Exodus17

1तखन यहोवा इजराएली सारा समुदायके सीनके मरुभूमि स' यात्रा करए आ रपीदीम नामक ठाममे डेरा धरएलेल आदेश देलनि, आ ओसब ओहिना कएलनि। ओतए लोकसबके पिबएलेल पानि नहि रहए।2तएं लोकसब फेरुस' मूसास' निन्दा करैत कहलनि, “हमरासबके पीबएलेल पानि दिअ!” मूसा हुनकासबके उत्तर देलनि, “अहाँसब हमरासंगे झगड़ा नहि करु! अहाँसब यहोवाके जांच नहि करु!”3मुदा लोकसब बड़ पियासल छल, आ ओसब मूसास' निन्दा करिते रहि गेल। ओसब कहैत छल, “हमरासबके आ हमर बालबच्चासबके आ मालजालके कनिको पानि नहि द' मारएलेल मिस्रस' एतह ल' क' अहीं आएल छी!”4तएं मूसा यहोवासंग बजाक' प्रार्थना कएलनि। ओ कहलनि, “हम अही लोकसबस' कोना व्यवहार करु? ईसब हमरापर पत्थल फेक हमरा मारहि वला अछि!”
5यहोवा मूसाके कहलनि, “लोकसबके ल' क' जाउ आ अहाँ ओकरासबके आगु जाउ। अपनासंगे इजराएलके किछु धर्म गुरुसबके सेहो ल' जाउ। अपन हाथमे ओहि लाठीके ल' लेब जाहिस नील नदीके प्रहार कएने रही।6हमर बात सुनू! सीनै पर्वतके नीचा बड़का चट्टानके उपर अहाँके आगु हम ठाढ़ होएब। ओहि लाठी ल' क' चट्टानके प्रहार करु। जं अहाँ एना करब, त' ओहि चट्टानमेस' लोकसबके पीबएलेल पानि निकलत।” मूसा ओहिना कएलनि जे परमेश्वर कहने छलथि, आ ई भेल से इजराएलीके धर्मगुरुसब देखलनि।7मूसा एहि स्थानके मस्सा किएक त' इजराएलीसब यहोवाके ई प्रश्न पुछि जांच कएलनि जे यहोवा हमरासबके सहायता करए सक्षम छथि वा नहि आ मरीबा किएक त' ओसब सब समय उपराग करैत छल दुनू नाम धएलनि। 8तखन अमलेकके लोकसब आएल आ रपीदीममे इजराएलीसब संगे युद्ध कएलनि।9मूसा यहोशूके कहलनि, “किछु लोकके चुनि लिअ आ काल्हि अमालेकके लोकसबसंग युद्ध करए जाउ। ओहि लाठीके पकड़िक' जे परमेश्वर लेबएलेल कहने छथि, हम पर्वतके उपर ठाढ़ रहब।” 10तएं यहोशू मूसाके बात मानि लेलनि। ओ किछु लोक ल' गेल अमलेकके लोकसबसंग युद्ध करए गेल। जखन ओसब युद्ध करैत छल, मूसा, हारून, आ हूर पहाड़पर गेलथि एहिलेल जे ओसब युद्धके क्षेत्र देख सकथि।11तेकरबाद एना भेल: जखन-जखन मूसा अपन हाथ उपर उठबैत छल, इजराएलीसब युद्ध जितैत छल; तखन ओ अपन हाथ नीचा करैत छल, अमलेकके लोकसब जितैत छल।12मुदा मूसाके हाथ भरि गेल। एहिलेल हारून आ हूर मूसाके बैसए लेल एकटा बड़का पत्थल लेलक। जखन ओ ओहिपर बैसल छल, ओ दुनूगोटे ओकर हाथ उपर उठएलक, दुनू कात एक-एकगोटे। एहि तरहे, ओसब ओकरा हाथके सूर्य डुब धरि उठएने रहि गेल।13एहि तरहे यहोशू आ ओकरासंगे गेल लोकसब अमालेकके राजा आ ओकरा सेनाके युद्धमे पराजीत क' देलक।14तखन यहोवा मूसाके कहलनि, “एहि युद्धके विजय विवरण लिखक' आ यहोशू लग पढ़ल जाए। इहो लिखू जे हम अमालेकके लोकसबके पुरे नाश क' देबै जे संसारमे केकरो स्मरण नहि रहतैक जे ओसब के रहए।”15तखन मूसा ओतए एकटा पत्थल वला वेदी बनौलक आ ओहि नाम “यहोवा हमर झंडा छथि।” 16तब मूसा व्याख्यान कएलनि, “किएक त' अमालेक लोकसबके हाथ यहोवाके सिंहासन दिस हुनका चुनौती देब उठाएल गेल अछि, यहोवा अमालेकीसब संगे सर्वदा युद्ध करथिन!” 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67