Genesis25

1सारा मरि गेलाके किछु समय बाद, अब्राहम दोसर स्त्रीस' विवाह कएलनि आ जेकर नाम कतूरा छलनि।2बादमे ओ छओटा बेटाके जन्म देलीह: जिम्रन, योक्षाना, मदना, मिद्यान, यिशबाक आ शूह।3योक्षाना शेबा आ ददान नामके दूटा बेटाके जन्म देलक। ददानके वंशजसब अश्शूरी, लतूशी आ लऊम्मी सबके समूह भेल।4मिद्यानक बेटासब एपा, एपेर, हनोक, अबीदा आ एल्दा छल। ईसब कतूराक वंशज छल।5अब्राहम घोषणा कएलथि जे हुनकर मरलाके बाद ओकर सबकिछु उत्तराधिकार इसहाकके होतनि।6मुदा जहिया अब्राहम जीवित छलथि त' ओ अपन रखैलके बेटासबके दानमे किछु किछु द' क' आ ओकरासबके अपन बेटास' इसहाक दूर रहबाक लेल पूर्व दिसके देशमे पठा देलथिन।7अब्राहम एक सय पचहतरि वर्षके उमेर धरि जीवित रहलथि।8अब्राहम बड़ बूढ़ उमेरमे मरिक' अपन पूर्वजसब लग चलि गेलाह जे हुनकास' पहिने मरि गेल रहथि।9 हुनकर बेटा इसहाक आ इश्माएल हुनक लाशके मम्रे लग मकपेला क्षेत्रके गुफामे ओहि खेतमे गाड़ि देलनि जे अब्राहम हित्ती सोहरके बेटा एप्रोन स' किनने रहथि।10 ओतहि इसहाक आ इश्माएल हुनकर लाश गाड़लनि, जत' अब्राहम पहिने अपन पत्नी साराके लाश गाड़ने छलाह जे खेत हित्तीके बेटासबस किनने रहए।11अब्राहमके मृत्युके बाद परमेश्वर हुनकर बेटा इसहाकके आशीष देलथिन। इसहाक बएर-लहई-रोई लग रहए लागल।12ईसब अब्राहमके बेटा इश्माएलके वंशज अछि, जे साराके मिस्री दासी हागार जनमौलीह।13ओकरासबके नाम ई छल, जाहि क्रममे ओकरासबके जन्म भेल रहए: इश्माएलक जेठका बेटाके नाम नबायोत छलनि। ओकरा बाद केदार, अदबेल, मिब्साम,14मिश्मा, दूमा, मस्सा,15हदद, तेमा, यतूर, नपीश आ केदमा।16इश्माएलक बारह बेटासब अपन नाम अनुसार कुलक अगुवा बनि गेल। ओकरासबके अपन अपन बस्ती आ शिविर रहनि।17इश्माएल एक सय सैंत्तीस वर्ष जीवित रहलथि। तेकरबाद ओ मरि गेलथि। आ ओतहि दफना देल गेल जत' ओकर घरनिके दफनाओल गेल रहए।18ओकर वंशजसबहक रहबाक क्षेत्र शूरस' ल क' हवीला रहए, जे मिस्रके सीमा धरि जेना केओ ओहिबाटे अश्शूरक दिस। मुदा ओकरासबके अपनामे मेल नहि रहए।19अब्राहमके बेटा इसहाकके विषयमे एना भेल। अब्राहम इसहाकके बाबु भेलनि।20इसहाक चालीस वर्षके भेलापर ओ बतूएलक बेटी रिबकास' विवाह कएलनि। बतूएल पद्दनराम वंशजमेस' एक छलथि। रिबका लाबानके बहिन छलीह, जे अरामी लोक छल।21विवाह क बहुत दिन धरि रिबकाके कोनो सन्तान नहि भेलनि। इसहाक अपन पत्नीक विषयमे यहोवास' प्रार्थना कएलनि आ यहोवा हुनकर प्रार्थनाक उत्तर देलनि। हुनकर पत्नी रिबका गर्भवती भ' गेलीह।22हुनकर पेटमे दूटा बच्चा छलनि आ ओसब एक-दोसरस' झगड़ैत रहए। तएं ओ बजलीह, “हमरासंग एहन किएक भ' रहल अछि?” तएं ओ यहोवास' एहि विषयमे पुछलीह।23यहोवा हुनका कहलनि, “अहाँके कोंखिस' जौंवा बच्चा अछि आ ओहिस' दूटा जाति आएत। आ ओ दुनू राष्ट्र एक-दोसरस' अलग भ' जाएत, आ एकटा दोसरस' बेसी बलवान होएत। आ जेठ छोटके सेवा करत।”24रिबका जखन बच्चाके जन्म देलीह तखन ई बात सांच भेल! जौंवा बेटा जन्म भेलनि!25जेकर पहिन जन्म भेल छल से लाल रंगके छल आ ओकर भरि देह केश छल। तएं ओसब ओकर नाम एसाव रखलनि।26तेकरबाद ओकर भाय एसावक एड़ी पकड़िक' जन्म लेलनि। तएं ओसब ओकर नाम याकूब रखलनि। जखन जौंवा बच्चाके जन्म भेल तखन इसहाक साठि वर्षके छल।27जखन बच्चासब नमहर भेल तखन एसाव जंगली जानबरके बहुत नीक शिकारी बनि गेल छल। खेतमे बहुत समय बितबैत छल। मुदा, याकूब एकटा शान्त रहबला आदमी छल जे शिविरमे रहैत रहए।28इसहाक एसावके प्रेम करए लगलनि, किएक त' एसाव जे जानवरसब मारैत छलनि, ओकर माउसक स्वाद नीक लगैत छलनि। मुदा रिबकाके याकूब बेसी नीक लागल।29एकदिन याकूब कोनो रसगर चीज पका रहल छलनि तखने एसाव बेसी भूखाएल खेतस' घर आबि गेलाह।30ओ याकूबके कहलनि, “ओहि रसगर वस्तुमेस' किछु हमरा एखनहि खाएलेल दिअ, किएक त' हम भूखस' मरि रहल छी!” एहिलेल एसावक दोसर नाम एदोम छलनि।31याकूब कहलनि, “जं अहाँ अपनासबके बाबुके फांटमे स' जेठाउंसके उत्तराधिकारी बनएके अधिकार हमरास बेचब तब हम अहाँके किछु देब।”32एसाव उत्तर देलकनि, “बेस, हम एत भूखस' मरएबला छी। आब जं हम मरिए जाएब त' हमरा जेठाउंस अधिकारस' हमरा कोन फायदा होएत।”33याकूब कहलनि, “हमरास' किरिया खाउ जे अहाँ हमरा जेठ बेटाके रुपमे अहाँ अपन जेठाउंसके अधिकार हमरा द' रहल छी!” तएं एसाव ओहिना कएलनि। ओ अपन जेठाउंसक अधिकार याकूब हाथे बेचि देलनि।34तखन याकूब एसावके किछु रोटी आ रसगर बनौने ओहि वस्तुमेस' किछु देलकनि। एसाव खाइत-पिबैत छलाह आ उठिक' चलि गेलनि। एनाक' एसाव ई देखा देलक जे ओकरा जेठ बेटाके रुपमे अपन जेठाउंस अधिकारमे कोनो मतलब नहि रहए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67