Numbers31

1यहोवा मूसा संगे बजएलखिन आ कहलखिन,2“इजराएलीसबके जे ओसब कएलक ताहिके लेल मिद्यानीसबस' बदला लेब। ओ कएलाक बाद, अहाँ मरि जाएब अहाँ अपन लोकसबसंगे मिलि जाएब।”3तें मूसा इजराएली लोकसबसंगे बजलनि। ओ कहलनि, “अहाँसबमेस' किछु सैनिकके हथियारस' सुसज्जित करु जे ओसब मिद्यानीसबके विरुद्ध युद्धमे जा सकैक ओकरासबस यहोवाके बदला ल' सकैक।4इजराएल भरिके सब कूलमे स एक हजार योद्धा युद्धके लेल पठबैक।”5तें इजराएलस हजारो लोक, प्रत्येक कूलस एक-एक हजार क' क' हथियारस लैस बारह हजार योद्धा छल।6तखन मूसा ओकरासबके युद्धमे पठा देलनि, प्रत्येक कूलस एक-एक हजार, ओकरासंगे एलीआजर पुजारीक पुत्र पीनहास सेहो छल, पवित्र स्थानस किछु पात्रसब आ आवाजक युद्ध संकेत देब' लेल अपन डफ्फा संगे नरसिंगा सेहो ल गेल छल।7ओसब सारा मिद्यानी सैनिकसब संगे युद्ध कएलक, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि। ओसब प्रत्येक मनुष्यके मारि देलक।8आओर लोकके संगे मिद्यानी राजाके सही मारि देलक: एवी, रेकेम, सूर, हूर, आ रेबा नामके मिद्यानीके पांचगो राजा। ओसब बोरके बेटा बिलामके सेहो तलबारस मारि देलक।9इजराएलके सेनासब मिद्यानीके स्त्रीसबके, धियापुतासबके, सबटा मालजालके, आ सब सर समानके लुटिक आ बंदी बना लेलक। ओसब एहिके लूटके माल जकां ल' लेलक।10ओकरासबके रहनिहारसब सहर आ सब छावनीके जरा देलक।11ओसब लोकसबके आ मालजालके लूटिक आ बंदी ल' गेल।12ओसब युद्ध बंदी आ लूट आ कब्जा कएने सब चीजके ल क' मूसा, पुजारी एलीआजर आ इजराएलके सारा समुदाय लग आएल। ओसब एहिके मोआबके मैदानमे रहल छावनीमे जे यरीहो शहरके लग यरदन नदीलग छल ल क' आएल।13मूसा, पुजारी एलीआजर, आ समुदायके सारा अगुवा ओकरासब संगे भेट करबाक लेल छावनीके बाहर गेल।14मुदा मूसा सेनाके नियुक्त अधिकारी पर, सहस्रपति आ शतपति, जे युद्धस घुरि आएल छल ओकरासबपर बेसी पिता गेलनि।15मूसा ओकरासबके कहलनि, “की सब स्त्रीके जीविते छोड़ि देलिऐ?16देखू, ई स्त्रीसब इजराएलके पुरुषसबके बिलामके युक्ति द्वारा पोरके मामिलामे यहोवाके विरुद्ध पाप करबौने रहए, तखन महामारी यहोवाके समुदायमे मारि पसरि गेल रहैक। 17आब, बच्चासबमे स सब पुरुषके मारि दिऔ, आ ओहि सब स्त्रीके सेहो मारि दिऔ जे कोनो पुरुषसंगे सुतल होइक।18मुदा जे लड़कीसब कोनो पुरुषसंगे नहि सुतल होइक तेकरा अहाँसब अपनालेल राखि सकैत छी।19मूसा सैनिकसबके कहलक जे अहाँसब इजराएलके छावनीस बाहर सात दिनधरि छावनीमे रहू। ओ सबगोटे जे केओ केकरो मारने होएब वा कोनो मरल लाशके छुएने होएब अहाँसब अपने-आपके तेसर दिनमे आ सातम दिनमे अवश्य शुद्ध करब अहाँ आ अहाँक बंदी सब।20अहाँसब वस्त्र आ सब चीज से चमड़ास बनल आ बकरीके केशस बनल, आ लकड़ीस बनल सब किछुके शुद्ध करबेटा करब।”21पुजारी एलीआजर ओहि सेनासबके कहलनि जे युद्धमे गेल छलनि, “ई यहोवाद्वारा मूसाके देल गेल व्यवस्था अछि:22सोना, चानी, पीतरि, लोहा, टीन, आ सीसा,23आ जे किछु आगिमे टिक सकैक, ओकरा अहाँ आगिमे धरु, आ ईसब शुद्ध भ' जएतैक। तेकरबाद एहिके अशुद्धता हटाबएबला पानिस शुद्ध करब। जे किछु आगिमे नहि ठहरि सकैत अछि ताहिके अहाँ पानिस' शुद्ध करब।24तम्बूके बाहर रहलाके सातम दिनमे अपन वस्त्र अहाँ अवश्य धोएब, आ तेकरबाद अहाँ शुद्ध भ' जाएब। तत्पश्चात अहाँ इजराएलके छावनीमे आबि सकैत छी।”25तखन यहोवा मूसा संगे आओर बजएलखिन आ कहलखिन,26“मिद्यानीसबस' कब्जा कएल गेल लोकसब आ जानवारसबके गनती करु। अहाँ, एलीआजर पुजारी, आ समुदायके घरानिके कूलक अगरियासब27लूटके मालके दू भागमे बांटि देबै। आधा ओहि योद्धाके द दिऔ जे युद्धमे गेल रहैक आ बांकी समुदायमे बांटि दिऔ।28तेकरबाद योद्धा जे युद्धमे गेल रहैक से हमरा कर दैक। ई कर प्रत्येक पांच सय मे एक होइक, चाहे मनुष्य, मालजाल गदहा, भेंड़, वा बकरीके हेंड़ होइक।29ओकरा आधा भागमेस कर ल क आ एलीआजर पुजारीके हमरा चढ़ाबलेल भेंटके रुपमे द' दिऔ।30इजराएली लोकसबके आधा भाग, अहाँसब प्रत्येक पचास मे स एकटा व्यक्ति, मालजाल, गदहा, भेंड़ा, आ बकरीसबके हेंड़मेस'। एहिसबके ल क हमर, यहोवाके बासस्थानके देखभाल करएबला लेवीके द' दिऔ।” 31मूसा आ एलीआजर पुजारी ओहिना कएलक जेना यहोवा ओकरासबके कहने छलथि।32आब बांकी रहल लूट सिपाहीसब ल गेल से छल 675,000 भेंड़,33बहतरि हजार बच्छा,34एकसठी हजार गदहा,35आ बतीस हजार स्त्रीसब छलीह जे कोनो मनुष्य संगे लसफस नहि कएने छलीह।36आधा जे सिपाहीसबके लेल राखल गेल छल से 337,000 भेंड़,37जाहिमेस 675 टा भेंड़ यहोवाके लेल रहए।38छतीस हजार बच्छा सबमेस बहतरि टा यहोवाके लेल छल।39तीस हजार पांच सय गदहा छल जाहिमेस यहोवाके लेल एकसठी गो छल।40सोर हजार लोकसब छल जाहिमे बतीस गो कुमारि लड़कीसब यहोवाके लेल भेल।41मो कर उठएलक जे यहोवाके लेल भेट चढ़ाएल जएबाक छल। ओ एहिके एलीआजर पुजारीके द देलक, जेना यहोवा मूसाके आदेश देने रहथि।42इजराएली सबहक लेल भेल अदहा भाग जेकरा मूसा युद्धमे गेल सिपाहीसबस लेने रहैक43समुदायके अदहा भाग रहैक से 337,500 भेंड़,44छतीस हजार बच्छा,4530,500 गदहा,46आ लोकसबमेस' सोर हजार कुमारि लड़कीसब रहए।47इजराएल लोकसबस अदहा भागमेस, लोक आ मालजालसबके प्रत्येक पचास मे स एकटा लेलक। मूसा ओकरा ल क ओहि लेवीके द' देलक जे यहोवाके निवास स्थानके देखभाल करैत छल, जेना यहोवा हुनका करबाक लेल आदेश देने रहथि।48तेकरबाद, सिपाहीके हाकिमसब मूसालग आएल जे हजारके उपर आ सयके उपर नियुक्त हाकिम छल।49ओसब मूसा कहलक, “अहाँके दास, सब सिपाहीसबके गनि लेने छी जे हमरासबके मातहत अछि, आ एकोगोटे नहि छुटल अछि।50हमसब यहोवाक चढ़ओना, जे प्रत्येक व्यक्तिके भेटलनि, सोनाके वस्तु, कवच आ कंगन, चेन्हक औंठी, झुमका, आ हारि, यहोवाक समक्ष अपन प्रायश्चित करबाक लेल अनने छी।”51पुजारी मूसा आ एलीआजर ओकरासबस' सोना आ शिल्प कौशलक सब वस्तु प्राप्त कएलनि।52ओसब यहोवाके जे भेट देलथिन ओकरासब सोना हजारोके सेनापति आ सैकड़ोके कप्तानके चढ़ओनाके वजन 16,750 शेकेल छलनि।53प्रत्येक सैनिक लूटके माल लेलक, प्रत्येक आदमी अपनालेल।54पुजारी मूसा आ एलीआजर हजारक सेनापति आ सैकड़ोके कप्तानस' सोना ल' लेलनि। ओसब एकरा इजराएलीसबके यहोवाके स्मरणक रुपमे भेट हुअएबला तम्बूमे ल' गेलाह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67