Ephesians6
1आब बात अहाँ बच्चासबके त' अपन माय-बाबूके बात एना करु जेना अहाँ प्रभु यीशुक' सेवा क' रहल छी किएकत' अहाँसबहक लेल ई उचित अछि।2परमेश्वर पवित्र धर्मशास्त्रमे आज्ञा दैत छथि, “अपन माय-बाबूके बहुत आदर करु।” ई पहिन नियम अछि जे परमेश्वर आज्ञा देने छलाह जाहिमे ओ किछु प्रतिज्ञा सेहो कएने छलाह। प्रतिज्ञा कएने छथि3“अहाँ ई करब त' तखन अहाँ समृद्ध भ' जाएब आ अहाँ पृथ्वीपर बेसी दिन जीवित रहि सकब।” 4रहल बात अहाँ जे पिता छी त' अपन बच्चाके संग एहन व्यवहार नहि करु जे ओ क्रोधित भ' जाए। मुदा ओकरा नीक जकां अगुवाइ करु आ ओकरा ओहि तरहें अनुशासित करु जेना प्रभु यीशु चाहैत छथि जे अहाँ करु। 5रहल बात अहाँसब जे दास छी, तहिना अहाँसब मसीहक' आज्ञा मानैत छी, तहिना देह अनुसार जे अहाँक मालिक छथि, निष्कपट मनस' हुनकर भय मानू आ निष्ठापूर्वक आज्ञा मानू।6हुनकर बात तखने नहि मानू जखन ओ अहाँ दिस नजरि देने होअए, जेना की केवल मेहनति करबाक' नाटक करएबला लोक। मुदा एहन काज करु जेना अहाँ मसीहक' सेवक छी, उत्साहपूर्वक ओ काज मनस' करु जे परमेश्वर चाहैत छथि।7स्वेच्छास' अपन मालिकके सेवा करु, जेना अहाँ लोकक' दिसस' प्रभु यीशुक सेवा क' रहल छी।8अहाँके बुझल अछि तएं करु की प्रभु यीशु प्रत्येक व्यक्तिके ओहि नीक काजके लेल पुरस्कृत करताह। ओ व्यक्ति दास छल वा स्वतन्त्र व्यक्ति एहिस' कोनो फरक नहि पड़ैत अछि।9जत धरि अहाँ जे मालिक छी, जहिना अहाँक' दाससबके अहाँक' नीक सेवा करबाक चाही तहिना अहाँसब सेहो हुनकासबहक संग नीक व्यवहार करबाक चाही। हुनकासबके धमकी देब छोड़ू। ई नहि बिसरब जे हुनकर प्रभु आ अहाँक' प्रभु छथि से स्वर्गमे छथि आ ओ सबलोकके बिना पक्षपातके न्याय करैत छथि चाहे हुनकर पद कतबो उच्च वा नीचा किएक नहि होए। 10अन्तमे, आत्मिकरुपस' स्वयंके मजगूत करए लेल प्रभु यीशुपर पूर्णरुपस' भरोसा करु किएकत' ओ अथाह शक्तिशाली छथि।11जहिना सैनिक अपन शत्रुस' लड़बाक लेल तैयार भ' क' सबटा हथियार पहिर लैत अछि। अहाँके सब आत्मिक संसाधनके उपयोग करए पड़त जे परमेश्वर अहाँके उपलब्ध करबैत छथि जे अहाँ शैतानके विरुद्ध सफल भ' सकब जखन ओ चतुराइस' अहाँके विरुद्ध योजना बनाएत।12मोन राखू जे हमसब लेहू आ मासु माने आन मनुष्यक' विरुद्ध नहि लड़ि रहल छी। मुदा हमसब ओहि दुष्टके विरुद्ध लड़ि रहल छी जेकरा संसारके अन्धकारके शासकसब आ एहि अशुभ समयमे दुष्ट करएबला लोकपर राज करबाक अधिकार अछि, यानी हवामे रहनिहार दुष्टात्माके आत्मिक शक्तिके विरुद्ध। 13ताहिके लेल अहाँके ओहि सब आत्मिक संसाधनके उपयोग करबाक चाही जे परमेश्वर अहाँसबके देने छथि, जेना एकटा सैनिक अपन सबटा हथियार पहिर लैत अछि। जं अहाँ एहन करब त' अहाँ दुष्टात्मासबके विरोध करएमे सक्षम होएब जखन ओ अहाँपर आक्रमण करत। अहाँसब समय तैयार रहब जखन ओसब अहाँपर फेरु आक्रमण करत आ अहाँ परमेश्वरक लेल नीक जीवन जिअएमे सक्षम होएब।14अहाँसबके शैतान आ ओकर दुष्टात्मासबके विरोध करबाक लेल तैयार रहबाक चाही, जेना सैनिक दुश्मनके विरोध करए लेल सदिखन तैयार रहैत अछि। ई करबाक लेल, परमेश्वर जे सत्य बात देखओने छथि, ताहिपर सोंचैत रहू। एकर अतिरिक्त धर्मी व्यवहार करैत रहू। ई अहाँक' रक्षा करत जेना कोनो सैनिकक' हथियार जे अपन छातीके रक्षा करैत अछि। 15जेना सैनिक अपन जुता पहिरैत अछि, जरुरति पड़ला पर सुसमाचार लेल कतहु जएबाक लेल तैयार रहू, जे लोकके बतबैत अछि जे परमेश्वरके संग कोना शान्तिमे रहएके चाही। 16जहिना सैनिक ओकर शत्रुद्वारा जे अग्निबाण चलबैत अछि ओकरा रोकबाक लेल ढाल उठबैत अछि। तहिना अहाँसबके प्रभु पर सदिखन दृढ़ विश्वास रखबाक चाही। ई अहाँक दुश्मन, शैतान, दुष्ट, अहाँके आत्मिकरुपस' नोक्सान पहुंचएबाक प्रयासमे जे किछु करत, ताहिस' अहाँके बचाओत।17एकर अतिरिक्त एकटा सैनिक अपन उद्धारके टोप पहिरैत अछि, भरोसा राखू जे परमेश्वर अहाँके बचा लेलनि। आ जहिना सैनिक अपन शत्रुसबके पराजीत करबाक लेल तरुआरिके प्रयोग करैत अछि। परमेश्वरक आत्मा जे हथियार दैत अछि, ओकर प्रयोग करु, ई ओ सन्देश अछि जे परमेश्वरस' अबैत अछि। 18जखन-कखनो अहाँ परमेश्वरस' प्रार्थना करैत छी आ हुनकास' चीज मांगैत छी, तएं सदिखन परमेश्वरक' आत्माके अहाँक' मार्गदर्शन करए दिऔक कोना प्रार्थना करए पड़त आ की प्रार्थना करए पड़त। अधिक प्रभावी होबएलेल, देखू परमेश्वर की क' रहल छथि, आ धैर्य राखू जखन अहाँ परमेश्वरक' सब पवित्र लोकक' लेल सदैव प्रार्थनामे अडिग रहब।19हमरालेल सेहो प्रार्थना करु जे जखन-कखनो हम बाजब से परमेश्वर हमरा कहथिन जे हम की कहब। जाहिस' हम मसीहक' सुसमाचार दोसरके सुना सकब। जे पहिने लोकके नहि बुझल छल।20ई एहिलेल जे हम लोकसबके मसीहक' विषयमे कहैत आबि रहल छी जे आब हम एत जहलमे झिझिरमे हुनकर प्रतिनिधित्व करैत छी। प्रार्थना करु जे जखन हम मसीहक' विषयमे दोसरके कहैत छी। तएं हम निर्भीकतापूर्वक बाजि सकैत छी, कारण हमरा एना बजबाक चाही।21आब एहि क्रममे जे अहाँसबके पता चलए हमरा की भ' रहल अछि आ हम की क' रहल छी, एत जे किछु होइत छै से तुखिकुस अहाँके कहि देत। ओ एकटा एहन प्रिय संगी-विश्वासी भाइ छथि जिनकास' हमसब बहुत प्रेम करैत छी, आ ओ प्रभु यीशुक सेवक निष्ठापूर्वक सेवा करैत छथि।22ताहिके लेल हम हुनका ई पत्र ल' क' अहाँसबलग पठा रहल छी; हम चाहैत छी जे अहाँसब जनैत छी जे हमसब केहन छी, आ हम चाहैत छी जे ई अहाँसबके मनमे सान्त्वना आ उत्साह देत।23हम प्रार्थना करैत छी जे हमर पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँसब संगी-विश्वासी भाइसबके शान्तिपूर्ण आत्मा देथिन आ अहाँसब एक-दोसरस' प्रेम करए आ परमेश्वरपर लगातार भरोसा करएमे सक्षम बनाबथि।24हम प्रार्थना करैत छी जे हमर पिता परमेश्वर ओहि सब लोकक' बीच अनुग्रहपूर्वक काज करैत रहथि, जे हमरासबहक प्रभु यीशु मसीहक' प्रति दृढ़ प्रेम रखैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.