Numbers33
1मूसा आ हारूनके नेतृत्वमे मिस्रस' इजराएलीसब अपन अपन दलसबमे एहिनाक' मिस्र देश छोड़ि देलनि।2मूसा यहोवाक आज्ञाक अनुसार जाहि ठामस' ओसब यात्रा शुरु कएलाह, ओहि ठाम सबहक नाम अभिलेखमे लिख लेलनि। ओकारा सबहक यात्रा क विवरण एहि प्रकारे अछि।3ओसब पहिन मासमे रामसेस स' यात्रा कएलनि, पहिन मासक पन्द्रहम दिनमे ओतहिस' आगु चललाह। फसह-पर्वके बाद भोरमे इजराएलीसब मिस्र बासीके आगुस' खुल्लम खुल्लाह निकलि गेल। 4ई तखन भेल जखन मिस्रवासी सब अपन जेठका बच्चासबके गाड़ि रहल छल, जेकरा यहोवा ओकारा सबहक मारि देने छलाह, किएकत' ओ देखौलथि जे ओ मिस्रके देवतासबस बेसी शक्तिशाली छलथि आ ओकरासबके पराजीत कएलथि।5इजराएलीसब रामसेस स' निकलिक' सुक्कोत नामके स्थानमे डेरा खसएलक।6ओसब सुक्कोतस' निकलिक' उजाड स्थानक कातक एताम नामक स्थानमे डेरा खसएलक।7ओसब एताम स' विदा भेल आ फेरु मिग्दोल शहर, बाल-सपोनके शहरके पूर्वमे रहल पीहहीरोत शहर दिस घुमि गेल।8तखन ओसब पीहहीरोतके आगुस' विदा भेल आ समुद्रक बीचस' मरुभूमि दिस चलल। ओसब तीन दिनके पैदल यात्रा क' क' एतामके उजाड स्थानमे जा' क' मारा नामक स्थानमे डेरा खसएलक।9ओसब मारा स' विदा भ' एलीम पहुंचल। एलीमके कुंवामे बारहटा पानिक झरना आ सत्तरिटा ताड़क गाछ छल। ओसब ओतहि डेरा खसएलक।10ओसब एलीम स' निकलि गेल आ लाल समुद्रक कातमे डेरा खसएलक।11ओसब लाल समुद्रस' निकलि सीनक उजाड स्थानमे डेरा खसएलक।12ओसब सीनक उजाड स्थानस' विदा भेल आ दोपका नामके स्थानमे डेरा खसएलक।13ओसब दोपका नामके स्थानस' निकलिक' आलूश नामके स्थानमे डेरा खसएलक।14ओसब आलूशस' विदा भ' रपीदीम नामके स्थानके मरुभूमिमे डेरा खसएलक, जत' ओकारासबके पीबएलेल पानि नहि छल।15ओसब रपीदीमस' विदा भ' सीनैक' उजाड स्थानमे डेरा खसएलक।16ओसब सीनैक उजाड स्थानस' निकलिक' किब्रोतहत्तावामे डेरा खसएलक। 17ओसब किब्रोतहत्तावास' निकलि हसेरोतमे डेरा खसएलक।18ओसब हसेरोतस' निकलि रित्मामे डेरा खसएलक।19ओसब रित्मास' निकलि रिम्मोनपेरेसमे डेरा खसएलक।20ओसब रिम्मोनपेरेस स' निकलिक' लिब्नामे डेरा खसएलक।21ओसब लिब्नास' विदा भ' भेल आ रिस्सामे डेरा खसएलक।22ओसब रिस्सास' विदा भेल आ कहेलातामे डेरा खसएलक।23ओसब कहेलाता स' विदा भेल आ शेपेर पहाड़पर डेरा खसएलनि।24ओसब शेपेर पहाड़स' निकलि हरादामे डेरा खसएलक।25ओसब हरादास' निकलि मखेलोतमे डेरा खसएलक।26ओसब मखेलोतस' निकलि तहतमे डेरा खसएलक।27ओसब तहतस' निकलि तेरहमे डेरा खसएलक।28ओसब तेरहस' निकलि मित्कामे डेरा खसएलक।29ओसब मित्कास' निकलि हशमोनामे डेरा खसएलक।30ओसब हशमोनास' निकलि मोसेरोतमे डेरा खसएलक।31ओसब मोसेरोतस' निकलिक' बेने याकनमे डेरा खसएलक।32ओसब बेने याकनस' निकलिक' होर्हग्गिदगादमे डेरा खसएलक।33ओसब होर्हग्गिदगादस' विदा भ' योतबातामे डेरा खसएलक।34ओसब योतबातास' विदा भ' अब्रोनामे डेरा खसएलक।35ओसब अब्रोनास' विदा भ' एस्योनगेबेरमे डेरा खसएलक।36ओसब एस्योनगेबेरस' निकलिक' कादेशमे सीनक उजाड स्थानमे डेरा खसएलक।37ओसब कादेशस' निकलिक' एदोम देशके कातमे होर पहाड़पर डेरा खसएलक।38हारून पुजारी यहोवाक आज्ञाक' अनुसार होर पहाड़पर गेलाह आ इजराएलीसब मिस्र देशस' निकललाक चालीसम वर्षके पांचम मासक पहिन दिन ओत' मरि गेलाह।39हारून जखन होर पहाड़पर मरि गेलथि तखन ओ 123 वर्षक छलथि। 40अराद शहरके कनानी राजा, जे कनान देशके दक्षिणके उजाड स्थानमे रहैत छल, इजराएलीसब आबि रहल विषयमे सुनलक।41शीत होर पहाड़स' विदा भ' सलमोनामे डेरा खसएलक।42ओसब सलमोनास' निकलि पूनोनमे डेरा खसएलक।43ओसब पूनोनस' निकलि ओबोतमे डेरा खसएलक।44ओबोत स' निकलिक' मोआबक सीमापर इय अबारीममे डेरा खसएलक।45ओसब इयीम अबरीमस' निकलिक' दीबोन गादमे डेरा खसएलक।46ओसब दीबोन गादस' निकलिक' अल्मोनदिबलातैममे डेरा खसएलक।47ओसब अल्मोनदिबलातैमस' निकलिक' नबोके सामने अबारीम पहाड़मे डेरा खसएलक।48ओसब अबारीम पहाड़स' निकलिक' यरीहोमे यरदन नदीक कात मोआबक मैदानमे डेरा खसएलक।49ओसब यरदन नदीक कातमे बेत्यशीमोतस' ल' क' मोआबक मैदानमे आबेल-शित्तीम धरि डेरा खसएलक।50यरीहो शहरमे यरदन नदीक कात मोआबक मैदानमे यहोवा मूसास' कहलथिन,51“इजराएलीसबस' कहू जे, ‘जखन अहाँ यरदन नदीपार क' क' कनान देशमे पहुंचब,52तखन अहाँसब ओहि देशके बासीसबके ओत से भगा देब। ओकरासबके सबटा खोधिक' बनाएल आकृति सब नाश क' देब। ओकरासबके सबटा ढलौट द्वारा बनाएल गेल मुर्तिसबके नाश क' देब आ ओकर सबटा पिड़ी तोड़ि देब।53अहाँसब ओहि कनान देशपर कब्जा क' क' ओतहि बसि जाउ, किएकत' हम अहाँसबके ओहि जमीनपर कब्जा करए लेल देने छी।54प्रत्येक कुलक अनुसार अहाँसबके ओहि भूमिक हिस्सा अधिकारके लेल चिट्ठा लगाएब। पैघ कुलके जमीनके बेसी हिस्सा देब, आ छोट कुलके जमीनके कम हिस्सा देब। जेकरा नामके चिट्ठा जत पडत, ओ जमीन ओकरे होएत। अहाँसब अपन पूर्वजक कुलक अनुसार भूमिक उत्तराधिकारी बनब।55मुदा जं अहाँसब कनान देशके लोकसबके अपन आगुस' नहि भगाएब त' अहाँसब जेकरासबके रहए देब से सब अहाँक आंखिक रोड़ा आ देहक लेल कांट जकां बनि जाएत। जाहि भूमिमे अहाँ रहब ओहिमे अहाँक जीवन कष्टकर बना देत।56यदि अहाँ ओकरासबके नहि भगाएब त' हम अहाँसबस' ओतबे क्रूरतापूर्वक व्यवहार करब जतेक हम कनानीसबके संग व्यवहार करबाक योजना बनौने छलहुं।’”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.