Genesis27

1जं इसहाक बूढ़ भेल त ओ आन्हर जकां भ' गेलनि। एकदिन ओ अपन जेठका बेटा एसावके बजाक' कहलनि “बौआ!” ओ जबाब देलक, “हम एहि ठाम छी!”2इसहाक कहलनि, “हमर बात सुनू। हम बड़ बूढ़ भ' गेल छी, आ कखन मरि जाएब से नहि जनैत छी।3तएं अहाँ बाण स' भरल धनुष आ कवच ल' क' बाहर जाउ आ हमरालेल जंगली जानबरके शिकार क' क' लाउ।4ओकरा मारिक' जेहन सुअदगर माउस हमरा नीक लगैत अछि तेहन रिन्हू। आ हमरालग आनू जे हम ओहिके खएलाक बाद मरएस' पहिने अहाँक आशीष द' सकी।”5रिबका सुनैत छलीह जखन इसहाक अपन बेटा, एसावके ई बात कहैत छलनि। जखन एसाव शिकार पर जाएलेल डेरा स' निकलि गेल,6रिबका अपन बेटा याकूबके कहलीह, “हमर बात सुनए। हम सुनली जे अहाँक बाबु अहाँके भाइ एसावस' बातचित करैत छलथि जे7‘जाउ कोनो जंगली जानबरके मारिक' एत आनि दिअ, आ माउसके स्वदगर तरीकास' रिन्हू, जाहिस' हम खा सकी। तखन हम मरएस' पहिने अहाँके अपन आशीष द' दी किएक त' यहोवा सुनैत छथि।’8तएं आब हे बौआ, हम जे कहैत छी से करु।9हेंड़मे जाउ आ दूटा नीक खसीके मारिक' माउस हमरा ल' आनू। जे हम अहाँक बाबुके लेल किछु स्वादिष्ट तरीकास' रिन्हब, जे हुनका नीक लगैत छनि।10तखन अहाँ एकरा अपन बाबु लग ल' जा सकैत छी, जाहिस' ओ एकरा खा सकथि, तखन ओ मरएस' पहिने अहाँके अपन आशीष द' देताह।”11मुदा याकूब अपन माय रिबकाके कहलनि, “भैया एसावके भरि देहके चमरी पर केश अछि आ हमर चमरी ओहन नहि अछि! हमर चमरी पर केश नहि अछि!12जं हमर बाबु हमरा छुअत त' की होएत? हुनका बुझा जएतै जे हम हुनका ठकि रहल छी, आ हम अपना उपर सराप आनि लेब, आशीष नहि!”13ओकर माय ओकरा कहलीह, “रे बौआ, जं एना होइक त' सराप हमरापर पड़ए। हम जे कहैत छी से अहाँ करु। जो हमरालग खंसी ल' क' आउ!”14याकूब जा क दूटा खंसी मारिक' अपन माय लग अनलकनि। तखन ओकर माय ओकरा स्वदगर तरीकास' रिन्हलीह, ठीक ओहिना जेना हुनकर बाबुके नीक लगैत रहए।15तखन रिबका अपन जेठ बेटा एसावक नीक वस्त्र जे डेरामे छल, ओकरा ल' क' अपन छोटका बेटा याकूबके पहिरा देलक।16खसीके खाल सेहो ओकर हाथपर आ गरदनिपर राखि देलीह।17तखन ओ अपन बेटा याकूबके हाथमे किछु रोटी आ जे स्वादिष्ट भोजन बनौने छलीह से द' देलीह।18याकूब ओकरा ल' क' अपन बाबु लग जा क' कहलक, “बाबु यौ!” इसहाक उत्तर देलथिन, “हम एत छी; हमर बेटासबमे स' के छी?”19याकूब अपन बाबुके कहलक, “हम अहाँक जेठ बेटा एसाव छी। अहाँ जे कहलहुं से हम कएलहुं। उठिक' बैसू आ कनिक माउस खाउ जाहिस' अहाँ हमरा आशीष द' सकी।”20मुदा इसहाक अपन बेटाके कहलथि, “बौआ, अहाँ एतेक जल्दी कोनो जानबरके कोना मारिक आनि लेली?” याकूब उत्तर देलक, “किएक त' यहोवा, जिनकर आराधना अहाँ करैत छी, हमरा सफल होबएमे सक्षम बनौलनि।”21इसहाक याकूबके कहलनि, “यौ बेटा, हमरालग आबि जाउ, जाहिस' हम अहाँके छुबि सकी आ पता लगा सकब जे अहाँ वास्तवमे हमर बेटा एसाव छी वा नहि।”22तखन याकूब अपन बाबु इसहाक लग गेल। इसहाक ओकरा छूबिक' कहलक, “आवाज याकूबके बुझाइए, मुदा हाथ रोइंयाबला, जेना ओकर भैया एसावके हाथ अछि।”23इसहाक हुनका नहि चिन्हलथि, किएक त' ओ आन्हर छलथि आ याकूबके हाथ ओकर भैया एसाव जकां रोइंए रोइंया छलनि। तएं इसहाक हुनका आशीष देबएलेल तैयार भ' गेलथि।24मुदा पहिने इसहाक पुछलथि, “की अहाँ सचमुच हमर बेटा एसाव छी?” याकूब उत्तर देलक, “हं, हम छी।”25इसहाक कहलनि, “हमर बेटा, अहाँ जे माउस रिन्हने छी, ओहिमेस' कनिक हमरा ला' आनि दिअ, जे हम खाकए आ फेरु अहाँके अपन आशीष देब।” तखन याकूब हुनकालग किछु अनलनि आ ओ खएलथि। याकूब हुनकालेल दाखरस सेहो अनलनि आ ओ पीबि लेलनि।26तखन ओकर बाबु इसहाक ओकरा कहलथि, “हमर बेटा, एत आउ हम अहाँके चुम्मा लिअ।”27तखन याकूब हुनकालग गेल आ ओकर बाबु ओकरा गालपर चुम्मा लेलथि। इसहाकके याकूब जे कपड़ा पहिरने छल, ओकरा सुंघलक। ओ एसावक कपड़ा जकां गंध करैत छल। तएं ओ कहलनि, “सत्ते हमर बेटाके गंध ओहि खेतके गंध जकां अछि जेकरा यहोवा आशीष देने छथि।28हम मंगैत छी जे परमेश्वर अहाँसबलग स्वर्गस' शीत पठाक' अहाँसबहक खेतमे पानि देथिन आ अहाँसबके माटिस' प्रचुर मात्रामे उपजा आ अन्नके नीक फसल आ दाखमद्य लेल अंगूर सेहो होए।29हम आग्रह करैत छी जे बहुते समूहक लोक अहाँक सेवा करथि आ अहाँके आगु झुकिक प्रणाम करथि। हम आग्रह करैत छी जे अहाँ अपन भाइपर शासन करु, आ अहाँक मायक वंशज सेहो अहाँके झुकिक प्रणाम करथि। हम मंगैत छी जे परमेश्वर अहाँके सराप देनिहारके सराप देथिन, आ जे अहाँके आशीष दैत छथि हुनकाके आशीष देथिन।”30इसहाक याकूबके आशीष द' देलनि, याकूब एखने ओहि घरस' बाहर निकलले रहए जत' ओकर बाबु छलथि, त' ओकर भैया एसाव शिकार क' क' घुरिक आबि गेल।31एसाव किछु स्वदगर माउस रिन्हक' अपन बाबु लग अनलनि। ओ अपन बाबुके कहलनि, “यौ बाबु, उठिक' बैसि जाउ आ हम जे माउस रिन्हने छी ताहिमेस' किछु माउस खाउ, जाहिस' अहाँ हमरा अपन आशीष द' सकब!”32ओकर बाबु इसहाक ओकरा पुछलथि, “अहाँके छी?” ओ उत्तर देलनि, “हम अहाँक जेठ बेटा एसाव छी!”33तखन इसहाक बहुत जोरस' कांपए लागल। ओ बजलाह, “तखन ओ के छल जे हमरालेल एकटा एहन जानबरक माउस आनि देलक जेकरा ओ शिकार क' क' मारने छल आ हम सबटा खा लेलहुं? अहाँके आबएस' ठीक पहिने ओ एत छलनि। हम ओकरा आशीष द' देलिऐ, आ हम ओ आशीष आब वापस नहि ल' सकैत छी।”34एसाव अपन बाबुके ई बात सुनिक जोर-जोरस' कानए लागल। ओ बहुत निराश भ' गेल। ओ अपन बाबुके कहलनि, “यौ बाबु, हमरा सेहो आशीष दिअ!”35मुदा ओकर बाबु कहलथि, “अहाँक भाय आबिक' हमरा ठकि लेलक आ अहाँक आशीष ल' लेलक!”36एसाव कहलनि, “ई ठीके जे ओकर नाम याकूब अछि, किएक त' ओ हमरास' दू बेर ठकि लेलक। पहिन बेर ओ हमर जेठाउंस अधिकार ल' लेलक, आ एहिबेर ओ हमर आशीष लेलक!” तखन ओ पुछलनि, “की अहाँ लग हमरालेल कोनो आशीष नहि बचल अछि?”37इसहाक उत्तर देलथिन आ एसावके कहलथि, “हम घोषणा क' देलहुं जे अहाँक भाय अहाँपर शासन करए आ ओकरासब परिजन ओकर सेवा करत। आ हम कहने छी जे परमेश्वर हुनका दाखमदक लेल भरपूर अनाज आ अंगूर देथिन। तखन बौआ, हम अहाँक लेल की क' सकैत छी?”38एसाव अपन बाबुके कहलनि, “यौ हमर बाबु, की अहाँ लग मात्र एकेटा आशीष अछि? यौ बाबुजी, हमरा सेहो आशीष दिअ!” तखन एसाव बहुत जोरस' कानए लागल।39ओकर बाबु इसहाक ओकरा उत्तर देलथिन, “जत' अहाँ रहब, ओ उब्जाउ माटि आ शीत स' दूर रहत जे परमेश्वर स्वर्गस' खेतमे पानि देबाक लेल पठबैत छथि।40अहाँसबके जिअएलेल जे किछु चाही से पाबएलेल लोकसबके लूटिक' मारि देब, आ अहाँ अपन भायके दास जकां सेवा करब। मुदा जखन अहाँ हुनका विरुद्ध विद्रोह करबाक निर्णय करब त' हुनका वशमे अपनेके सोंपि देब।”41याकूबके ओकर बाबु याकूबके आशीष देने छलथि, ताहि कारण एसाव अपन भायस' घृणा कएलक। एसाव मनेमन कहलनि, “हमर बाबूक मृत्युके बाद शोक समाप्त भेलापर हम याकूबके मारि देबै!”42मुदा रिबकाके बुझएमे आबि गेल जे ओ केकर जेठका बेटा एसाव की सोंचि रहल छलनि। तएं ओ अपन छोटका बेटा याकूबके बजाक' कहलीह, “हमर बात सुनू। अहाँक बाबुके ठकएके बदला लेब' लेल, अहाँके भैया एसाव अहाँके मारएके योजना बनाक' अपनेके सान्त्वना द' रहल अछि।43तएं आब हमर बौआ, हम जे कहैत छी से ध्यानस' सुनू। हारानमे, जल्दी भागि जाउ आ हमर भाइ लाबान लग रहू।44जाधरि अहाँक भैया पीताएल रहत, ताधरि हुनकासबसंगे किछु समय रहू।45जखन ओ बिसरि जाएत जे अहाँ ओकरासंगे की कएने छलहुं तखन हम अहाँके सन्देश पठा देब जे अहाँके ओतए' स' घुरिक वापस आबि सकी। जं एसाव अहाँके मारि दैत त' दोसर लोक ओकरा मारि दैत, तखन हमर दुनू बेटा एकहि संग मरि जाएत!”46तखन रिबका इसहाकके कहलनि, “ई परदेशी महिला, जिनकास' एसाव विवाह कएने छथि, जे हित्तीक वंशज छथि, हमर जीवन दयनीय बना रहल छथि। जं याकूब सेहो एहि इलाकामे हित्तीक वंशजमेस' कोनो महिलास' विवाह करत त' हमर जीवन आओर बेकार भ' जाएत!”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67