Revelation19

1ई सबकिछु भेलाक बाद आ शक्तिशाली स्वर्गदूत बाजि लेलाके बाद, हम स्वर्गमे एकटा विशाल लोकसबके भीड़के आवाज जकां सुनलहुं। ओसब एना जोर-जोरस' परमेश्वरके स्तुति करैत छल,“हल्लेलुयाह! ओ हमरासबके उद्धार कएने छथि!ओ महिमामय आ शक्तिशाली छथि!2परमेश्वरके स्तुति करु किएकत' ओ सत्य आ उचित न्याय करैत छथि!ओ एकदम दुष्ट शहरके दण्ड देने छथि जे एकटा वेश्या सन छल किएकत' ओकर निवासीसब पृथ्वीके आन लोकसबके अपने जकां अनैतिक काज करए लेल प्रेरित कएने छल।हुनक स्तुति करु किएकत' ओ हुनकर सेवकसबके हत्याके लेल ओकरासबके दण्ड देने छथि!” 3
भीड़के लोकसब दोसर बेर जोरस' बाजल,“हल्लेलुयाह! ओ शहर जरैत अछि से धुआं सदाके लेल उपर जाइत रहत!” 
4ओ चौबीसो धर्मवृद्धसब आ चारु जीवित प्राणीसब ओहि परमेश्वरके आगु मुंहे भरे खसि दण्डवत कएलक जे सिंहासनपर विराजमान छथि। ओसब जोरस' कहलकनि:“ई सत्य अछि! हल्लेलुयाह!”5
केओ सिंहासनस' बजैत ओसब सुनलक जे कहैत छल,“अहाँसब जे हुनकर दास छी, अपनासबके परमेश्वरके स्तुति करु! अहाँसब जे हुनका आदर करैत रहू, चाहे अहाँ छोट छी आ नमहर, सबगोटे जं हुनकर स्तुति करए!” 
6
तखन हम लोकसबके भीड़के आवाज सन किछु सुनलहुं जे कोनो सागरके लहरिके आवाज होइक, आ जोरस' तालीसबके गड़गड़ाहट होइक। ओसब जोरस' बाजि रहल छल:हल्लेलुयाह! अपनासबके प्रभु परमेश्वर राज करैत छथि, जे सब किछुपर शासन करैत छथि! 
7अपनासबके आनन्दित होएबाक चाही, अपनासबके बेसी खुशी होएबाक चाही। आ अपनासबके हुनकर प्रशंसा करबाक चाही, किएकत' आब ई समय अछि जे बलि-भेंड़ा ओहि दुल्हिनसंग एक भ' गेल छथि जिनका संग हुनक विवाह भ' रहल अछि। ओ स्वयंके तैयार कएने छै।8परमेश्वर हुनका एकटा चमकौआ आ साफ सुथर मलमलके वस्त्र पहिरए लेल देने छथि।नीक, उज्जर आ सफा मलमल परमेश्वरके लोकसबके धार्मिक जा' क' सब देखबैत अछि।
9तखन स्वर्गदूत हमरा कहलनि, “ई लिखू: ओसब कतेक धन्य अछि जेकरा परमेश्वरके बलि-भेंड़ाके विवाहमे भोजके नौता पड़ल अछि जं ओ अपन पत्नीसंगे विवाह करैत छथि।” ओ हमरा इहो कहलनि, “ई वचन परमेश्वर कहने छथि, सत्य अछि!”10हम तुरन्ते ओहि स्वर्गदूतके आराधना करबाक लेल हुनक पयरमे खसि पड़लहुं। मुदा ओ हमरा कहलनि, “हमर आराधना नहि करु! हम त' मात्र अहाँके संगी सेवक छी आ अहाँके संगी विश्वासीसबके संगी सेवक छी, जे यीशुके विषयमे सत्य बजैत छी। ओ परमेश्वरे छथि जिनकर अहाँके आराधना करबाक चाही किएकत' ओ पवित्र आत्मा छथि जे लोकसबके यीशुके विषयमे सांच गवाही बाजएके शक्ति दैत छथि।”
11तखन हम आकाशके खुजल देखलहुं, आ हमरा एकटा एकदम उज्जर घोड़ा देखक बड्ड अचरज भेल। यीशु, जे घोड़ापर सबार छलथि, हुनका “विश्वासयोग्य आ सत्य” कहल जाइत अछि। ओ सबगोटेके न्याय धार्मिकतामे करैत छथि; ओ अपन शत्रुसबस' न्यायके युद्ध लड़ैत छथि। 12हुनक आंखि आगिक धधरा जकां चमकैत छलनि। हुनक माथपर कएटा राजमुकुट छलनि। ओहिपर एकटा नाम लिखल छलनि, ओहि नामके अर्थ मात्र ओएह जनैत छथि।13ओ जे वस्त्र पहिरने छलथि ओहिपर लेहू छिटल रहथि। हुनकर नाम सेहो “परमेश्वरके सन्देश” अछि।14स्वर्गके सेनासब बलि-भेंड़ाके पाछु-पाछु चलैत छल। ओ उज्जर घोड़ापर सबार छलथि। ओ साफ मलमलके वस्त्र पहिरने छलथि।15एकटा धरगर तरुआरि हुनकर मुंहस' निकलैत छल; एहिस' ओ विद्रोही लोकसबके समूहके मारि देथिन। ओ स्वयं ओकरासबपर शक्तिशाली रुपमे शासन करथिन जेना हुनकालग लोहाके राजदण्ड होइक। ओ अपन शत्रुसबके एहि तरहें अखिना अखिना क' देथिन जेना केओ दाखरसके रसकुण्डमे अंगूरसबके थुरि दैत अछि। ओ परमेश्वरके लेल एना करतथि, जे सब केकरोपर शासन करैत अछि आ जे ओकरासबहक पापके कारण बहुत क्रोधित छथि।16हुनकर जांघपरके वस्त्रपर एकटा नाम लिखल छल: “राजा जे आन आओर सब राजासबपर राज करैत छथि आ प्रभु जे आन सब प्रभुसबपर शासन करैत छथि।” 
17तेकरबाद, हम एकटा स्वर्गदूतके सूर्यके प्रकाशमे ठाढ़ भेल देखलहुं। ओ आकाशमे उड़एबला मासु खाएबला सब चिड़ैसबके जोरस' बाजिक बजौलनि, “अबैत जाइ जो आ परमेश्वर जे तोरासब लेल द' रहल छथि ओहि बढ़का भोजके लेल एकठाम भ जो! 18आबिक परमेश्वरके सब शत्रुसबके मासु खाउ जे मरि गेल अछि। राजासबके मासु, सेनाके अधिकारीसबके मासु, घोड़ासबके मासु आ ओहि सैनिकसबके मासु जे सब ओहिपर सबार छल, आओर आन लोकसबके मासु जे स्वतन्त्र होइक आ दास, छोट होइक वा पैघ, सब प्रकारके लोकसबके मासु!”19फेरु हम पशु आ पृथ्वीके राजासबके ओकर सेनासबके संग देखलहुं; ओहि घोड़ा आ हुनकर सेनासब संगे युद्ध करबाक लेल एकठाम आएल रहैक।20उज्जर घोड़सवार जानबर आ झूठ प्रवक्ताके पकड़ि लेलनि। झूठ प्रवक्ता ओहि जानबरके आगु चमत्कार कएने रहैक। एनाक' क' ओहि लोकसबके धोखा देने रहैक जेसब अपन माथ आ हाथपर जानबरके चेन्ह लगौने रहैक आ ओकर मूर्तिके आराधना कएने रहैक, तखन परमेश्वर ओहि जानबर आ झुट्ठा प्रवक्ताके जीविते आगिके झीलमे फेक देलथिन जे आगि गन्धकस' जरैत अछि।21घोड़ापर भेल सबार अपन तरुआरिस' जे हुनकर मुंहस निकलैत छल ओकरासबके बांकी सेनासबके मारि देलथिन , सब चिड़ैसब लोकसबके मासु आ घोड़ासबके मासु खाएलेल टूटि पड़ल, जेकरास केओ मारि देने छलथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67