Genesis8
1 मुदा परमेश्वर नूहक विषयके नहि बिसरलनि, आ नहि ओहि सब जंगली जानबर आ सब प्रकारक घरैया पशुक विषयमे जे हुनकासंगे जहाजमे रहए। तएं एकदिन परमेश्वर पृथ्वीपर हवा चलौलनि, आ हवाक कारण पानि घटए लागल।2परमेश्वर धरतीके नीचा जे पानि छल, ओकर छेद बंद क' देलथिन, आ आकाशके पानिके बान्हके फाटक बंद क' देलथिन, जाहिस' वर्षा बंद भ' गेलै।3रसे-रसे पृथ्वीपर पानि घटैत गेल। बाढ़ि शुरु भेलाक एक सय पचास दिन बाद बहुते पानि कम भ' गेल छल।4 सातम मासक सत्रहम दिन जहाज अरारात क्षेत्रके एकटा पहाड़पर अड़ि गेल।5ओहि वर्षके दसम मासक पहिन दिन आन पहाड़क चोटी नहि देखाए लागल, ताधरि पानि कम होइत रहल।6 चालीस दिनके बाद नूह जहाजके कातमे जे खिड़की बनौने रहए, से खोलिक' एकटा कौआके बाहर पठौलनि।7कौआ जहाजके आगु पाछु उड़ैत रहल जाधरि पानि जमीनके सतहधरि सुखि नहि गेल।8तखन नूह एकटा कबुतरके बाहर पठौलनि जाहिस' ई पता चलए जे पानि जमीनपरस' हटि गेल की नहि।9मुदा कबुतरके बैसबाक लेल कोनो जगह नहि भेटल, तएं ओ जहाजमे उड़िक' नूह लग आबि गेल, किएक त' समूचे पृथ्वीपर एखनो पानि अछिए छल। तएं नूह हाथ बढ़ाक' कबुतरके फेरुस' जहाजके भीतर अनलकनि।10नूह सात दिन आओर प्रतीक्षा कएलनि। तखन फेरु जहाजस' कबूतरके बाहर पठौलनि।11एहिबेर कबुतर ओकरा लग सांझमे घुरिक आएल आ आश्चर्यक बात ई जे कबुतर अपन लोलमे जैतूनक गाछके एकटा पता तोड़ने आएल। तखन नूहके बुझाएल जे पानि ठीके जमीनक सतहस' नीचा गेल अछि।12नूह फेरु सात दिन आओर प्रतीक्षा कएलनि। तखन ओ फेरु कबुतरके बाहर पठौलनि, मुदा एहिबेर ओ कबुतर हुनकालग नहि घुरिक' आएल।13आब नूह 601 वर्षके भ' गेल रहए। ओहि सालक पहिन मासक पहिन दिन धरि जमीनपरस' पानि साफे चुबि गेल छल। नूह जहाजके उपरके झंपनाके हटा देलनि, आ ई देख आश्चर्यचकित भ' गेलनि जे जमीनक सतह सुखा रहल छल।14 अगिला मासक सत्ताइसम् दिन धरि जमीन साफे सुखा गेल रहए।15तखन परमेश्वर नूहके कहलथि,16 “अपन पत्नी, बेटा आ ओकरा पत्नीसबहक संग, अहाँ जहाजस' उतरि जाउ।17 चिड़ै-चुनमुन, पालतू जानबर आ सब प्रकारक जीवजन्तु जे जमीनपर चलैत अछि, तेकरा बाहर आनू, जाहिस' ओसब सौंसे पृथ्वीपर पसरि सकए आ संख्यामे बहुत भ' सकए।”18 तखन नूह अपन पत्नी, बेटा आ पुतहुसब जहाजस' उतरि गेलनि।19तखन सब जीव, जे जमीनपर चलएबला आ चिड़ै-चुनमुन, आ पृथ्वीपर चलएबला हरेक जानबर अपन अपन समूहमे जहाजस उतरिगेल।20तखन नूह यहोवाके लेल एकटा वेदी बनौलनि। ओ किछु चिड़ै-चुनमुन आ जानबर जे बलिदानक रुपमे स्वीकार छल ओकरा ल' क' मारिक' आ ओकरासबके वेदीपर समूचे होमबलि देलनि।21जखन यहोवा आनन्दमय सुगन्ध सुंघलनि, ओ बलिदान स' प्रसन्न भेलाह। तखन ओ मनेमन बजलाह, “लोकसबके पापपूर्ण काजक कारण हम फेरु कहियो पृथ्वीपर सबकिछुके तबाह नहि करब। भलेहि बचपनेस' लोक अपन मोनमे जे किछु सोंचत से अधलाहे होएत, मुदा हम फेरु सब जीवके नाश नहि करब, जेना एहिबेर कएने रही।22जहियाधरि धरती रहत, बिआ रोपबाक मौसम आ फसल कटबाक मौसम, ठंढा आ गरमी समय, गर्मी आ जाढ़, दिन आ राति चलैत रहत।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.