Revelation20
1मसीह ओहि जानबर, झुट्ठा प्रवक्ता, आ ओकरा सेनासबके जीत लेलाके बाद, फेरुस' हम स्वर्गस' एकटा स्वर्गदूतके नीचा उतरैत देखलहुं। हुनका हाथमे अतल कुण्डके कुंजी रहनि, आ ओ अपन हाथमे एकटा नमहर झिझिर लेने रहथि।2ओ स्वर्गदूत अजगरके पकड़ि लेलनि। ओ अजगर, जे प्राचीन सांप अछि, ओ शैतान अछि। ओ स्वर्गदूत ओकरा झिझिरस' बान्हि देलकनि। ओहि झिझिरके एक हजार वर्षधरि नहि खोलल जा सकैत रहथि।3तेकरबाद, स्वर्गदूत ओकरा अतल कुण्डमे फेक देलकनि। ओ ओहि कुण्डक दुआरिके बंद क' देलकनि, ओहिपर ताला लगा देलनि, आ ओहिपर मोहर लगा देलनि जे केओ ओहिके खोलि नहि पबैक। ओ एना कएलनि जे शैतान आब कोनो जातिके लोकसबके नहि बहकबए, जाधरि एक हजार वर्ष पूरा नहि भ' जाइक। ओहि समयके बाद, शैतानके कनिक समयके लेल स्वतन्त्र कएल जाइत जे ओ परमेश्वरके योजनाके अनुसार काज करए।4हम सिंहासन देखलहुं जाहिपर लोकसब बैसल रहैक। परमेश्वर हुनकासबके न्यायके लेल अधिकार देने रहथि। हम आन लोकसबके आत्मासबके सेहो देखलहुं जिनकर सिर काटल गेल छल, किएकत' ओसब यीशुके विषयमे गवाह बनिक' सांच बात बाजल रहथि आ ओसब परमेश्वरके सन्देश सुनौने रहैक। ओ लोकसब रहैक जेसब जानबर आ ओकर मूर्तिके आराधना करब अस्वीकार क' देने रहैक, आ जेसब पशुके दासके, अपन माथपर आ अपन हाथमे ओकर आ चेन्ह लगाबएके अनुमति नहि देने रहैक। ओसब फेरुस' जीवित भ' गेल रहैक, आ ओहि एक हजार वर्षमे ओसब मसीहके संग शासन कएने रहैक।5ओसब एहन लोकसब रहैक जे पहिन बेरमे जीवित भ' क' उठल रहैक जखन परमेश्वर मरल लोकसबके फेरुस' जीवित रहबाक लेल उठएने रहथि। बांकी सब लोक जे सब मरि गेल रहैक ओसब हजार वर्षधरि जीवित नहि होएतै।6परमेश्वर ओहि लोकसबसंग प्रसन्न होएतथि जे पहिन बेरमे जीवित भ' क' उठतैक। परमेश्वर ओकरासबके पवित्र ठहरौतथि। ओकरासबपर दोसर मृत्युके कोनो अधिकार नहि होतैक। अहूस' बेसी, ओसब पुजारी होएतै जे परमेश्वर आ यीशु मसीहके सेवा करएबला होएतै, आ ओसब ओहि एक हजार वर्षधरि मसीहके संग राज करतथि।7जं एक हजार वर्ष पूरा भ' जएतैक, परमेश्वर शैतानके ओकरा ओकर जहलके बन्हनस' मुक्त क' दितथि।8पृथ्वीपर विद्रोही लोकक समूहसबके धोखा देब लेल एकटा स्वर्गदूत शैतानके बाहर निकलि देतैक। ईसब एहन राष्ट्र अछि, जेकरा प्रवक्ता यहेजकेल गोग आ मागोग कहने रहैक। शैतान ओकरासबके परमेश्वरके लोकसबके विरुद्ध युद्ध करबाक लेल एकठाम करत। ओकरासबमेस' बहुते लोक परमेश्वरके लोकसबसंगे युद्ध करत आ केओ ओकरासबके गनतीओ नहि क' सकत, जेना समुद्र तटके बालुके कणके केओ गनि नहि सकैत अछि।9ओसब सारा पृथ्वीपर चढ़ाइ करत आ यरूशलेममे परमेश्वरके योग्य लोकसबके विरुद्ध छावनी खसाक' घेरत, ओहि शहरके जेकरास' परमेश्वर प्रेम करैत छथि। तखन परमेश्वर स्वर्गस' आगि बरिसएतथि, ओ आगि ओकरासबके भस्म क' देतैक। 10परमेश्वर शैतानके गन्धकके झीलमे फेक देथिन, जे ओहि लोकसबके धोखा देने रहैक। ई ओहे स्थान अछि जत परमेश्वर ओहि जानबर आ झुट्ठा प्रवक्ताके फेक देने रहथि। आ ओसब सबके लेल सदाके लेल सदैव बहुत बेसी पीड़ा सहैत रहतैक। 11तखन हम एकटा विशाल उज्जर सिंहासन देखलहुं जाहिपर एकगोटे विराजमान छलथि। ओ एतेक भयावह रहथि जे हुनका आगुस' पृथ्वी आ आकाश बिला गेलैक; ओसब आब नहि रहल। 12हम देखलहुं जे लोकसब मरि गेल रहए से आब फेरुस' जीवित भ' गेल छल, आ सिंहासनके आगु ठाढ़ छल। ओसब महत्वपूर्ण आ महत्वहीन दुनू लोकसब रहैक! ओहि पुस्तकके खोलल गेल जाहिमे परमेश्वरके लोकसबके काजसबके लेखा-जोखा राखल जाइत अछि। एकटा आओर पुस्तक खोलल गेल, जे जीवनके पुस्तक अछि जाहिमे परमेश्वर ओहि लोकसबके नाम लिखने छथि जेकरालग अनन्त जीवन अछि। जे लोकसब मरि गेल छल आब जीवित अछि परमेश्वर ओकरासबके अपन अपन काज अनुसार जे ओ ओहि पुस्तकमे लिखने रहथि ओहि लोकसबके न्याय कएलथि। 13जेकरा समुद्रमे बहा देल गेल छल ओहोसब फेरुस' जीवित भ' गेल जे ओसब परमेश्वरके सिंहासनके आगु ठाढ़ भ' सकैक। जमीनमे दफनाओल गेल आ मृत्युलोकमे रहैक सेहोसब जीवित भ' गेल जे ओहोसब परमेश्वरके सिंहासन आगु ठाढ़ भ' सकैक। परमेश्वर प्रत्येक अपन काजसबके अनुसार जे ओसब कएने रहैक सबके न्याय कएलथि14सब अविश्वासी लोकसब जे ओहि मृत्युलोकमे रहैक जत ओसब मरलाके बाद प्रतीक्षा करैत छल ओकरासबके जरैत झीलमे फेक देल गेल। जरैत झील एहन स्थान अछि जत लोकसब दोसर बेर मरैत अछि।15परमेश्वर ओहि लोकसबके सेहो आगिके झीलमे फेक देलथिन, जेकर नाम ओहि पुस्तकमे नहि भेटल, जाहि पुस्तकमे परमेश्वर ओहि लोकसबके नाम लिखने छलथि जेकरा अनन्त जीवन अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.