Numbers32
1आब रूबेन आ गादक वंशजसबके बथानके बथान मालजाल छल। ओसब देखलक जे याजेर आ गिलादके इलाका मालजालक गौचारनके लेल योग्य स्थान अछि।2त' गाद आ रूबेनक वंशज आबिक' मूसा, एलीआजर पुजारी आ समुदायक' मुखिया सबस' कहलक। ओसब एहि तरहे कहलक,3“अतारोत, दीबोन, याजेर, निम्रा, हेशबोन, एलाले, सबाम, नबो, आ बोन नामक सहर ईसब हमरा सब द्वारा सर्वेक्षण कएल भूमिसब अछि।4जाहि देश सबपर अछि यहोवा इजराएलक समुदायक समक्ष आक्रमण कएने रहथि, आ ई मालजालके लेल नीक जगह अछि। हम अहाँक नोकरसबहक मालजाल बहुत अछि।”5ओसब कहलनि, “अहाँक' नजरिमे जं हमरासबके अनुग्रह भेटल अछि त' ई भूमि हमरासबके अधिकारमे देल जाए। हमरासबके यरदन नदीपार नहि ल' जाउ।”6मुदा मूसा गाद आ रूबेनक' वंशजसबके पुछलनि, “की अहाँसबके संगी इजराएलीसब ओत युद्धमे जाएत जखन अहाँ एत' रहब?7यहोवाके द्वारा देल गेल यरदन नदी पारके देशमे जएबाक लेल इजराएली सबके हृदयके किएक हतोत्साहित करैत छी?8जखन हम अहाँसबहक पूर्वजसबके कादेशबर्ने के शहरस' एहि देशके जांच करबाक लेल पठएलहुं तखन अहाँसबहक पूर्वजसब सेहो एहने काज कएने छल।9ओसब एशकोल उपत्यकामे चलि गेल। ओसब ओहि देशके देखलक आ फेरु इजराएलक लोकसबके मोनके हतोत्साहित कएलक जाहिस' ओसब ओहि देशमे प्रवेश करबास' मनाक' देलक जे यहोवा ओकरासबके देने छलाह। 10ओहि दिन यहोवाक क्रोध भड़कि गेलनि। ओ शपथ ल' कहलथिन,11‘मिस्रस' निकलल बीस वर्षस' उपरके आदमी सबमेस' केओ ओहि देशके नहि देखताह, जाहि देशके विषयमे हम अब्राहम, इसहाक आ याकूबस' शपथ लेने रही, किएक त' ओसब हमरा आज्ञाके पूर्णरुपस' पालन नहि कएलक।12कनजी यपुन्नेके बेटा कालेब आ नूनके बेटा यहोशूके छोड़ि केवल कालेब आ यहोशू हमरा, यहोवाके पाछु पूर्णरुपस' लागल अछि।’13इएह कारण यहोवा इजराएलीसबके चालीस वर्ष धरि उजाड स्थानमे घुमओलक जाधरि जे सब पिढ़ी हुनका नजरिमे अधलाह काज कएने छल, ओकर नाश नहि भ' गेल।14देखू, अहाँसब अपन पूर्वजसबके स्थानपर महापापी जकां' उठि खड़ा भेल छी, जाहिस' यहोवाक इजराएलक प्रति प्रज्वलित क्रोधके आओर बढ़ाएब।15जं अहाँसब यहोवाके पाछु छोड़ि देब त' ओ फेरु इजराएलके उजाड स्थानमे छोड़ि देत आ अहाँ एहि सबलोकके नाश क' कारण अहाँसब होएब।”16तखन रूबेन आ गादक कुलके लोकसब मूसाक लग आबिक' कहलनि, “हमरासबके एहि ठाम अपन भेंड़ बकरीके हेंड़लेल गोठ आ अपन परिवारक लेल शहर बनएबाक अनुमति दिअ।17मुदा, जाधरि हमसब ओकरासबके ओकर स्थानपर नहि पहुंचाएब, ताबत धरि हमसब इजराएलक सेनाक संग जएबाक लेल हातहथियार सहित तैयार रहब। मुदा हमरासबहक परिवार घेराबन्दी शहरमे रहत, कारण जे आन लोक एखनो एहि भूमिमे रहैत अछि।18जाधरि इजराएलक प्रत्येक आदमी अपन उत्तराधिकार नहि पाबि लेत ता' धरि हमसब अपन घर नहि घुरब।19हमसब ओकारा सबहक संग यरदन नदीक दोसर कातक देशके हिस्सा नहि लेब, किएकत' हमरासबहक उत्तराधिकार एत यरदन नदीक पूर्व कात अछि।”20मूसा ओकरासबके उत्तर देलनि, “जं अहाँसब अपन कहल करब, जं अहाँसब यहोवाक समक्ष युद्धमे जएबाक लेल हातहथियार ल' तैयार छी,21तखन अहाँसबहक प्रत्येक हातहथियार' तैयार योद्धाके यहोवाक समक्ष यरदन नदी ओहिपार जाए पडत, जाधरि ओ अपन सामनेस' शत्रुसबके हराक' ओत से नहि भगा देत।22आ ई देश यरदन नदीक पूर्व दिस अछि हुनका सामने वशमे भ' जाएत। तखन अहाँसब अपन घर घुरि सकैत छी। अहाँसब यहोवा आ अहाँके संगी इजराएलीसबके सामने लजाए नहि पडत। ई देश यहोवाक' समक्ष अहाँक' अधिकारमे भ' जाएत।23मुदा जं अहाँसब एना नहि करब त' देखू, अहाँसब यहोवाक विरुद्ध पाप करब। ई सुनिश्चित होउ जे अहाँक पाप अहाँके खोजि लेत।24अपन परिवारक लेल नगर आ भेंड़के लेल गोठ बनाउ। तखन जे कहलहुं से करु।”25गाद आ रूबेनक वंशज मूसास' कहलनि, “अहाँक सेवकसब अहाँके आज्ञाक अनुसार करब, किएक त अहाँ हमरसबहक मालिक छी।26हमरसबहक छोट-छोट बच्चा, पत्नी, भेंड़ आ सबटा मालजाल एतहि गिलादके नगरसबमे रहत।27मुदा, हमसब, अहाँक' सेवकसब, जे केओ युद्धके लेल हथियार ल' तैयार अछि, हमसब यहोवाक सामने युद्धके लेल पार करब, जेना अहाँ हमरासबके मालिक कहैत छी।”28तखन मूसा ओकारा सबहक विषयमे एलीआजर पुजारी, नूनक पुत्र यहोशू आ इजराएलके आओर कुलके अगुवासबके निर्देश देलथिन।29मूसा हुनकासबके कहलनि, “जं गाद आ रूबेनक वंशज अहाँसबहक संग यरदन नदी ओहिपार करत, जे सब यहोवाक समक्ष युद्ध करबाक लेल हथियार ल' तैयार अछि आ जं ओ देश अहाँसबहक कब्जामे भ' जाएत, तखन अहाँसब ओकारासबके गिलादके देश जाए देबनि।30मुदा जं ओसब अहाँसबहक संग हथियार ल' क' ओहिपार नहि जाए मानत त' ओसब अहाँसबहक बीच यरदन नदीके दोसर कात कनान देशमे अपन हिस्साके' अधिकार प्राप्त करत।”31तखन गाद आ रूबेनक वंशजसब उत्तर देलनि, “अहाँसबहक सेवकसब, जे यहोवा हमरासबके कहने छथि, हमसब ओहिना करब।32हमसब यहोवाक समक्ष सशस्त्र भ' क' कनान देशमे जाएब, मुदा हमरासबहक अधिकार हमरासबहक संग यरदन नदीक एहि कात रहत।”33गाद आ रूबेनक वंशज आ यूसुफके पुत्र मनश्शेक आधा कुलके मूसा एमोरीक राजा सीहोन आ बाशानक राजा ओगक राज्य देलनि। ओ ओकरासबके ओ देश द' देलथिन आ ओकर सबटा शहरसब ओकरासबके अपन सीमाक संग बांटि देलथिन।34गादक वंशजसब दीबोन, अतारोत, अरोएर,35अत्रौत शोपान, याजेर, योगबहा,36बेतनिम्रा आ बेत-हारनके चारुदिसि स' देवालबला सहरक रुपमे पुनर्निर्माण कएलक जाहिमे भेंड़के हेंड़के गोठ छल।37रूबेनक वंशज हेशबोन, एलाले, किर्यातैम,38नबो आ बालमोन के नगरसब — बादमे ओकरासबहक नाम बदलिक' सिबमा देलक। ओसब ओहि सहर सबहक दोसर नाम देलक जे ओसब फेरुस' बनौने छल।39मनश्शेक पुत्र माकीरक वंशजसब गिलादके इलाकामे जा क' ओहिमे रहनिहार एमोरीसबस' ओकरा छीनिक' कब्जा क' लेलक।40तखन मूसा गिलाद मनश्शेक पुत्र माकीरके द' देलनि आ ओसब ओतहि रहए लागल।41मनश्शेक पुत्र याईर जा' क' ओहि शहरपर कब्जा क' लेलक आ ओहिके हववोत याइर कहलक।42नोबह जाक' कनात के नगर आ ओकर गाम सबपर कब्जा क' लेलक आ ओकरा अपन नाम नोबह रखलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.