो सुनैत छलथि, “नहि भेल, हमर बात सुनू। जं अहाँ तैयार छी त' ओहि खेतक पाइ हम देब। अहाँ कहू जे कतेक दाम अछि, हम अहाँके देब। जं अहाँ स्वीकार करब त' खेत हमर भ' जाएत, आ हम अपन पत्नीक लाश ओतहि दफना सकैत छी।”14एप्रोन अब्राहमके उत्तर देलकनि।15“यौ मालिक, हमर बात सुनू। जमीनक मोल चारि सय चानीके टुकड़ी अछि। मुदा दाम हमरा आ अहाँलेल महत्वपूर्ण नहि अछि। हमरा पाइ द' दिअ आ अपन पत्नीक लाश ओतहि दफना लिअ।”16अब्राहम एप्रोनके एहि दामपर सहमत भ' गेलाह आ एप्रोनके ओ चारि सय चानीके टुकड़ी तौला देलनि, हित्तीके बेटासब सेहो सुनैत छल। ओ चानीकेलेल ओहि मानकके प्रयोग कएलनि जाहिस' लोकसब अपन सर समान बेचैत रहए।17मम्रेक समीप मकपेला क्षेत्रमे एप्रोनक खेत आ खेतमे गुफा आ खेतमे जे गाछसब छल आ जमीनके किल्ला खुटासब अब्राहमके सम्पत्ति भ' गेल।18एहि तरहे अब्राहम ओहि सम्पत्तिके किन लेलनि, किएक त' हित्ती लोकसब ओहि नगरके प्रवेशद्वारपर सुनैत छल।19 तेकरबाद अब्राहम अपन पत्नी साराके लाशके कनान देशमे मम्रेके निकट मकपेलाके जेकरा हेब्रोन सेहो कहैत छल ओहि क्षेत्र खेतमे रहल गुफामे दफना देलथिन।20ओ खेत आ ओहिमे रहल गुफाके हित्तीक सन्तान अधिकारीक रुपमे अब्राहम हाथे बेचि देलकनि, जाहिस' ओ एहिके दफन स्थलके रुपमे उपयोग करथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67