Genesis6
1 जं समस्त धरतीपर आदमीक संख्या बहुत बेसी होबए लागल आ ओकरासबके बहुते बेटीसबके जन्म भेलनि।2 किछु परमेश्वर पुत्रसब देखलक जे मनुष्यक स्त्रीसब बहुत सुन्दरी अछि। तएं ओसब अपन पत्नी बनाबएलेल मोन पसिनके चुनिक ल' गेलनि।3 तखन यहोवा कहलनि, “लोकसबके जीवित बनाबएलेल ओकरासबमे हमर सांस सदाके लेल नहि रहत। ओसब कमजोर माउसस' बनल अछि। ओसब 120 वर्षस' बेसी जीवित नहि रहत।”4ई परमेश्वर पुत्रसब जं मनुष्य जातिके स्त्रीसबसंगे सुतल त' ओसब धियापुतासबके जन्म देलक। ईसब सूर वीर छल जे ओहि समय आ बादमे सेहो पृथ्वीपर रहैत छल। ई सूर वीरसब वीर-योद्धासब रहैक; ओसब बहुत पहिनेके नामी लोक रहैक।5 यहोवा देखलनि जे पृथ्वीपर लोकसब बहुत दुष्ट भ' गेल अछि आ ओसब अपन भीतर जे किछु सोंचलक, से निरन्तर दुष्टे छल।6यहोवाके एहि बातके दुख भेलनि जे ओ पृथ्वीपर लोकसबके बनौलनि।7तखन यहोवा कहलनि, “हम अपन बनाओल लोकके साफे नाश क' देब। हमसब भरिगर जानवरसब आ जमीन परके सब जमीनपर घिसिआक जानबर आ चिड़ै-चुनमुन सबके सेहो नाश क' देब। ओहि सबमेस' केओ पृथ्वीपर नहि रहत, कारण हमरा एहि बातक पछतावा अछि जे हम ओकरासबके बनएलहुं।”8मुदा यहोवा नूह संगे प्रसन्न रहथि।9ई एना भेल: नूह एहन आदमी छलाह जिनकर व्यवहार सदिखन धर्मी छलनि। ओहि समयमे रहनिहार केओ हुनका कोनो बातपर आलोचना नहि क' सकैत छल नूह परमेश्वरके घनिष्ट संगतिमे रहैत छलाह।10नूह तीन पुत्रके पिता भेलनि: शेम, हाम आ येपेत।11परमेश्वर देख सकैत छलथि जे पृथ्वीपर आन सबलोक बहुत दुष्ट अछि आ पृथ्वीपर सबठाम लोक एक-दोसरपर क्रूर आ हिंसक व्यवहार क' रहल अछि।12परमेश्वर सबलोक दिस तकलनि आ देखलनि जे लोक कतेक दुष्ट अछि, किएक त' पृथ्वीपर सबलोक अधलाह व्यवहार करए लागल रहए।13तखन परमेश्वर नूहके कहलनि, “हम सबलोकके नाश करबाक निर्णय क' लेने छी, किएक त' समस्त पृथ्वीमे लोक एक-दोसरपर हिंसक काज क' रहल अछि। तएं हम ओकरासबके संगे-संगे पृथ्वीपर सबकिछु स' छुट्टी पाबि लेब।14 सरूके लकड़ीस' अपनालेल बढ़काटा पनियां जहाज बनाउ। ओकरा भीतर स' कोठली बनाउ। ओकर बाहर आ भीतर स' टार स' लेपू जाहिस पानिस' बचाव भ' सकए।15एकरा एहि तरहे बनाबए पड़त: एकर लम्बाइ 138 मीटर, चौड़ाइ तेइस मीटर आ उचाइ चौदह मीटर होएबाक चाही।16नावके छत बनाएब। छतके नीचा दुनू कातस' लगभग आधा मिटरके जगह छोड़ू जाहि दने हवा आ इजोत प्रवेश होइक। भीतर तीन तल्ला बनाउ, आ एक दिस दरबाजा राखू।17ध्यानस' सुनू! हम एकटा एहन बाढ़ि आनएबला छी जे आकाशके नीचा रहनिहार सबकिछुके नाश क' देत। धरती परके सबकिछु मरि जाएत।18 मुदा हम अहाँसंगे अपन करार बान्हब। अहाँ आ अहाँके पत्नी, अहाँके बेटासब आ ओकर पत्नीसब नावमे प्रवेश करत।19अहाँसब जीवजन्तुमे स' दूटा, एकटा नर आ एकटा मादाके सेहो अपने संग पनियां जहाजमे ल' लेब, जाहिस' ओहोसब जीवित रहए।20सब प्रकारक दूटा प्राणी अहाँसबके लग आबि जाएत जे अहाँसब ओकरासबके जीवित राखि सकी। एहिमे सब रंगके चिड़ै-चुनमुनमे स' दूटा आ सब रंगके भरिगर जानवरमेस' दूटा आ जमीनपर चलएबला सब रंगके जीवमे स' दूटा रहत।21अहाँसबके आ एहिसब प्राणीके जे किछु भोजनक आवश्यकता होएत, ताहिमेस' किछु ल क पनियां जहाजमे राखिलेब।”22तएं नूह ओ सबटा काज कएलनि जे परमेश्वर हुनका करबाक लेल कहने छलथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.