Exodus18
1यित्रो, जे मिद्यानीके लोकक पुजारी रहए, आ ओ मूसाके ससुर सेहो रहए, से सुनलक जे इजराएली लोकसबके लेल, परमेश्वरके लोक, आ मूसाक लेल परमेश्वर जे कएने छथि से सुनलक। ओ सुनलक जे यहोवा ओकरासबके मिस्रस कोन तरहे निकालिक लौलक।2मूसा अपन पत्नी सिप्पोरा आ दुनू बेटाके अपना ससुरारि मे पठा देने रहैक जं ओ मिस्रमे जाइत छल। तएं जखन यित्रो, मूसाके ससुर, ओकरा लग आएल, ओ ओकरा3आ ओकरा दुनू बेटाके ल' क' अएलनि। एकटा बेटाके नाम गेर्शोम रहैक, जेकर इब्रानी भाषामे अर्थ होइत अछि “परदेशी” किएक त मूसा कहने छल, “हम दोसर देशमे रहनिहार परदेशी छी।”4ओकर दोसर बेटाके नाम एलीएजेर रहैक, जेकर इब्रानी भाषामे अर्थ होइत अछि “परमेश्वर, हमर बाबु जेकरा आराधना करैत छल, सहायता कएने छथि आ मिस्रके राजाके हमर मारए स बचौने छथि।” 5जखन मूसा आ इजराएलीसब परमेश्वरके पवित्र पहाड़, सीनैके मरुभूमिमे डेरा देलक, यित्रो मूसाके ससुर ओकरा लग, ओकरा दुनू बेटा आ पत्नीके ल क आएल। 6यित्रो मूसालग सन्देश पठौने छल, “हम अहाँके ससुर, यित्रो, अहाँसंग भेट करए आबि रहल छी। हम अहाँक पत्नी आ दुनू बेटा ल क आबि रहल छी!”7तएं मूसा डेराके अपन ससुरके संग भेट करए बाहर गेल। ओ ओकरा आगु निहुरि गेल आ ओकरा चुम्मा कएलक गाल मे। ओसब दुनूगोटे एक-दोसरस पुछलक, “हाल समाचार ठीक अछि?” तब ओ मूसाके डेरामे गेल।8मूसा अपन ससुरके कहलक जे यहोवा इजराएली लोकसबके मदति करए ओहि राजाके आ मिस्रमे बांकी लोकसबके की कएने छलथि से सब किछु खोलिक' कहि देलक। ओ ओकरा बाटमे भोगने कठिनाइके विषयमे, आ ओकरासबके तखन कोना मदति कएलथि सेहो कहलक।9यित्रो यहोवाके प्रशंसा कएलक जखन ओ सुनलक जे यहोवा मिस्रीसबके दास बनएस छुटकारा देलथिन आ ओ इजराएलीसबसंग भला भेलथि।10यित्रो परमेश्वरके स्तुति कएलक, “यहोवाके प्रशंसा होइक, जे अहाँसबके शक्तिशाली मिस्रीसेनास आ सामर्थी मिस्री राजाके हाथस' आ मिस्रीसबके नियंत्रणस' छुटकारा द क स्वतन्त्र कएलखिन!11आब, हम बुझि गेलहुं जे यहोवा आओर सब देवतासबस' महान छथि, किएक त' जं मिस्रीसब इजराएलीसबके अपमानित व्यवहार कएलक त' परमेश्वर अपन लोकके छुटकारा देलथिन।”12तब यित्रो जे मूसाके ससुर रहैक परमेश्वरके लेल होमबलि आ आओर बलिदान ल' क' आएल। हारून आ आओर इजराएली धर्मगुरुसब आएल आ परमेश्वरके आदरमे मूसाके ससुरसंगे भोजन कएलक।13दोसर दिन, मूसा एहन स्थानमे बैसि गेल जत लोकसबके झगड़ा सलटि अबैत छल। लोकसब मूसास अपन झगड़ा भोरस ल क सांझ धरि फैसला करबैत छल।14जखन यित्रो सब किछु देखलक जे लोकसबके लेल मूसा करैत छलनि, ओ कहलक, “लोकसबके एनाक अगुवाइ नहि करु। लोकसबके हमर झगड़ा फैसला क दिअ कहने मांग पूरा करए दिनभरि एसगरे नहि बैठु!”15मूसा अपन ससुरके उत्तर देलक, “हम ई एहिलेल करैत छी लोकसब परमेश्वरके इच्छा जानए हमरालग आबिते के अबिते रहैत अछि।16जं ओसब कोनो विषयमे सहमत नहि होइत अछि, ओसब हमरालग अबैत अछि, आ के ठीक अछि से हमरास पुछैत अछि। जं हम निर्णय क दैत छी, हम ओकरासबके इहो व्याख्या क दैत छी जे परमेश्वरके व्यवस्था आ निर्देशन ओहि अवस्थामे कोनाक लागू क सकैत अछि।”17यित्रो मूसाके कहलक, “अहाँ जे करैत छी से बेसी नफाबला नहि अछि।18अहाँ आ ई लोकसब सेहो थाकि जएतैक! ई काज अहाँके लेल बेसी अछि। अहाँ एसगरे ईसब न्यायके काज नहि कर सकब।19आब हमर सल्लाह सुनू अहाँके की कर कहैत छी। हम जे सलाह देत छी से करब त, परमेश्वर अहाँके मदति करथिन। अहाँ लोकसबमे परमेश्वरके प्रतिनिधि बनले रहब आ हुनका लोकसबके झगड़ाके विषयमे कहियौ।20अहाँ एकर सबके परमेश्वरके व्यवस्था आ निर्देशन सेहो सिखाएब। ओकरासबके इहो व्याख्या क देबै जे ओसब कोना व्यवहार करत आ कोन मार्गमे कोना चलत।21आओर, अहाँ किछु सक्षम इजराएली लोकसबके खोजू जे अहाँके मदति करए। एहन लोकके चुनू जे परमेश्वरके भय मानैत होइत, जे विश्वासयोग्य होइक, आ जे कोनो घुस नहि स्वीकार करए। ओकरासबमे किछु गोटेके दस लोकके उपर, किछु गोटेके पचास लोकके उपर, किछु गोटेके सय गोटेके उपर आ किछु गोटेके हजार गोटेके उपर फैसला लेबाक लेल जिम्मेवारी दिऔ।22लोकसब बीच बेर-बेर होएत आएल विवादसब मिलाबए लेल अनुमति दिऔ। ई एना काज करत: कठिन समस्या सब ओसब अहाँ लग लाएब सकैत अछि, मुदा जे समस्या सामान्य अछि, ओहिके ओहेसब अपनेस निर्णय लेथि। ई एहिलेल करु जे ओसब अहाँक लेल काज करत त अहाँक काज आसान होइक।23यदि अहाँ एना करब त, अहाँक परमेश्वर जे आदेश देने छथि से करैत, आ सब केओ आपसमे शान्तिपूर्वक रही सकैत छी।”24मूसा अपन ससुरके सुनलक आ यित्रो कहने सब किछु कएलक।25तब मूसा सक्षम लोकसबके इजराएलीमेस चुनलक आ हजार गोटेके उपर, आ सय गोटेके उपर, पचास आ दस गोटेके उपर प्रधान बनौलक।26ओसब चुनल गेल लोकसबके बीचमे भेल विवाद मिलएलक। ओसब कठिन विवाद मूसालग लएलक, मुदा सामान्य विवाद ओसब अपने समाधान करए।27तब लगले मूसा अपन ससुरके बिदाह कएलक, आ यित्रो अपन घर घुरिगेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.