Ephesians5
1परमेश्वर अहाँक लेल जे कएने छथि ताहि कारणे हुनकर नक्कल करु जेना प्रिय बच्चासब ओहि पिताक' नक्कल करैत अछि जे ओकरासबस' प्रेम करैत अछि।2सब किछु एहन तरीकास' करु जाहिस' पता चलए जे अहाँ दोसरस' प्रेम करैत छी। मसीह जकां बनू, जे हमरासबस' एतेक प्रेम कएलनि जे ओ स्वेच्छास' हमरासबहक लेल क्रूसपर मारि गेलाह आ हमरासबहक स्थानपर परमेश्वरक' लेल बलिदान आ बलिदान बनि गेलाह। ई बलिदान परमेश्वरके बहुत प्रसन्न कएलक। 3मुदा केकरो ई सुझाव द' के केओ कारण नहि होअए चाही की अहाँ पवित्र लोकसबमे से केओ यौन पाप वा कोनो प्रकारके अनैतिकता वा व्यभिचारमे सहभागी अछि। एहन पाप परमेश्वरक लोकके नहि होइत अछि।4जखन आपसमे बात करब तखन फोहर कथा नहि कहब आ नहि मूर्खतापूर्ण बात कहब आ नहि पाप करबाक मजाक करब। ईसब एहन बात नहि अछि जे लोक बात करैत अछि जे परमेश्वरक' होए। मुदा ओहि बातके व्यक्त करु जेकर आभारी रहए पड़त।5ई बात बहुत बेसी सत्य अछि ई लोकसब मसीहक' राज्य स' बहिष्कृत भ' जएताह जे परमेश्वर छथि। जे केओ यौन अनैतिक वा अशोभनीय अछि, वा जे यौन स' ग्रसित अछि, ओ मूर्तिपूजक बरोबरि अछि।6केओ अहाँके ई कहिक' व्यर्थमे धोखा नहि दिए जे परमेश्वर ईसब काज करएबलाके सजाय नहि देत। एहिसब बातक कारणे परमेश्वर अपन आज्ञा नहि माननिहारके सजाय देताह।7तएं एहन पाप करएमे ओहि लोकसबके संग नहि जुटू।8मोन राखू जे प्रभु यीशुपर विश्वास करएस' पहिने, अहाँके ई नहि बुझल छल जे सत्य की होइत छै, ठीक ओहिना जेना अन्हार जगहपर रहनिहार लोकके ई नहि बुझल रहैत अछि जे अपन आसपास की अछि। मुदा आब जेना अहाँ इजोतमे आबि गेल छी, किएकत' प्रभु अहाँसबके देखा देने छथि जे सत्य की होइत अछि। तएं प्रभु जेना देखओने छथि, ओहिना चलैत रहू। 9कारण जेकरालग इजोत अछि ओ सही बाटपर चलत, कारण यीशुके जनलाक परिणाम स्वरुप, अहाँ सदा एहन तरीकास' जिअ सकैत छी जे नीक, सांच आ धार्मिकता होअए।10जखन अहाँ एहि तरहें जीबैत छी तखन ई जांच करैत रहू जे प्रभुके की नीक लगैत अछि से सिखैत रहू। 11तएं जे व्यर्थ काज क' रहल छथि हुनकासंग संगति नहि करु जे ओ आत्मिक अन्हारमे करैत छथि। बल्कि सबहक सामने उजागर करु जे हुनकर काज कतेक व्यर्थ अछि।12एहिमे कोनो सन्देह नहि की परमेश्वरक' लोकसबके लेल अधलाह बात धरि करब लाजक' बात अछि, जे गुप्त रुपमे करैत छथि,13मुदा हमरासब लेल जरुरी अछि जे एकरासबके उजागर करी जाहिस लोक एकरासबके जान सकए आओर बुझि सकए जे ई सबबात खराब अछि। ई तखन होइत अछि जखन हमसब कोनो बातके सोझा अनैत छी जाहिस' सबके बुझल जा' सकए जे ओ वास्तवमे की अछि। तखन लोक इजोतके उजागर कएलक अछि ओकर जांच आ न्याय क' सकैत अछि।14परमेश्वरके जानए स' पहिने अहाँ कोनो अन्हार जगहपर सुतल वा मरल पड़ल जकां छलहुं। विश्वासी लोकनि जखन कहैत छथि, एहि बातक बात क' रहल छथि, “अहाँ जे सुतल छी, जागू! अहाँ जे मारि गेल छी, अन्हारमे स' बाहर निकलू आ फेरुस' जीवनमे जाउ! मसीह अहाँसबके देखा देताह जे की सत्य अछि, जहिना इजोत लोकके देखबैत अछि जे अन्हारमे की छल।” 15तएं बहुत सावधान रहू जे कोना जीबैत छी। मूर्ख लोक जकां व्यवहार नहि करु जेना ओसब करैत छथि। बल्कि बुद्धिमान लोक जकां व्यवहार करु।16जे समय अछि ओहिस' नीक काज करु जे समय अछि ओहिस' जे क' सकैत छी से करु, किएकत' लोकसब दिन बेसीस बेसी खराब काज क' रहल अछि। 17तएं बुद्धिमान बनू, नीक जकां बुझू जे ई की अछि प्रभु यीशु जे चाहैत छथि से करु, आ ओ करु!18दाखरस पेय पीबिक निसामे धुत्त नहि भ' जाउ, किएक की निसामे धुत्त रहलापर लोक अपनापर काबू नहि राखि सकैत अछि। बल्कि, परमेश्वरक आत्मा के सब समय अहाँ जे काज करैत छी, ताहिपर नियन्त्रण राखए दिऔ। 19एक-दोसरके मसीहके विषयमे भजन आ गीत गबैत आ जे गीत हितोपदेश परमेश्वरक' आत्मा अहाँके दैत अछि। ई संगीत अहाँक हृदयके गहिंराइस' प्रभुक' निश्छल प्रशंसक' रुपमे आबए दिऔक। 20कारण, सब किछु ओहि बातसबके' कारणे हमरासबहक पिता परमेश्वरके सदिखन धन्यवाद करु जे प्रभु यीशु मसीहके नामस' अहाँसबहक लेल कएने छथि21नम्रतापूर्वक एक-दोसरके' अधीन रहू, जखन की अहाँ मसीहके श्रद्धा स' आदर करैत छी।22पत्नीके अपन पतिक' अधीनमे रहबाक चाही जेना की ओसब प्रभु यीशुक' अधीन रहैत छथि जेना पति पत्नीक' अगुवा छथि ठीक ओहिना जेना मसीह विश्वव्यापी विश्वासी मण्डलीके अगुवा छथि। ओ अहाँके देहके उद्धारकर्ता छथि जे सब विश्वासीके अपन पापक' सजायस' बचा लेलनि। 24रहल बात पत्नीके तहिना जेना सब विश्वासीसबके समूह मसीहके अधिकारके अधीन रहैत छथि, तहिना पत्नीके सेहो अपन पतिक अधिकारके अधीनमे पूर्णरुपस' रहए।25अहाँसबमेस' प्रत्येक पति, अपन पत्नीस' ओहिना प्रेम करु जेना मसीह हुनकापर विश्वासीसबके समूहस' प्रेम करैत छथि। एतधरि जे ओ हमरासबहक लेल क्रूसपर अपन प्राण सेहो द' देलनि26जाहिस' ओ हमरासबके अपनालेल अलग क' सकथि। क्षमा करबाक अपन योजना बताक' आ हमरासबहक पापके एना दूर क' क' पवित्र क' देने छथि जेना पानिस' धोआक' शुद्ध भ' गेल होइक।27ओ ई एहिलेल कएलनि जे ओसब विश्वासीसबके समूहक शरीरके एकटा महिमामय समूहके रुपमे प्रस्तुत क' सकथि, जाहिमे पाप वा नैतिक दोष नहि, मुदा पवित्र आ सिद्ध, जेना कोनो महिमामय कनियां अपन वरस' भेटि करबाक लेल तैयार होथि।28तहिना प्रत्येक पुरुषके अपन पत्नीस' प्रेम करबाक चाही जेना अपन शरीरस' प्रेम करैत अछि। जे पुरुष अपन पत्नीस' प्रेम करैत अछि ओ एहन करबामे अपनास' प्रेम करैत अछि29किएकत' केकरो अपन देहस' कहियो घृणा नहि होइत अछि। मुदा, ओ अपन शरीरक' पोषण आ देखभाल करैत छथि, ठीक ओहिना जेना मसीह अपन विश्वव्यापी मण्डलीमे हमरासब विश्वासी सबहक देखभाल करैत छथि। हमसब विश्वासीके एकटा समूह बनि गेल छी जे हुनकर अछि।31पवित्र शास्त्र विवाह करएबला लोकक' विषयमे ई कहैत अछि: “तएं पुरुष अपन पिता आ मायके छोड़िक' अपन पत्नीस' जुटि जाएत, आ दुनू एक शरीर भ' जएताह जेना एके व्यक्ति होथि।” 32एहिमे बहुत किछु एहन अछि जे हमसब नहि बुझि सकैत छी, मुदा हम अहाँसबके कहि रहल छी जे पति-पत्नीके ई उदाहरण आ मसीहस' सम्बन्धित विश्वासीसबके समूह बीचके सम्बन्धके बुझएमे सेहो मदति करैत अछि।33ओना रहल बात अहाँक' त' सब पुरुषके अपन पत्नीस' ओहिना प्रेम करबाक चाही जेना अपनास' प्रेम करैत अछि, आ सब महिलाके अपन पतिक' आदर करबाक चाही।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.