Ephesians4
1एहि सबहक कारणे, हम जहलमे अछि, कारण हम प्रभु यीशुक' सेवा करैत छी, हम अहाँसबस' आग्रह करैत छी जे अहाँसब एहन तरीकास' जीवन जीबू जे यीशुक' आदर करैत अछि, जे अहाँसबके हुनकालेल जिबाक लेल बजौलनि।2सदिखन विनम्र आ दीन रहू। एक-दोसरके साथ धैर्य राखू, दोसरके परेशान करएबला काजके सहन करु, कारण अहाँ एक दोसरास' प्रेम करैत छी।3ओना परमेश्वरक' आत्मा अहाँसबके एकजुट क' देने अछि, तएं एक-दोसरके' संग एक रहबाक लेल सब सम्भव प्रयास करु। एक-दोसरके प्रति शान्तिपूर्ण व्यवहार क' स्वयंके एकठाम राखू।4परमेश्वरके विश्वासीके एक देह आ एक पवित्र आत्मा छथि, जेना ओ अहाँसबके ओहि एक आ एकमात्र चीजके प्राप्त करबाक लेल बजौने छथि जेकर आशा लोकक' सकैत अछि, जे अहाँसबहक अछि जेकरा परमेश्वर बजौने छथि।5प्रभु एके छथि, यीशु मसीह, हुनकापर विश्वास करएके एकहि तरीका अछि, आ ओ हमरासबके ई देखाबएलेल बपतिस्मा देलनि जे हमसब मात्र हुनकर छी।6एकटा परमेश्वर छथि, जे हमरासबहक पिता छथि, चाहे ओ यहूदी होए वा गैर-यहूदी। ओ हमरासबपर राज करैत छथि, हमरासबहक माध्यमे काज करैत छथि, आ हमरासबमे रहैत छथि।7परमेश्वर हमरासबमेस' प्रत्येकके आत्मिक वरदान ओहि तरहें देने छथि जेना मसीह निर्धारीत कएलनि जे हमरासबके अनुग्रहमे ई वरदान भेटबाक चाही।8ताहिके लेल पवित्र धर्मशास्त्रमे कहल गेल अछि जे, जेना ओ उच्च स्थानपर गेलाह, ओ अपना संग कतेको लोकके अनलनि जेकरा ओ पकड़ि लेने छल। आ अपन लोकके उपहार देलनि। 9शब्द “ओ उच्च पर चलि गेल” निश्चितरुपस' हमरासबके कहैत अछि जे मसीह सेहो पहिने पृथ्वीक' निचका भागमे गेलाह। 10स्वर्गस' पृथ्वीपर आएल मसीह सेहो स्वर्गमे सर्वोच्च स्थानपर घुरि आबि गेल छथि जे पूरा संसारके भरि सकथि।11अपन लोकके वरदानके रुपमे ओ किछुके प्रेरित करए लेल देलथिन, किछुगोटे प्रवक्ता बनबाक लेल। किछुगोटे यीशुक' सुसमाचार सुनाबए लेल लोकसबके ताकएलेल आ किछु गोटेके देखभाल करए लेल आ किछुके विश्वासीके समूहके सिखाबएलेल नियुक्त कएलनि। 12परमेश्वर हुनकासबके परमेश्वरक' पवित्र लोकके दोसरक' सेवा करबाक काज करबाक लेल तैयार करबाक लेल नियुक्त कएलनि जाहिस' मसीहके देह आत्मिकरुपस' मजगूत भ' सकथि।13ई काज ताधरि जारी रहत जाधरि हमसब मिलक ओएह नहि बनब जे परमेश्वर चाहैत छथि: एकजुट भ' क' हमसब परमेश्वरक' पुत्रपर पूर्ण विश्वास करैत छी आ हुनकर काज हमरासबमे अनुभव करैत छी, आ विश्वासीके समूहके रुपमे पूर्णरुपस' परिपक्व परमेश्वरपर भरोसा करएमे आ स्वयंके मसीहक' रुपमे जानएमे पूर्णरुपस' परिपक्व।14तखन आब हमसब आत्मिकरुपस' अपरिपक्व नहि रहब, जेना छोट-छोट बच्चासब अपरिपक्व होइत अछि। आब हमसब सब नव शिक्षाके' पालन नहि करब, जे सदिखन बदलैत रहैत अछि जेना कोनो नावके हवा आ लहरि अपन दिशा बदलैत एमहर-ओमहर ल' जाइत अछि। हमसब चतुर लोकके नहि देब जे झूठ सिखबैत अछि जाहिस' ओसब अपन झूठस' हमरासबके धोखा दैत अछि।15मुदा जेना-जेना हमसब प्रेममे एक दोसरास' सत्य बजैत छी, तएं हमसब सब तरहें मसीह जकां बनैत रहू जेना ओ हमरासबके निर्देश दैत छथि। जहिना मनुष्यक' माथ ओहि व्यक्तिक शरीरक' मार्गदर्शन करैत अछि।16इएह अछि जे हमरासबके एक दोसरास' बान्हि दैत अछि आ एक दोसरास' जुड़ल रहैत अछि। ओ हमरासबके सिखबैत छथि जे कोना एक-दोसरके' मदति करी आ समन्वित तरीकास' काज करी जखन ओ हमरासबमेस' प्रत्येकके उचित क्षमता दैत छथि, जेना मनुष्यक माथ ओकर शरीरक' किछु विशेष अंगके' लेल करैत अछि। एहि तरहें, जेना-जेना एक दोसरास' प्रेम करब, हमसब एकसंग बढ़ब आ एक-दोसरके मजगूत करब।17एकर कारणे, प्रभु यीशुक अधिकारस' हम अहाँसबके ई गवाही दैत छी जे आब स' अहाँसबके ओहिना नहि रहबाक चाही जेना गैर-यहूदी लोकसब जीबैत छथि। हुनकासबहक जीवनक तरीका एकटा बेकार सोंचस' निकलैत अछि।18सही वा गलतके विषयमे स्पष्टरुपस' सोंचए मे असमर्थ छथि, किएकत ओ परमेश्वरके जीवनस' पूर्णरुपस' अलग रहएके कोशिस करैत छथि। ओसब ई एहिलेल करैत छथि जे हुनकासबके ई नहि बुझल छनि जे हुनकासबमे की कमी अछि आ एहिलेल जे ओसब जिद्दी भ' क' परमेश्वरक' आज्ञा मानएस' मना क' दैत छथि।19कोनो चीज नीक वा अधलाह ई बुझएमे असमर्थ भ' गेल छथि, आ तएं अपन शरीरक' इच्छा अनुसार लज्जाजनक काज करबामे समर्पित भ' गेल छथि। सब प्रकारक' अनैतिक काज करैत छथि आ ओहिमेस' बेसीस' बेसी करए चाहैत छथि।20मुदा ई ओहिना नहि अछि जेना अहाँ जिअए सिखली जखन अहाँ मसीहक' विषयमे अनलहुं 21जत धरि अहाँ यीशुके विषयमे सन्देश सुनने छी आ बुझने छी आ सिखने छी, कारण हुनकर तरीका जिबाक' सांच तरीका अछि।22अहाँक शिक्षकसब अहाँके सिखबैत छलाह जे जीवनके पुरना व्यवहार ओहिना जिअएके छोड़ि दिऔक जेना अहाँ ओकरा जिअए चाहैत छी। अधलाह काज करबाक इच्छा रहबाक कारणे अहाँ स्वयंके ठकि लेलहुं जे ओ काज नीक अछि। ओहि तरहें जिअब आत्मिकरुपस' स्वयंके नाश करब छल।23तएं अहाँसबके नव आत्मा आ नव सोंचि-विचारिक संग स्वयंके परमेश्वरक' समक्ष देबाक चाही।24आ अहाँके नव व्यक्ति जकां पवित्रतामे रहब शुरु करबाक चाही जेकरा परमेश्वर अपन रुपमे बनएबाक लेल बनौने छथि। ओ अहाँसबके एक-दोसरके संग धार्मिकतास' रहबाक लेल आ यीशुक सत्यस' जिबाक लेल बनौलनि। 25तएं एक दोसरास' झूठ बाजब छोड़ू। एक दोसरास' सत्य बाजू किएकत' हमसब परमेश्वरके परिवारके सदस्यके रुपमे एक-दोसरके संग छी। 26पाप व्यवहार पर तमसाउ, मुदा क्रोधित होएबाक कारणे पाप नहि करु। प्रत्येक दिनके अन्तस' पहिने जे किछु अहाँके क्रोधित करैत अछि ओहिस' सम्हरि जाउ 27जाहिस' अहाँ शैतानके अहाँक' संग अधलाह काज नहि करए दिऔक।28जे चोरी करैत अछि ओकरा आगु चोरी नहि करबाक चाही। मुदा हुनकासबके मेहनति करबाक चाही, अपन प्रयास स' नीक काज करबाक चाही जाहिस' अभावग्रस्त किछु देब लेल भेटए।29हानि करएबला बात नहि बाजू। बल्कि नीक-नीक एहन बात कहू जे लोकके मदतिके जरुरति पड़ला पर परिपक्व करए जाहिस' परमेश्वर अहाँके बातके माध्यमस' श्रोताके अनुग्रह होइक।30परमेश्वर अहाँसबके पवित्र आत्मा द' क' अपन लोकक' रुपमे चिन्हित कएलनि अछि, जे जाधरि मसीह अहाँसबके एहि संसारस' उद्धार नहि क' देत, ताबत धरि अहाँसबहक संग रहत। तएं अहाँ अपन जीवन जिबाक' तरीकास' परमेश्वरक' पवित्र आत्माके दुखित नहि करु। 31एहि प्रकारक व्यवहारके पूर्णरुपस' बंद करबाक लेल अपन पूरा प्रयास करु: दोसर पर आक्रोशित वा क्रोधित नहि होउ आ दोसर पर क्रोध धरि नहि करु। दोसरक' गारि-गरौवलि स' चिकरनाइ वा निन्दा नहि करु। कोनो प्रकारक' दुर्भावनास' कहियो काज नहि करु।32एहि प्रकारक व्यवहार करबाक बदला एक-दोसरपर दयालु रहू। एक-दोसरके प्रति दयाके साथ काम करु। एक-दोसरके ओहिना क्षमा करु जेना परमेश्वर अहाँसबके मसीहक द्वारा अहाँसबहक लेल कएल गेलसब काजके माफ कएने छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.