Exodus16

1ओसब एलीम छोड़िक' चलि गेल, आ सारा इजराएली समुदाय सीनै नामके पर्वत आ एलीम आ सीनके मरुस्थलके बीचमे चलि आएल। मिस्र छोड़लाके दोसर महिनाक पन्द्रहम दिनमे भेल छल।2ओहि मरुस्थलमे, सारा इजराएली समुदाय मूसा आ हारूनके विरुद्ध शिकाति कएलनि।3इजराएलीसब मूसा आ हारूनके कहलनि, “हमरासबके यहोवा मिस्रेमे मारि देने रहितैक त' नीके होएतै! मिस्र देशमे हमरासबके बनाक' खाए लेल माउस रहैक आ भरि मन खाए लेल रोटी सेहो छल। मुदा अहाँसब हमरासबके एहि निर्जन स्थानमे एहिलेल लएने छी जे हम सबगोटे मरए धरि भूखले छरपटाइत रही!”4यहोवा मूसाके कहलनि, “हम की करए जा रहल छी से ध्यानस' देखू। हम अहाँ इजराएलीसबकेलेल आकाशमेस' रोटी पठाबए जा रहल छी। जखन हम एना करब, लोकसब प्रत्येक दिन अपन बासाके बाहर जाए आ ओहि दिन लेल भोजन बटोरिक' ल' आबए। जखन हम एना करब, तखन हम जानि लेब जे ओसब हमर आदेश मानैत अछि वा नहि।5प्रत्येक सप्ताहके छठ्म दिन, दोसर दिन सबस' दोबर बटोरिक' लबथि आ भोजन बनाबथि जाहिस' सातम दिन किछु बटोरबाक आवश्यकता नहि पड़ए।”6तएं मूसा आ हारून इजराएलीसबके कहलनि, “आइए सांझमे अहाँसब जानि लेब जे ओ यहोवा छलथि, हमसब नहि, जे अहाँसबके मिस्रस' निकालिक' लौलनि।7काल्हि भोरमे अहाँसब जानि लेब जे यहोवा कतेक महान छथि, किएक त' अहाँसब हुनका विरुद्ध कोन तरहे उपराग कएने छी से ओ सुनने छथि। अहाँक उपराग सुनबाक लेल हमसब ओतेक महत्वपूर्ण नहि छी।”8मूसा इहो कहलनि, “प्रत्येक सांझ यहोवा अहाँसबके खाए लेल माउस देताह, आ प्रत्येक भोरमे ओ अहाँसबके पेट भरएलेल रोटी देताह। अहाँसब कोना हुनका विरुद्ध उपराग कएने छी से ओ सुनने छथि।”9मूसा हारूनके आओर कहलनि, “एत' इजराएलीसबके यहोवाके उपस्थितिमे ठाढ़ होएबाक आज्ञा दिऔ, किएक त' अहाँसब जाहि विषयमे उपराग करैत रही से ओ सुनि लेलथि।”10तखन जेना हारून इजराएलीसबके समुदायके कहलनि जे, ओसब निर्जन स्थानमे देखआएल घुमल आ मेघमे यहोवाके चमकैत इजोत देखक' अचम्भित भ' गेल जे ओकरासबके अगुवाइ करैत छल।11तखन यहोवा मूसाके कहलनि,12“इजराएलीसब जाहि विषयमे उपराग करैत छलथि से हम सुनने छी। तएं हुनकासबके कहियौन, ‘सांझमे, अहाँसबके खाए लेल माउस, आ भोरमे रोटी भेटत। अहाँ जतेक खाएब ततेक भेटत। तखन अहाँसब जानि लेब जे हम अहाँसबहक परमेश्वर, यहोवा छी।’”13ओहि सांझमे बटेरके हूल देखाइ देलक, आ ओ एतेक संख्यामे छल जे बासाके लगपासक क्षेत्र झांपि देलक। काल्हि भोर भेने देराक इलाकाके चारुदिस पानिक बुंन सब छल।14जहिना भुइयांमे खसल पानि सुखि गेल, ओसब कोनो वस्तुके पातर तह देखलक जे मरुभूमिमे छोट उज्जर तह जकां देखाइत छल। ई भुइयांमे हिमके तह सन देखाइत छल।15जखन इजराएलीसब ई देखलक, ओकरासबके जानकारी नहि छलनि जे ई की अछि, एहिलेल ओसब एक-दोसरस' पुछलनि, “ई की अछि?” मूसा ओकरासबके उत्तर देलनि, “ई भोजन अछि जे यहोवा अहाँसबके खाए लेल देने छथि।16यहोवा एहन आदेश देने छथि: अहाँसब जतेक खाएब ओतेक बटोरि लिअ। अहाँक बासामे रहनिहार प्रत्येक गोटेकेलेल दू लीटर जम्मा करु।”17तखन इजराएली लोकसब ओहिना कएलनि जेना कहल गेल रहैक। केओ बेसी बटोरलनि त' केओ कम।18मुदा ओसब प्रत्येक गोटेकेलेल दू लीटर जम्मा कएलनि, जखन ओसब नपलनि जे ओसब बटोरने छल, जे बेसी बटोरने छल तेकरा किछु बांकी नहि रहल। जे कम बटोरने छल तेकरा खाए लेल प्रयाप्त भेल। प्रत्येक व्यक्ति जतेक चाही ओतबे बटोरलक।19मूसा ओकरासबके कहलनि, “एहिमेस' काल्हि खाएलेल किछु बचा क नहि धरु!”20ओकरासबमेस' किछु लोक मूसाक कहल बातके नहि मानलनि। ओसब काल्हि भोर धरि बचा क ध' लेलक। एहिमे पिलुवा फड़ी गेल आ गन्हाए लागल। एहि बातस' मूसाके पित लहरि गेल।21प्रत्येक भोर ओसब हुनकासबके जतेक चाही ओतबे बटोरलनि। बादमे जखन रौद बढ़ैत गेल, जे भुइयांमे बांकी छल से पघलि गेल।22सप्ताहके छठ्म दिन, प्रत्येक गोटे चारि लीटर कच्चा भोजन बटोरए मे सक्षम भेल, ओसब आओर दिनस' दोबर बटोरि लेने रहए। जखन लोकक अगुवा मूसालग आबि एहि विषयमे कहलनि,23मूसा हुनकासबके कहलनि, “यहोवा अहाँसबके एना कहैत छथि: काल्हि अहाँसबहक लेल विश्रामक दिन होएत। ई यहोवाके लेल पवित्र दिन होएत। एहिलेल आइ आ काल्हिके लेल कतेक आवश्यक अछि ओतेक पका लिअ चाहे उसैन लिअ। आइ सांझ धरि जे उबरि जाएत, अहाँसब ओहिके काल्हि खाए लेल राखि दिऔ।”24तखन ओसब मूसाक कहल अनुसार कएलनि जे किछु उबरि गेल छल, ओसब काल्हि धरि रखलनि। ई सड़ल नहि आ एहिमे पिलुवा नहि फाड़ल!25ओहि दिन, मूसा हुनकासबके कहलनि, “काल्हि बचल भोजनमेस' आइ खाउ किएक त' आइ यहोवाके लेल विश्रामक दिन अछि। आइ कनिको भोजन बाहरमे नहि भेटत।26प्रत्येक सप्ताह, अहाँसब छओ दिनक लेल बटोरब; मुदा सातम दिन, ई अहाँसबके लेल विश्रामक दिन होएत, ओहि दिन केओ बटोरए नहि जाएब।”27सातम दिन, किछु लोक अपन डेरा स' बाहर गेल किछु आओर भोजन बटोरब, मुदा ओकरासबके किछु नहि भेटल।28तखन यहोवा मूसाके लोकसबके ई कहबाकलेल कहलनि, “यहोवा पिता गेल छथि किएक त' कतेक दिन धरि अहाँसब यहोवाके आदेशके मानएस' अस्वीकार करब?29सुनू!, किएक त' यहोवा अहाँसबके विश्रामके दिन देने छथि, प्रत्येक सप्ताहके छठ्म दिन, ओ अहाँसबके दू दिनक लेल पर्याप्त होअए ततेक भोजन द' रहल छथि। अहाँ सबकेओ अपन डेरा भीतरे रहब, सातम दिन भोजन बटोरए कतहु नहि जाउ!”30तएं लोकसब सातम दिन विश्राम कएलनि।31इजराएलीसब एहि भोजनके “मन्ना” कहलनि। ई देखएमे उज्जर, धनियाक' बिआ जकां, आ मधुस' बनाओल गेल पुवा जकां स्वाद लगैत छल।32मूसा इजराएलीसबके कहलनि, “यहोवा अहाँसबके एना कहने छथि: ‘अहाँसब एहिमेस दू लीटर भविष्यके पीढ़ी सबहक लेल राखब जाहिस' ओहोसब देख सकथि जे हम मरुभूमिमे खाए लेल भोजन देने छलहुं जहिया ओकरासबके मिस्रस' निकालिक' लेलहुं।’”33आ मूसा हारूनके कहलनि, “एकटा घैला लिअ, आ ओहिमे दू लीटर मन्ना राखि दिऔ। तखन ओहिके यहोवा देख सकथि तेहन स्थानमे राखि दिऔ। अहाँ एकरा भविष्यके पुस्तासब लेल राखू।”34बादमे हारून ओहि घैलाके आगु यहोवा आ इजराएली लोकसबसंग कएने गवाहीके सन्दूकके यहोवा मूसाके आदेश देने अनुसार राखि देलनि। 35इजराएलीसब मन्ना चालीस साल धरि खएलनि जाधरि कनान देशके सीमापर नहि आबि गेल, जत कनानी लोकसब छल।36आब दू लीटर के कहैत अछि एक ओमेर, एक एफाके दसम भाग कहैत अछि।  

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67