Genesis7
1 तब यहोवा नूहके कहलनि, “एखन जीवित लोकसबमेस' अहाँ एसगरे सदिखन धार्मिक काज करैत हम देखने छी। तएं हम चाहैत छी जे अहाँ आ अहाँके सारा परिवार ओहि पनियां जहाजमे बैसि जाहि।2 सात जोड़ी जानबर अपनासंगे ल' लिअ जे हम कहने छी जे हम बलिदानकलेल स्वीकार करब। सातगो नर आ मादा ल' लिअ। सब प्रकारक जानवरमेस' एकटा नर आ एकटा मादा सेहो लिअ जेकरा बलिदानलेल स्वीकार नहि करब से हम कहने छी।3सब प्रकारक चिड़ै-चुनमुन सबहक सात जोड़ी सेहो ल' लिअ जाहिस' ओकर वंशज पूरा पृथ्वीपर जीवित रहए।4ई एहिलेल करु जे सात दिनके बाद हम धरतीपर वर्षा कराएब। चालीस दिन आ चालीस राति धरि लगातार वर्षा होएत। एहि तरहे हम पृथ्वीपर जे किछु बनौने छी, तेकरा पानिमे डुबाक' नाश क' देब।”5नूह ओ सबटा काज कएलनि जे यहोवा हुनका कहने छलाह।6पृथ्वीपर जलप्रलय भेल तहिया नूह छौसय वर्षके छलथि।7 वर्षा शुरु होबएस' पहिने, नूह आ ओकर पत्नी आ ओकर बेटासब आ ओकर पुतहुसब बाढ़ि स' बचएबाक लेल पनियां जहाजमे चढ़ि गेलनि।8जानबरक जोड़ीसब, बलिदानकलेल स्वीकार करब आ जे बलिदानक लेल स्वीकार नहि करब जे यहोवा कहने छलथि से, आ चिड़ै-चुनमुनक जोड़ीसब आ जमीनपर चलएबला सब प्रकारक प्राणीक जोड़ीसब,9नर आ मादा, नूह लग आबि गेल आ पनियां जहाजमे चढ़ि गेल, ठीक ओहिना जेना यहोवा नूहके कहने छलथि ओसब करत।10जहिना सात दिन समाप्त भेल, त' वर्षा होबए लागल आ बाढ़ि धरतीके डुबाबए लागल।11दोसर मासक सत्रहम दिन, जहिया नूह छौसय वर्षके भेलनि, त' पृथ्वीके नीचा रहल सबटा पानिक भूंड़ फुटिक निकलि गेल आ एतेक जोरस' वर्षा होबए लागल एना बुझाइ जेना आकाशके बान्ह टुटिक' सबटा फाटक खुजि गेल होइक।12चालीस दिन आ चालीस राति धरि पृथ्वीपर लगातार वर्षा होइत रहल।13जाहि दिन वर्षा शुरु भेल त' नूह अपन पत्नी, आ तीनू बेटा शेम, हाम, आ येपेत आ ओकरासबके पत्नीसबहक संग पनियां जहाजमे चढ़ि गेलनि।14ओ सबगोटे आ सब प्रकारक जंगली जानबर, पालतू जानबर, जीवजन्तु जे जमीनपर चलैत अछि ताहिमेस' किछु, आ सब प्रकारक चिड़ै-चुनमुनक आ पांखिबला सब प्राणीमेस' किछु पनियां जहाजमे आबिक' चढ़ि गेल।15सांस लेबएबला सब प्राणीके जोड़ीसब नूह लग आबि पनियां जहाजमे प्रवेश कएलक।16हरेक प्राणीमे एकटा नर आ मादा छल जे नूह लग आएल छल, ठीक ओहिना जेना यहोवा कहने छलथि जे ओसब। ओ सबगोटे पनियां जहाजमे चढ़ि गेलाके बाद यहोवा दरबाजा बंद क' देलनि।17चालीस दिन धरि पानि पड़ैत रहल आ बाढ़ि बढ़ैत गेल आ जहाज जमीनस' उपर उठैत गेल।18जमीनक पानि उपर-उपर उठैत गेल आ जहाज पानिक सतहपर बहैत गेल।19 पानि समूचे धरतीपर बढ़ैत गेल जाधरि ओ सबटा पहाड़ आ आकाशके निचाके सबकिछुके झांपि नहि देलक।20 सबस' उंचगर पहाड़स' पानि छओ मीटर बेसी छल।21एकर परिणाम ई भेल जे पृथ्वीपरके सब जीव मरि गेल। जाहिमे चिड़ै-चुनमुनसब, घरक जानवरसब, जंगली जानवरसब, आओर जमीनपर चलएबला सबजीव-जन्तुके संगे-संगे लोकसब सेहो।22सांस लिअएबला सब प्राणी, भूमिक प्राणी, से सब मरि गेल।23एहि तरहे पृथ्वीपर सब जीवजन्तु, लोकसब, नमहर जानवरसब, रेंगएबला प्राणीसब आ चिड़ै-चुनमुनसब नाश भ' गेल। मात्र नूह आ हुनकासंग जहाजमे चढ़हल लोकसब जीवित रहलनि।24 पृथ्वी 150 दिन धरि पानिस' डुबल रहल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.